Friday, July 10, 2026

डाॅ. जयधारी सिंहक आलोचना-दृष्टि

 तारानंद वियोगी



मिथिलाक विद्वत्-समाज डाॅ. जयधारी सिंह कें एक गंभीर विशेषज्ञ विद्वान तथा काव्यशास्त्रक पारंगत समालोचकक रूप मे विगत शताब्दीक छठम दशक सँ जनैत रहल अछि। आचार्य रमानाथ झाक एहन योग्यतम शिष्यक रूप मे हुनकर ख्याति छनि जे आचार्यक यश कें सर्वाधिक पसारलनि। डाॅ. सिंहक प्रख्यात कृति 'बौद्धगान मे तांत्रिक सिद्धान्त' (1969) शोध-कृतिक एक एहन मानक रचलक, जकर महत्व ताहू दिन मे महामहोपाध्याय गोपीनाथ कविराज आ आचार्य हजारीप्रसाद द्विवेदी सन असंदिग्ध महापंडित स्वीकार कयने छला। एते वर्ष बीति गेलाक बादो, आ हजारन मैथिली शोध-प्रबन्ध लिखायल जेबाक बादो, आइयो एहि प्रख्यात कृतिक प्रतिमान अपना जगह पर मौजूद अछि, जतय धरि हमरा ज्ञान अछि, एहि सँ आगाँ क्यो नहि बढ़ि सकल छथि।

                मैथिली साहित्यक जाहि कालखंड कें मैथिल विद्वान लोकनि सर्वाधिक तमासावृत्त मानै जाइ गेला अछि, जयधारी बाबूक महत्व एहि बात सँ बूझल जा सकैत अछि जे ओही तमसावृत्त कालखंड--सिद्ध-साहित्यक रचनाकाल-- पर ओ अपन शोधकृति लिखने छला। मिथिला मे आ बाहरो, एहि विषयक विशेषज्ञक रूप मे हुनकर ख्याति सबदिन बनल रहलनि। अनेक अवसर पर अपन ज्ञान सँ ओ मैथिलीक पीढ़ी-दर-पीढ़ी कें एहि कालखंड आ एहि मे लिखल कविताक पृष्ठभूमि आ आशय सँ परिचित करबैत रहला। संगोष्ठी मे परचा पढ़ल, विद्वान लोकनिक बीच भाषण केलनि, आकाशवाणी पर आलेख प्रसारित केलनि। सिद्ध-साहित्य पर लिखल हुनकर एहन किछु वस्तु कें एहू पुस्तक मे देखल जा सकैत अछि।

                   मिथिलाक परिसर मे दोसर जाहि गुणक कारण जयधारी बाबू कें बेस महत्व देल जाइत छनि, ओ थिक हुनकर अप्रतिम काव्यशास्त्रज्ञ हैब। भारतीय काव्यशास्त्रक संगहि पाश्चात्य काव्यशास्त्र पर सेहो हुनकर कतेक मजगूत पकड़ रहनि तकर प्रमाण थिक दू खंड मे प्रकाशित हुनकर कृति-- 'काव्य-मीमांसा' (1962)। ई पुस्तक जे अहाँक हाथ मे अछि,तकर परिशिष्ट मे छपल पुस्तक 'गोविन्द-काव्यालोक' (1958) सँ सेहो हुनकर काव्यशास्त्रक मर्मज्ञ हेबाक थाह पाओल जा सकैत अछि। मुदा हमरा कह' दिय' जे इहो सब कथू हुनकर मर्मज्ञताक मात्र किछु अंश थिकनि। 'काव्य-मीमांसा' पूरा केलाक बाद हुनकर मन मे ई कसक जागल छलनि जे ई मीमांसा तँ मात्र सैद्धान्तिक पक्षक भेल जे प्रमुखत: काव्यशास्त्रीय तत्व सब पर आधारित अछि। हुनका भीतर जतबा भीजल रहनि संस्कृत काव्यशास्त्र, पाश्चात्य काव्यशास्त्र सेहो ततबे भीजल रहनि। कसक ई बनल रहलनि जे मौलिक रूप सँ जकरा मैथिली समालोचनाशास्त्र कहल जा सकय, से ओ नहि लिखि सकला अछि। आ, बाद मे हमरा लोकनि देखल जे ठीक एही नाम-- समालोचनाशास्त्र-- नाम सँ ओ एक पुस्तक लिखलनि जे मैथिली अकादमी सँ प्रकाशित अछि। व्यापकता मे समालोचनाक बारे मे जे हुनकर मान्यता छलनि, ताहि हिसाबें आधुनिक मैथिली साहित्यक आलोचना लेल संस्कृत काव्यशास्त्र पर्याप्त नहि रहय, अपितु पाश्चात्य परंपरा सँ किछु आवश्यक तत्व लेनाइ अपरिहार्य छल। पाश्चात्य समालोचक आइ.ए.रिचाॅर्ड्सक विचार हुनका सर्वाधिक उपयोगी प्रतीत होइन। रिचाॅर्ड्सक मान्यता छल जे आधुनिक साहित्यक समालोचन लेल असकरे साहित्यविद्या सक्षम नहि अछि, आ एहि लेल मानवविज्ञान, समाजशास्त्र आ मनोविज्ञानक सहायता लेब अपरिहार्य अछि। ओ स्पष्टत: समालोचनाक दू पक्ष-- सैद्धान्तिक आ व्यावहारिक-- मानलनि आ व्यावहारिक समालोचन लेल मानविकीक अन्यान्य शास्त्र सभक सहयोग लेल प्रयोजनीय बतौलनि। कलावादी पाश्चात्य शास्त्रकार ब्रेडलेक मत सँ जयधारी बाबू स्पष्ट असहमति व्यक्त करैत आवश्यक बतौलनि जे कला, केवल कलाक लेल होअय से सर्वथा त्याज्य थिक। आ, कला कें सदति जीवनक लेल प्रयोजनीय हेबाक चाही। अपन निबन्ध 'आलोचनाक स्वरूप' मे ओ लिखलनि-- 'जीवन सँ संबद्ध रहनहि ई संभव जे कविक कोनो रचनाक बोध दोसर व्यक्ति कें भ' सकतनि।... अन्य व्यक्तिक सौन्दर्यबोध कें कवि कोना जगा सकताह जँ हुनका संग बोधक स्तर पर मीलि नहि सकताह? जीवनक विस्तृत रहस्यमय अनुभवक क्षेत्र मे कतहु-ने-कतहु कवि-आलोचक अवश्य मीलि जाइत छथि तें कोनो पाठक कें विशेषता कविविशेषक, आलोचकविशेष कें बुझबा मे आबि जाइत छनि।'

              जेना कि पहिनहि कहि आयल छी, अपन ज्ञानक विषय सब पर प्रकाश देबाक लेल ओ समय-समय पर संगोष्ठी, व्याख्यान आ आकाशवाणी वार्ता आदिक उपयोग करैत रहैत छला। एहि संग्रह मे हुनकर किछु एहने सामग्री सब संकलित कयल गेल छैक। एहि निबन्ध सब मे हमसब जयधारी बाबूक ज्ञानक विशदता तथा संप्रेषणक निपुणता नीक जकाँ देखि सकैत छी।

            एहि संग्रह मे आधुनिक समालोचना पर जयधारी बाबूक तीन निबन्ध संगृहीत अछि। एकरा पढ़ने सँ स्पष्ट भ' जायत जे ओ अपन बात कहबाक लेल कतेक भीतरी स्तर धरि जाइत छथि। कोनहु रचनाकार जीवन मे सन्हियायल चेतना कें कोना अपन रचना मे उतारि पबैत छथि? ओ कहै छथि, एहि प्रक्रियाक दू चरण होइत छैक-- ज्ञानेन्द्रिय सँ प्रत्यक्ष अनुभव तथा ओहि अनुभवक स्मरण। ओ विवरण दैत छथि जे जखन कलाकार जागतिक वस्तुक संपर्क मे रहत तखनहि, मात्र तखनहि टा ज्ञानेन्द्रिय सँ कोनो अनुभव प्राप्त कयल जा सकैत अछि। ओही ठाम ओ एहू प्रश्न पर विचार करैत छथि जे साहित्य मे व्यक्त कलाकारक अनुभव चेतनाक स्तर पर तलस्पर्शी भ' पाबय, तकर तीन गोट प्रक्रिया संभव छैक-- कि तँ ओ चेतना स्मृतिमयी होयत, अथवा कल्पनामयी होयत, अथवा प्रतिक्रियामयी होयत। ई स्मरणीय जे कल्पना निराधार हो तँ से साहित्यक लेल अनुपयोगी भ' जाइत छैक। जेना कि सामान्यत: कहि देबाक चलन अछि, कल्पना असीम नहि भ' सकैत अछि। ज्ञानेन्द्रिय सँ प्राप्त अनुभवक चेतना मे रूपान्तरक वास्ते जतबा योग कल्पनाक भ' सकैत हो, ततबे उचित बुझबाक चाही।

              जयधारी बाबू साहित्य-लेखनक प्रक्रिया मे सर्वाधिक महत्व संप्रेषणीयता कें दैत छथि। ओ स्पष्ट क' क' बतबैत छथि जे काव्यक ओ अनुभूति जे कवि कें भेलनि आ जकरा ओ कलारूप मे अभिव्यक्त केलनि, ठीक-ठीक ओही रूप मे श्रोता वा पाठक कें भ' जाइन, ई कविक सब सँ पैघ दायित्व थिक। कविक अनुभूतिक्षेत्र आ श्रोता वा पाठक अनुभूतिक्षेत्र भिन्न-भिन्न भ' सकैत अछि, एहि स्थिति मे एहन रचनात्मक शैली कें कवि पकड़थि जे पाठकक पूर्वानुभव वा पूर्वज्ञान कें सक्रिय क' दैत हो, सूक्ष्म प्रक्रिया द्वारा अपन अनुभूतिक साधारणीकरण करथि, एहन बिम्बक रचना करथि, एहन प्रतीक वा रूपक ताकथु जाहि सँ पाठक कें ठीक-ठीक ओही अनुभूति-स्तर पर ल' आनि सकथि, जाहि पर रहि क' ओ कवि अपन रचना कयने छथि। एहि प्रक्रिया मे कविक बुतें दू तरहक गलती भ' सकैत अछि-- मूल्यहीन अनुभूतिक निर्दोष संप्रेषण अथवा मूल्यवान अनुभूतिक सदोष संप्रेषण। कहब जरूरी नहि जे दुनू स्थिति समान रूप सँ गड़बड़ अछि। साहित्यक असल काज मूल्यवान अनुभूतिक निर्दोष संप्रेषण थिक। कवि कें ने तँ मूल्य सँ समझौता करबाक सुविधा छैक, ने संप्रेषण सँ। एहि दुनू मे सँ कोनो जँ हूसल तँ ओहि रचनाक अवमूल्यन अवश्यम्भावी भ' जाइत छैक। एही बात कें जयधारी बाबूक शब्द मे कही तँ 'समालोचना दू स्तम्भ पर ठाढ़ अछि-- मूल्य आ संप्रेषण।' ओ इहो कहैत छथि जे रचनाक मूल्य वा मान्यता तँ युगानुसार बदलैत छैक, जीवनक मान्यता मे जेना-जेना परिवर्तन आयत, रचनाक मान्यता तहिना-तहिना बदलबाक लेल बाध्य रहत। जे कवि युगानुरूप अपना कें नहि बदलि पबैत छथि, हुनकर अप्रासंगिक भ' जायब सेहो अवश्यम्भावी अछि। मुदा, मूल्य सँ कतहु बेसी संप्रेषणक खगता छैक, से खाहे पुरान युगक कवि रहथु वा आधुनिक युगक। अपन निबन्ध 'आधुनिक समालोचना: तत्व तथा संभावना' मे हुनका, मूल्य सँ कतहु बेसी संप्रेषणक उपेक्षा सँ चिन्तित देखल जा सकैत छनि। हुनकर जे चिन्ता छनि, तकरा समस्त सचेत रचनाकारक समवेत चिन्ताक रूप मे देखल जा सकैत अछि-- 'संप्रेषणक भविष्य मूल्यहुक भविष्य सँ अधिक अन्धकारमय प्रतीत होइत अछि। कारण अछि कविक ओहि शब्द-सामर्थ्यक कमती, जाहि सँ ओ ताहि रूपक शब्द-ध्वनिमय रचना रूप मे कविता कें ठाढ़ क' सकथि जे अपन आह्लादक रूप मे श्रोता कें हठात अपना दिस घीचि लेथि।'

               अपन निबन्ध 'साहित्यक गतिविधि आओर साहित्यकारक दायित्व' मे तँ ओ आरो बेसी आगाँ धरि गेलाह अछि। एहि ठाम ओ साहित्य कें दू वर्ग मे बँटैत छथि-- लिखित साहित्य आ उक्त (बाजल गेल) साहित्य। हुनकर वीजन पर कने गौर कयल जाउ। मिथिलाक जे जातीय साहित्य अछि, जकर निर्माण हजार बरस सँ चलि रहल अछि, एकर बहुलांश लिखित नहि, अपितु 'उक्त साहित्य' थिक। डाकवचन, लोकगाथा, लोकगीत, उक्ति-विधाक रचना जकरा फकड़ा कहल जाइक, आदि-आदि। हँ, 'उक्त' साहित्यक भीतर कोनो गोष्ठी मे सुनाओल गेल रचना सेहो आयत। जयधारी बाबू कहैत छथि-- 'उक्त वा लिखित कोनो शब्द श्रोता वा पाठक कें लक्ष्य कए प्रयुक्त होइत अछि, जँ सुननिहारे नहि, तँ बाजल की जाएत? आ जँ पाठके नहि, तँ लिखल की जाएत?... ध्यान दए ई देखए पड़त जे वक्ता कोना अपन भावना कें श्रोताक कान द्वारा हुनक मस्तिष्क मे पहुँचाए हुनका सहभागी बनबैत छथि, आ यैह स्थिति रहैत अछि लेखक-पाठकक मध्य।' जयधारी बाबू ओहि कोटिक आलोचक छथि जे संप्रेषण कें एकान्तत: लेखकक दायित्व मानैत छथि आ साफ कहै छथि जे कविक भावना जँ श्रोता वा पाठक नहि बुझलक तँ एकर समस्त जिम्मेदारी कवियेक जड़ता पर छै। राजशेखरक प्रसिद्ध सूक्ति कोट कयने छथि-- वक्तुरेव हि तज्जाड्यं श्रोता यन्नाभिगम्यते। सुननिहार जँ ग्रास्प नहि क' सकल, तँ एकर दायित्व बजनिहारक मूर्खते कें मानबाक चाही।

                मुदा, एहि ठाम हमरा एहू बातक उल्लेख जरूरी बुझाइत अछि जे सब ठाम वक्तेक जड़ता संप्रेषणक लेल बाधक हो, सेहो जरूरी नहि होइत छैक। जतय संप्रेषणक वस्तु भावना हो, ततय तँ मानि ली जे वक्ताक मूर्खता कारण होइत छैक, मुदा वस्तु जखन शास्त्रीय वा बौद्धिक हो, तँ एहि मूर्खताक किछु जिम्मेदारी श्रोता पर सेहो आबि जाइत छैक। स्वयं जयधारी बाबूक एहि लेख सब कें जखन पाठक पढ़ता तँ संभव छै जे किछु लोक कें किछुओ समझ मे नहि आबनि। आचार्य रमानाथ झा लिखि गेल छथि जे आलोचना जें कि एक शास्त्र थिक, सर्वदा एकर लेखन विहित शब्दावली आ शैली मे कयल जाएब अनिवार्य थिक। जयधारी बाबूक मान्यता सेहो एहि सँ अलग नहि छनि। शास्त्रक बात कें बुझबाक लेल पूर्वबोध आवश्यक होइत छैक। जँ अहाँ कें ओहि विषयक आरंभिक ज्ञान नहि रहत तँ अहाँ विषय कें बुझि नहि पेबै वा ओकर पूरा आनंद नहि ल' सकबै। एम्हर आबि क' चलन मे आएल अछि जे जाहि विषय कें आलोचक लिखि रहल होइत छथि, तकर आवश्यक पूर्वबोधक उल्लेख सेहो क' दैत छथि, जाहि सँ आलोचना अधिकाधिक पाठकक लेल पठनीय आ उपयोगी बनि जाइत अछि। एकर चलनक श्रेय मोहन भारद्वाज कें जाइत छनि जे अपन आलोचना मे एहि चलन कें शुरू केलनि। रमानाथ झा आ जयधारी सिंह, दुनू गोटेक निबन्धक स्वभाव समान रूप सँ पूर्वबोधापेक्षी छनि। 

               जहाँ धरि आलोचकक दायित्वक प्रश्न छैक, ओकरा लेल संप्रेषण सँ बेसी आवश्यक छै रचनाक मर्मक उद्घाटन। जँ कोनो मूल्यवान रचनाक, मानि लिय' जे सात तह छैक, तँ आलोचकक दायित्व छैक ओहि सातो तह कें बेराबेरी खोलि क' समक्ष आनब। कोनो आयाम बचल नहि रहि जाय, तकरा देखब ओकर दायित्व छैक, ने कि ई जे हुनकर लिखल बात सब कें समझ आबि जाइन। 

            एहि बातक विश्लेषण करैत जयधारी बाबू संस्कृतक एक सुभाषित कें एकाधिक ठाम कोट केलनि अछि जाहि मे सहृदय आलोचकक विशेषता कें रोचक ढंग सँ कहल गेलैए। श्लोक थिक-- 'कविता-रसमाधुर्यं कविर्वेत्ति न तत्कवि:।/ भवानीभृकुटिभंगं  भवो वेत्ति न भूधर:।।' कहल गेल छै जे कविताक रसमाधुर्य कें कोनो कविये बूझि सकैत अछि, मुदा ओ कवि तँ नहिये टा, जे एकरा लिखने छथि। मने जे कवि दू तरहक होइ छथि। एक, जे ई कविता लिखने छथि, आ दोसर ओ, जे कविता कें बुझलनि अछि। मने सातो तह खोलि क', सब आयाम मे। हम ओहि कवि कें द्वितीय स्थान देलियनि मात्र अइ लेल, जे आजुक पाठक कें समझ मे बात आबि सकनि। मूल सुभाषित मे हुनका प्रथम स्थान देल गेल छनि। आ, अलंकार मिला क' दृष्टान्त कते सटीक देने छथि, से देखियौ। पार्वती के भृकुटिभंग, मने कनखी कें महादेवे बुझि सकै छथि, ने कि पर्वतराज स्वयं जिनका कि पार्वती कें जन्म देबाक श्रेय छनि। बात तँ सही छै, कोनो स्त्रीक इशारा कें, चाहे ओ आनंदक हो कि रुष्टताक, ओकर प्रेमी बुझि सकैत अछि, जेना कि एतय महादेव। ओकर पिता, भने ओ जन्मदाताक गौरव धारण करैत होथि तैयो, ई बुझब पिताक बुत्ताक बात नहि थिक। 

           बड़का प्रश्न एतय ई छै जे सुभाषितकार स्वयं कवि कें एतेक अयोग्य किएक बुझै छथिन? हमर अनुमान अछि जे अयोग्य नहि, हुनको योग्ये बुझैत छथिन, मुदा दोसर अर्थ मे। पार्वती सन बेटी कें तैयार करब एकटा बड़ पैघ काज छियै। दोसरेक बेटी पार्वती किए नै भेलखिन जे हिनके बेटी भेलनि? योग्यता तँ छनि, पैघे छनि। मुदा एकर ई मतलब नै जे ओ पार्वतीक भृकुटिभंग कें सेहो बुझि जाथिन। ई हुनकर काज नहि छियनि। तात्पर्य ई छै जे लिखनिहार कवि कोनो एक आयाम कें बिचारि क' लिखने रहैत छथि। मुदा कविता जें कि एक कला थिक, ओहि कलारूप मे ई आयाम घटित होइते औरो और कते आयाम स्पर्शित भ' गेलैक, प्राय: तकर थाह स्वयं रचयिता कवि कें नहि रहैत छनि। सुभाषितकारक समाने जयधारी बाबूक सेहो ई मानब रहनि जे आलोचकक काज कवि सँ बेसी व्यापक काज छिऐक। 

            प्राय: यैह कारण थिक जे स्वयं प्राध्यापक होइतो जयधारी बाबू सब दिन मैथिलीक 'प्राध्यापकीय आलोचना' सँ असहमत रहलाह। साहित्यक तथ्य-सत्य बुझबाक लेल एहि पेशेवर लोकनि कें निहायत अक्षम मानलनि। एहि वर्गक सीमा कें देखार करैत आम पाठक सँ, आलोचको सँ, प्रश्न करैत छथि-- 'प्राध्यापकीय आलोचना मात्र मे कतेक दिन धरि घुरिआएल रहि जाएब, गनल-गूथल पाठ्यपुस्तक मात्र पर आलोचनाक आवृत्ति सँ मन कें अकछबैत रहि जाएब?' 

           रुचिक प्रश्न आलोचनाक एक प्रमुख पक्ष थिक। रमानाथ बाबू लिखलनि अछि जे कोनो आलोचक कोनो कवि कें कतेक प्रयोजनीय मानताह, से बात आलोचकक रुचि पर निर्भर करैत छैक। एहि बात मे जयधारी बाबू नब बात ई जोड़ैत छथि जे पाठकक रुचिक परिष्कार करब जँ आलोचकक एक महत्वपूर्ण कर्तव्य छैक, तँ ततबे महत्व एहू बातक अछि जे आलोचक अपनो रुचिक संवर्धन आ परिष्कार करैत चलथु। ई निश्चय एक व्यापक आ लोकतांत्रिक बात भेलैक। ओ मानैत छथि जे निरंतर नव-नव साहित्यक पठन सँ, पठनक अभ्यास सँ रुचिक संवर्धन आ परिष्कार होइत छैक। तहिना हुनकर इहो कहब छनि जे दू आरो प्रक्रिया सँ संवर्धन आ परिष्करण संभव होइत छैक-- अपूर्ववस्तु निर्माणक्षमा प्रज्ञा सँ, आ दोसर, संसारक व्युत्पत्ति सँ। संसारक व्युत्पत्ति सँ तात्पर्य छनि जे देश-विदेश मे जे किछु आइ घटित भ' रहल छैक तकर विश्लेषण करब। ई आम तौर पर आलोचकक ओते नहि जते कविक दायित्व मानल जाइत छैक। तहिना, जे अपूर्ववस्तु अछि-- आइ सँ पहिने कोनो कविक ध्यान ओहि वस्तु दिस नहि गेलनि अछि-- तेहन वस्तुक निर्माण करबाक क्षमता सँ परिपूर्ण प्रज्ञा। स्पष्ट रूप सँ ई सृजनात्मक लेखन केनिहार कविक कर्तव्य भेलै। मुदा, एक आलोचक सँ जखन ओ एहि गुण मे पटु हेबाक माँग करैत छथि, तँ निश्चित रूप सँ ई माँग आलोचना कें प्राध्यापकीय ढाँचा सँ बाहर निकालि एक सृजनात्मक विधाक दरजा देबाक माँग थिक। आगू मैथिली मे हमरा लोकनि देखल जे सृजनात्मक लेखन मे पटु लेखक-कविये बेसी नीक आलोचना लिखबा मे सफल भ' सकला। उदाहरण अनेको भेटि सकैत अछि। राज मोहन झा, भीमनाथ झा, कुलानंद मिश्र, हरे कृष्ण झा, अशोक, शिवशंकर श्रीनिवास आदि एकर स्पष्ट उदाहरण छथि। मुदा, जतय धरि एहि नव घटना कें पहिल-पहिल बेर विचारणीय बनेबाक प्रश्न अछि, तँ तकर श्रेय निश्चित रूप सँ जयधारी सिंह कें देल जेबाक चाही।

             एहि विषय मे एहने एक आर महत्वपूर्ण प्रश्न ओ प्राचीन बनाम आधुनिक कविता कें ल' क' उठौलनि अछि। एहि ठाम कविताक तात्पर्य समुच्चा साहित्यिक कार्य कें बुझबाक चाही। मैथिलीक प्राचीन काव्य दृश्य-श्रव्य (audio-visual) होइत छल। कवि अपन रचना दरबार मे सुनबथि कि गोष्ठी वा मंडली मे, हरेक मामला मे यैह होइक जे साक्षात रूप सँ ओहि प्रस्तुति कें देखल-सुनल जाइत छल। प्रिन्टिंग प्रेसक आविष्कारक बाद मामला पूराक पूरा बदलि गेल। आब श्रोताक बदला एक नव वर्ग आएल जकरा पाठक कहल गेल। कविता आब केवल सुनबाक, वा देखबा-सुनबाक वस्तु नहि रहल, ओ पढ़बाक वस्तु सेहो भ' गेल। आधुनिक कविता सँ एतय तात्पर्य मुद्रित कविता सँ छैक। जयधारी बाबूक ध्यान एहि ठाम दू स्थिति दिस जाइत छनि। एक तँ ई भेल जे पहिनेक भावात्मक हेबाक सीमा आब बौद्धिक हेबाक दूरी धरि व्यापक भ' गेल। पुस्तक द्वारा बौद्धिक ज्ञान-विनिमय सुविधाजनक भ' गेल। किन्तु दोसर जे भेल, से नकारात्मक छल। स्वयं हुनके शब्द मे 'सहज काव्यानुभूति सन सुलभ अनुभूति बासि ज्ञानमय पुस्तकस्थ वर्णन द्वारा अनेक स्थल मे कठिनतरे बनि' गेल।' एहना स्थिति मे, साहित्यकार (जाहि मे कवि आ आलोचक दुनू अबैत छथि)क दायित्व ई भ' गेल जे 'पुस्तकीयहु रचना कें ततेक प्रसादमय बना देथि जे पढ़लहु सँ ओएह आनंद भेटए जे श्रवण वा दर्शन सँ भेटैत रहल अछि।' मुदा ई दायित्व-निर्धारण करितहु जयधारी बाबू एहि बात सँ सशंकित छथि जे ई आसान काज नहि थिक। जीवनजगत आ तकरा सँग मानवीय सम्बन्ध स्वयं मे ततेक रहस्यमय अछि जे एकरा एक सीमे धरि आसान वा प्रसादगुणमय बनाओल जा सकैत अछि। तहिना प्रकृति, ओकर वाह्य आ अंतरंग रूप, तकर मानव-हृदय संग सम्बन्ध-- ई सब कथू साहित्यक विषय थिक जे बहुत आसान नहि, रहस्यमय हेबाक कारण क्लिष्ट आ संश्लिष्ट अछि। एहन स्थिति मे हुनकर ध्यान नवीनतम वैज्ञानिक आविष्कार सभक दिस जाइत छनि। आडियो रिकाॅर्डिंग, वीडियो रिकाॅर्डिंग आदिक उल्लेख करैत ओ नवयुगक आवश्यकता बतबैत छथि जे पुन: साहित्य कें जतय धरि संभव हो, पुन: दृश्य-श्रव्य माध्यमक द्वारा प्रस्तुत कयल जाय। एक एहन आलोचक, जे अपना कें 'समालोचक' कहबेनाइ अधिक सुविधाजनक मानैत छथि, रमानाथ झाक शिष्य छथि जे अपन प्राचीनताक प्रति पक्षपात कें अपन स्पष्ट सीमा मानैत रहथि, नवीन आविष्कृत माध्यम सभक द्वारा भाव आ ज्ञान दुनूक विनिमयक पैरवीकार छथि, स्पष्टत: ई हुनकर आधुनिकता छियनि, जकरा हुनकर स्पष्ट भविष्य-दृष्टिक पहचान मानि सकैत छियनि, जखन कि ठीक यैह बात साफ-साफ हुनक गुरु रमानाथ झाक लेल नहि कहल जा सकैत अछि।

                हमरा लोकनि अन्यान्यो ठाम, आनो आन प्रसंग मे हुनकर आधुनिकता आ भविष्य-दृष्टि कें देखि सकैत छी।

                  एहि पुस्तक मे विद्यापति पर लिखल हुनकर तीन टा निबन्ध प्रस्तुत कयल जा रहल अछि। तीनू अपन महत्व मे एका पर एक। एकटा निबन्ध छनि 'विद्यापतिक पद मे संगीतक सौरभ'। ई वस्तुत: एक रेडियो-वार्ता थिक, जकर प्रसारण आकाशवाणी, दरभंगाक 'सौरभ' कार्यक्रम मे दिनांक 8.1.1977 कें कयल गेल छल। एखने हमसब हुनकर आडियो-भिजुअल प्रस्तुतिक सम्बन्ध मे हुनकर विचार सुनि रहल छलहुँ। एहि निबन्धक खास बात ई अछि जे मूलत: श्रव्य (Audio) माध्यमक लेल लिखल गेल छल। एहि ठाम ओ देखबैत छथि जे विद्यापति-पदावलीक स्पष्टत: दू पक्ष अछि। एक पक्ष साहित्यिक अछि जे शब्द-अर्थ-शैली पर आधारित अछि। दोसर पक्ष अछि जे ई सांगीतिक राग-ताल-लय मे निबद्ध अछि, आ देशी राग-रागिणी मे गेयता रखैत अछि। तें, जखन ओ कहैत छथि जे कतबो अध्यवसायपूर्वक जँ हमरा लोकनि विद्यापति-गीतक विवेचन-विश्लेषण क' ली, तैयो वस्तुत: ई पचासे प्रतिशत मात्र गुण कें देखार क' सकत, अवशेष पचास प्रतिशत छुटले रहि जायत। ई बात बुझबा योग्य अछि। हमसब अवगत छी जे प्राचीन स्रोत सँ विद्यापतिक जतेक जे पद उपलब्ध अछि, सब ठाम राग-रागिणीक निर्देश कयल भेटैत अछि। परंपरा सँ इहो तथ्य श्रुत अछि जे जयत नामक एक कुशल गायक विद्यापतिक पद सब कें गाबि क' प्रस्तुत करैत छलाह। इहो बात जानिते छी जे लोचन देशी राग-रागिणीक विचारक क्रम मे जखन तालक निर्देश करैत छथि तँ दृष्टान्तक रूप मे विद्यापतिक पद कें उद्धृत करैत छथि। एहि ठाम जयधारी बाबू कहैत छथि जे स्त्रीगण लोकनिक विलंबित लय मे जे विद्यापतिक गीत गाओल जाइछ, ताहि मे आलापक अभाव, आ तालक अनियमितताक कारण संगीतज्ञ लोकनि असंतुष्ट रहैत छथि। एतय ओ किछु चयनित पद कें उठा-उठा क' विश्लेषण करैत छथि जे विद्यापति-गीतक सांगीतिक वैशिष्ट्य की सब अछि। स्वाभाविके जे ओहि पद सब कें ओ दुनू तरहें गाबि-गाबि क' प्रस्तुत करैत छथि, राग-ताल-लयाश्रित रूप मे सेहो आ स्त्रीगण लोकनिक विलंबित भास मे सेहो। एकर पूर्ण महत्व तँ तखने ख्यापित भ' सकत जखन एहि वार्ताक आडियो-रिकाॅर्डिंग हमरा सब कें भेटि जाय। ओ साफ कहैत छथि जे मिथिलाक लोक-भासक प्राण अछि सहजता, सरलता आ लोकसंवेदना। दृश्य-श्रव्यकलाक बदला जँ चाक्षुष कलाक बात करी तँ ठीक यैह विशेषता हुनका मिथिला चित्रकला मे सेहो देखाइत छनि। संगीतक संदर्भ मे ओ कहैत छथि जे 'जे संगीत शास्त्रीय अध्ययन नहि कयने छथि सेहो मैथिलानीक गीत सूनि भावात्मक आह्लादक अनुभव करैत छथि, प्रत्युत अधिक गंभीर रूप मे, अधिक अन्तर मे डूबल सन भ' जाइत छथि, एकाग्रता सँ सूनि सूनि कविक उद्देश्य जेना रहैत छैक, तहिना तहिना भाव उठय लगैत छनि।' एहि संग्रहक सीमा थिक जे गेय स्वरक कोनो अधिक तथ्यात्मक प्रतीक जें कि साहित्य मे प्रचलित नहि अछि, तें एहन स्थल पर 'सस्वर' मात्र लिखि क' संकेत क' देल गेलैक अछि।

            हुनकर एक निबन्ध छनि-- 'कीर्तिलता मे पुरुषक आदर्श'। एकर पहिल विशेषता तँ यैह थिक जे एतय ओ अपन गुरु आचार्य रमानाथ झाक स्थापनाक विरुद्ध अपन अभिमत व्यक्त करैत छथि। हमरा लोकनि अवगत छी जे विद्यापतिक पुस्तक-लेखनक पूर्वापर क्रम निर्धारित करैत रमानाथ बाबू हुनकर तीन कृति क्रमश: कीर्तिलता, गोरक्षविजय आ पुरुषपरीक्षा कें हुनकर परिणतवय, अर्थात पूर्ण परिपक्व अवस्थाक रचना मानलनि अछि। यद्यपि आन अनेक तथ्य, यथा कवित्वक काँचपन, कीर्तिलता कें विद्यापतिक परिणतवयक रचना मानबाक विरुद्ध जाइत अछि। मुदा, एकर उतारा दैत रमानाथ झा एकरा मध्यकालीन लिपिकार लोकनिक अयोग्यता सँ जोड़लनि अछि, जे कि साधारण साक्षर हेबाक कारण, आ अवहट्ठक भाषा-काठिन्यक दुआरे सेहो, एकर अशुद्ध प्रतिलिपि तैयार केलनि, जाहि कारण सँ ई कृति एक तँ दुरूह भ' गेलैक अछि, दोसर विद्यापतिक कवि-वैशिष्ट्य कें परखबा मे बाधा उत्पन्न करैत अछि। आन अनेक विशेषज्ञ जकाँ रमानाथ बाबूक विपरीत, जयधारी बाबू ई मानैत छथि जे 'कीर्तिलता' विद्यापतिक आरंभिक रचना छियनि। एहि लेख मे 'पुरुष'क जे आदर्श वर्णित भेलैक अछि, तकर चरम निदर्शन हमरा लोकनि कें 'पुरुषपरीक्षा' मे भेटैत अछि। वीरता कें विद्यापति पुरुषक अनिवार्यतम गुण मानैत छला। हुनकर स्पष्ट मान्यता रहनि जे 'धैर्यपूर्वक साहस करब वीरता थिक।' जयधारी बाबू विद्यापतिक अभिप्रेत कें स्पष्ट करैत कहैत छथि जे धैर्य आ साहस मे जे बाधा उत्पन्न करैत अछि से थिक फल पेबाक उत्कट प्रवृत्ति। 'फल दैवह आअत पुरिस कम्म साहस करिज्जइ' विद्यापतिक एहि उक्तिक आशय हमरा लोकनिक संस्कृति मे व्याप्त ई मान्यता थिक जे कर्म पुरुषक अधिकारिताक वस्तु होइछ जखन कि फल दैवायत्त, भाग्यक अधीन होइत अछि।

                  विद्यापति-विषयक सब सँ महत्वपूर्ण लेख छनि 'दुर्गाभक्तितरंगिणी : दुर्गापूजा पद्धति।' एहि ठाम ओ किछु एहन विशिष्ट दृष्टान्त राखि क' बात करैत छथि जे सर्वथा नवीन अछि, आ पैघो पैघ विद्यापति-विशेषज्ञ कें एहि बातक जानकारी प्राय: नहि छनि। निबन्धक आरम्भ बंगाली विशेषज्ञ डाॅ. शीतांशु शेखर बागचीक सँग भेल एक चर्चा सँ होइत अछि, जिनका सँ लेखक कें असंदिग्ध सूचना भेटलनि जे बंगाल मे जे आइ दुर्गापूजा होइत अछि से विद्यापतिक एही पद्धतिक आधार पर, जखन कि मिथिला मे एहि पुस्तकक सम्मान नहि अछि, मिथिलाक दुर्गापूजा एहि पद्धतिक आधार पर नहि होइत अछि। यद्यपि हमरा लोकनि अवगत छी जे मिथिलाक विद्यापति-विशेषज्ञ लोकनि कें सेहो बंगाल आ मिथिला सँ सम्बन्धित ई तथ्य बूझल रहनि। आचार्य रमानाथ झा आ पं. गोविन्द झा दुनू गोटे एहि तथ्यक उल्लेख अपन लेख सब मे कयने छथि आ एकरा लेल दुख व्यक्त कयने छथि। अस्तु, जखन जयधारी बाबू कें एक बंगाली विद्वान सँ उपराग-पुरस्सर ई सूचना भेटलनि तँ पहिल काज तँ ओ ई केलनि जे बंगाल दुर्गापूजा पद्धति मँगौलनि, आ दुर्भाभक्तितरंगिणीक पटल आ विधान सब सँ ओकर जाँच केलखिन। आजुक समय प्रचलित बंगला पद्धति पं. चिन्ताहरण चक्रवर्तीक लिखल छियनि। एहि पुस्तक मे एहि बातक कतहु उल्लेख नहि छैक जे ई पद्धति विद्यापतिक बनाओल छियनि, अथवा एकर आदि प्रायोजक विद्यापति छलाह। मुदा, जयधारी बाबू ई पौलनि जे हँ, सही मे बंगाली पद्धति विद्यापतिक दुर्गाभक्तितरंगिणी सँ पूरा मेल खाइत छैक। मधुबनी ड्योढ़ी मे प्रत्येक वर्ष दुर्गापूजाक आयोजन उत्सवपूर्वक होइत एलैक छैक। हुनका ख्याल एलनि जे एहि ड्योढ़ीक पूजा कोन पद्धति सँ होइत छैक, तकर जाँच कयल जाय। पूजाक भंडारघर मे कपड़ाक पोट मे पद्धति बान्हि क' राखल जेबाक नियम रहैक। जखन ओहि पोट कें ओ खोलि क' देखलनि, ओहि मे तीन गोट पोथा रहैक। हालपोथा नागरी लिपि मे लिखल छल, जखन कि सब सँ पुरान पोथा तिरहुता मे, जाहि पर लिपिकारक नामोल्लेख सेहो रहैक। ताहि मोताबिक समय-निर्धारण केलनि जे सब सँ पुरान पोथा सवा सय वर्ष (आजुक हिसाब सँ पौने दू सय वर्ष) पहिनेक लिखल छलैक। ओकरा देखलनि तँ प्रथमे पृष्ठ पर हुनका उल्लिखित भेटलनि जे ई पद्धति विद्यापतिक आधार पर बनाओल अछि, जखन कि तकरा बादक बनाओल दुनू प्रतिलिपि मे विद्यापतिक उल्लेख नहि कयल गेल रहैक। जयधारी बाबूक ई खोज कते भारी खोज छलनि, से आइ हमसब बूझि सकैत छी। एहि सँ ई स्थापित होइत छलैक जे नहि, मिथिला मे प्रचलित समस्त पद्धति मे विद्यापतिक उपेक्षा कयल गेल होइन, ई बात सही नहि अछि। एहि पुस्तक मे संगृहीत निबन्ध मे दुर्गापूजाक पटल आ विधान सभक विस्तृत चर्चा भेलैक अछि। कालान्तर मे विद्यापतिक पद्धतिक उठाब किएक मिथिला मे भ' गेलैक, तकर मूल कारण जयधारी बाबू शाक्त तंत्र कें मानैत छथि। वाममार्गीय पद्धति विद्यापतिक पद्धति सँ भिन्न छैक, आ सैह मिथिला मे बेसी प्रचलित रहल। मुदा, कौलिक विधानपूर्वक जतय कतहु दक्षिणमार्गीय पद्धति सँ दुर्गापूजा होइत छैक ततय आइयो विद्यापतियेक मार्ग कें अपनाओल जाइछ, कारण देवीपुराण, मत्स्यपुराण, लिंगपुराण, कालिकापुराण, भविष्यपुराण आदि मे जतय कतहु दुर्गापूजाक विधान छैक, तकरा विद्यापति सेहो प्रमाणक रूप मे दुर्गाभक्तितरंगिणी मे उल्लेख कयनहि छथि।

              एहि पुस्तक मे तीन गोट निबन्ध सिद्धसाहित्य पर सेहो छैक। एहि तीनू कें एक संग देखने ओहि युगक सम्पूर्ण चित्र आँखिक सोझा आबि जाइत छैक। एक निबन्ध मे ओ सिद्ध लोकनिक दार्शनिक विवेचना कयने छथि। एहि ठाम वज्रयानी सहजमार्गी लोकनिक सामाजिक दर्शन तथा रहस्यमय साधना-पद्धतिक सेहो उल्लेख कयने छथि। यथावसर ओ सिद्ध लोकनिक काव्यभाषा, जकरा सन्ध्याभाषा अथवा सन्धाभाषा कहल जाइछ, के अर्थ-प्रक्रिया पर सेहो गप केलनि अछि। सिद्धसाहित्यक तीनू भेद-- डाकार्णव, दोहाकोश एवं चर्यागीत-- पर विस्तृत रूपें प्रकाश देल गेलैक अछि। जयधारी बाबूक ई तर्क जे बौद्ध तंत्र लुप्त नहि भेल, अपितु ज्ञान-साधना आ सन्तसाहित्यक जे आगामी प्रक्रम सब घटित भेल, ओहि मे अपना कें निमज्जित क' देलक, उदार हृदय सँ विचारित एक सटीक तथ्य थिक। अपन निबन्ध सब मे ओ देखौलनि अछि जे कोना ओहि समयक मैथिली साहित्यक इतिहास, केवल मिथिलेक नहि, सम्पूर्ण पूर्वांचलीय प्रान्तक भावना आ बौद्धिकताक इतिहास बनि जाइत अछि। एक ठाम तँ ओ एतय धरि कहि जाइत छथि जे महाकवि विद्यापति मैथिलीक उपकार भने जते कयने होथि, अपकारो कम नहि केलनि अछि। अपकार एहि अर्थ मे जे हुनका सँ पहिने जे मैथिली काव्य-परम्पराक ठाठ छल, ताहि पर सँ लोकक ध्यान विद्यापतिक व्यामोह मे हटि गेलनि। ओ जोर द' क' आग्रह करैत छथि जे समस्त मैथिलीभाषी कें, मैथिलीक एहि महान धरोहर कें बेर-बेर पढ़बाक चाही, मनन आ विचारण करबाक चाही।

              'मातृभाषाक माध्यम सँ शिक्षा: मैथिलीक सन्दर्भ मे' निबन्ध एक ऐतिहासिक महत्वक काज थिक। हमसब जनैत छी जे मिथिला-क्षेत्र मे कार्यरत विद्यालय सब मे मातृभाषाक माध्यम सँ प्राथमिक शिक्षा नहि देल जाइत अछि। मातृभाषा मैथिलीक माध्यम सँ शिक्षा देल जाय, एहि लेल हमर पुरखा लोकनि बहुतो वर्ष सँ संघर्ष करैत एलाह अछि। आइयो संघर्ष जारिये छैक। हमरो पीढ़ीक मैथिली आन्दोलनी लोकनि एहि दिशा मे अथक प्रयास केलनि अछि, एतय धरि कि बादोक। हमसब इहो जनैत छी जे ब्रिटिश अधिकारी हेबाक बादो जाॅर्ज ग्रियर्सन वर्नाकुलर पाठ्यक्रम मे मैथिली कें शामिल करबाक लेल अथक संघर्ष केलनि आ एहि क्रम मे अभूतपूर्व डाॅक्यूमेन्टेशनक काज केलनि। हम बुझैत छी जे मिथिला आ मैथिलीक लेल जे हुनका ममत्व रहनि तकर कारण हुनकर आइरिश मूलक होयब छल, कारण हुनकर मातृभूमि आयरलैंड तहिना ब्रिटेनक एक उपनिवेश छल जेना हमरा सभक भारत रहय। जयधारी बाबूक एहि निबन्ध मे तकर बादक, एकर आदिम इतिहास बताओल गेल अछि, जे कि कम्मे लोक कें बूझल हेतनि। आजादी सँ पहिनहि, सन् 1939 मे सरकार बिहार शिक्षासुधार समितिक गठन कयने छल, जकर उद्देश्य मातृभाषाक पहिचान करब छल जकरा माध्यमें बच्चा कें प्राथमिक शिक्षा प्रदान कयल जाय। एहि समितिक दू प्रमुख हस्ती डाॅ. अमरनाथ झा आ डाॅ. राजेन्द्र प्रसाद छला। एहि दुनू महानुभावक प्रतिद्वन्द्विता कोन तरहें चलैत छल, तकर दृष्टान्त हिन्दी साहित्य सम्मेलनक अध्यक्ष पदक हेतु कयल गेल निर्वाचन थिक, जाहि मे डाॅ. झा भारी बहुमत सँ डाॅ. प्रसाद कें पराजित कयने छला। अस्तु, 7 मार्च 1939 कें बिहार शिक्षासुधार समितिक बैसार मे सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल छल जे बंगाली लोकनिक लेल बंगला तथा मैथिल लोकनिक लेल मैथिली प्राथमिक शिक्षाक माध्यम रहत। एकर अगिला बैसार मे कोनो कारणें डाॅ. झा उपस्थित नहि रहि सकला, आ डाॅ. प्रसाद मैथिलीक निर्णय कें बदलि क' हिन्दी क' देलनि। एकर विरोध मे जे डाॅ. झा असहमतिपत्र लिखने छला तकरा उद्धृत करैत जयधारी बाबू कैक गोट महत्वपूर्ण तथ्य रखने छथि। आजादीक बाद 1949 मे बिहार सरकार सैद्धान्तिक रूप सँ स्वीकार क' लेलक जे मैथिली, मिथिला-क्षेत्रक विद्यालय सब मे प्राथमिक शिक्षाक माध्यम रहत। ताहि दिन सँ आइ धरि एहि सैद्धान्तिक स्वीकृति कें व्यवहार मे उतारबाक संघर्ष चलि रहल अछि। एहि संघर्षक एक प्रमुख योद्धा डाॅ. जयकान्त मिश्र भेलाह। जयकान्त बाबूक एक प्रमुख सहयोगीक रूप मे काज करैत जयधारी बाबू, एहि संदर्भित जे किछु अख्यास केलनि तकरा एहि निबन्ध मे देखल जा सकैत अछि।

            संग्रह मे किछु सांस्कृतिक निबन्ध सब सेहो अछि, जाहि मे मिथिलाक चित्रकला, संगीत, नृत्य आदिक विश्लेषण कयल गेल अछि। मिथिलाक लोककलाक आयाम सभक विवरण दैत महत्वपूर्ण बात ओ कहैत छथि जे विविध कलावस्तुक विन्यास के जे घटक सब अछि, विषय-प्रतीक-बिम्ब आदि, से की कहैत अछि, ओकर सूक्ष्म अभिप्राय की छैक, एहि विषय मे निरंतर शोध करबाक आवश्यकता छैक-- 'प्रयोजन अछि ओहि अनुसन्धान-दृष्टिक जे गाम घरक समस्त हस्तकला मे जहिना कलात्मक सर्जनाक रुचिरतम नमूना तकैत अछि तहिना समस्त संस्कार-निष्ठ जीवनक दार्शनिक ऊर्जाक रुचिरतम संकल्प-शक्ति।' एहि ठाम ओ इहो कहैत छथि जे समाज कलाक सुन्दरता सँ तँ मुग्ध होइत अछि, मुदा अधुनातन वैज्ञानिक विधि सँ विश्व-कलाक बीच मिथिला-कलाक प्रतिष्ठापन कयल जाय जाहि सँ एकर सौरभ संसार भरि मे पसरय, तकरा दिस बौद्धिको वर्ग कें उद्यमशील नहि देखैत छथि। प्रसिद्ध लेखक बच्चा ठाकुर जखन सौराठ मे प्रशासनिक अधिकारीक रूप मे पदस्थापित रहथि तँ 'मिथिला ललित संग्रहालय-सह-शोध-संस्थान'क स्थापना कयने रहथि। एहि मे जयधारी बाबूक सहयोग तँ रहबे करनि, किछु समय धरि ओ एहि संस्थाक निदेशक सेहो रहला। बाद मे जखन एहि संस्थानक सरकारीकरण भेल तँ एकर नाम 'मिथिला ललित संग्रहालय' क' देल गेल। एहि प्रकारें देखैत छी जे जाहि दिस समाजक प्रवृत्ति नहि अछि, से काज जँ क्यो शुरू केलनि तँ देखल गेल जे ओहि दिस सरकारोक प्रवृत्ति नहि अछि। जयधारी बाबू लिखैत छथि-- 'खेदक विषय थिक जे भारतवर्ष सँ बाहर कलाकृति सभक रहस्यपूर्ण अर्थ सभक अनुसंधान भ' रहल अछि, किन्तु देशक अपन सीमा मे, ताहू मे बिहार राज्यक सीमा मे शिक्षा-क्षेत्रक ह्रासक संगे स्नातकोत्तर-अनुसंधानहुक स्तर मे ह्रासे ह्रास देखल जाइत अछि।'

           तहिना, एक निबन्ध मे मैथिली लोकगीतक प्रकार सब पर चर्चा करैत कतेको मूल्यवान गप कहि जाइत छथि। रागतरंगिणी मे कामोद रागिणी मे निबद्ध एक गीत भेटलनि जाहि मे 'गे माई' लागल छल। तात्पर्य जे एकहि गीत कें भिन्न-भिन्न भास मे गेबाक स्वतन्त्रता गायक-गायिका लोकनि कें अपन परम्परे सँ भेटल छलनि। विशेषत: शिवगीतक प्रसंग मे ई तथ्य अधिकाधिक प्रचलित भेटैत अछि। अपने ओ एकहि गीत कें अलग-अलग भास मे गाबि क' रेडियो पर सुनौने रहथिन। एहि निबन्ध मे मिथिला-संस्कृतिक अनेक विलक्षणता सब ठाम-ठाम उल्लिखित केलनि अछि। जेना, कृष्णक वियोग मे जखन गोपिका लोकनिक व्याकुलताक वर्णन मैथिली लोकगीत मे होइत अछि तँ 'प्रियतमहुक वियोगक परिकल्पना मे बेटीक सासुर जाएब सन अनुभूति परिकल्पित भेल अछि-- नारी कोमल हृदयक होइत छथि, सब सँ अधिक करुणा अपन जातिक रहबाक कारणें कन्याक वियोगहि मे होइत छनि, तें औपम्य भाव सँ कोनहु परिस्थिति मे पुरुषहुक वियोग मे ओहने उदास मन। वैह उदासी धुन।' एक ठाम कहैत छथि जे एहि संस्कृति पर एकेश्वरवादक गँहीर प्रभावक कारणहि सँ ई देखल जाइछ जे देवता कोन्नहु होथि, ओ परमात्मेक अवतार मानल जाइत छथि। फलस्वरूप सलहेसक प्रति मैथिल लोकनि तहिना श्रद्धालु पाओल जाइत छथि जेना रुद्रक प्रति, एतय धरि जे मोहर्रमक ताजियाक प्रति सेहो ताही प्रकारक भावना रहैत छनि। एक ठाम अणिमा सिंहक संचयन 'मैथिली लोकगीत'क बारे मे रवीन्द्र भारती विश्वविद्यालयक तत्कालीन कुलपति रोमा चौधरीक कथन उद्धृत करैत बतबैत छथि जे लोकगीत तीन तरहें मनुख कें समृद्ध बनबैत अछि-- बुद्धिक प्रखरता, संवेगात्मक स्फूर्ति, आ संकल्पात्मक स्फूर्ति। 

           मिथिलाक अपन विशिष्ट नाट्यपरंपरा कीर्तनिञा पर एहि ठाम एकाधिक निबन्ध अछि। कीर्तनिञा नाच छल की नाटक, एहि विषय पर चलल विवाद कें सार रूप मे प्रस्तुत करैत जयधारी बाबू स्पष्ट करैत छथि जे मूलत: कीर्तनिञा नाच छल, मुदा फरमाइस भेला पर नाटक सेहो करैत छल। दरबारी दास आ विश्वनाथ मिश्रक नाच देखबाक हुनका अवसर भेटल छलनि, जकरा ओ मिथिलाक शास्त्रीय प्रकारक नृत्य मानैत छथि, ओतहि लोरिक, सलहेस, जट-जटिन आदि लोकनृत्य थिक। उमापतिक कीर्तनिञा नाटक 'पारिजातहरण'क भावपक्ष पर विस्तार सँ विश्लेषण करैत एहि निष्कर्ष पर पहुँचैत छथि जे नाटकक प्रधान रस सँ ल' क' संपूर्ण वातावरण भने शृंगारिक रहौक, मुदा नाटकक दौरान ई स्मृति सदा बनल रहैत अछि जे कथा वस्तुत: भगवानक भ' रहल छनि, अत: एहि भावना सँ कीर्तनिञाक वस्तु मे व्याप्त शृंगारक भीतर भक्ति सन्हिआयल भेटत। कवि हर्षनाथ झा कें एहि कीर्तनिञा परंपराक सबल उत्तराधिकारी मानैत हुनकहु पर एक निबन्ध एतय देल गेल अछि।

             एहि निबन्ध मे सँ बहुलांश एहन रचनाक अछि जे एखन धरि अप्रकाशित छल। साठि-सत्तर वर्ष पहिने जयधारी बाबू अपन हस्तलिपि मे जे लिखने रहथि, से सीधे एहि संकलन द्वारा प्रकाशक मुँह देखि रहल अछि। एते दिन धरि एहि कागज सभक संरक्षा क' सकब सेहो अपना मे एक विशिष्ट सांस्कृतिक परंपरा थिक। हम हुनकर परिवारक संग कथाकार अशोक कें सेहो साधुवाद दैत छियनि जे एहि दिशा मे प्रयत्नशील रहला, जाहि उद्यम सँ ई वस्तु सब प्रकाशित भ' सकल।

           1957-58 मे, जखन कि जयधारी बाबू आचार्य रमानाथ झाक गहन संपर्क-सामीप्य मे छला, शृंगारिक भक्तकवि गोविन्द दास पर 'गोविन्द-काव्यालोक' नाम सँ एक पुस्तिका लिखने छला। ओहि समयक चहल-पहल सँ मैथिलीक विद्वान लोकनि अवगत छथि, आ पं. गोविन्द झाक मोनोग्राफ 'गोविन्द दास' मे ओहि विषयक पर्याप्त संकेत सेहो देल गेल छैक। चहल-पहल ई जे चैतन्य भक्ति-धाराक एक महान कवि, जे मिथिला मे जनमल तँ जरूर छला, मुदा शिक्षा ग्रहण करय जे नवद्वीप गेला तँ ओतहिक भ' रहला, कहियो घूरि क' मिथिला नहि एलाह, ओहि भक्तिधाराक विशिष्ट भाषा ब्रजबुलि मे काव्य-रचना केलनि आ ओहि भक्तिपरंपराक एक महान साधकक रूप मे बंगाली जनमानस मे आदृत रहथि। नगेन्द्रनाथ गुप्तक संपर्क मे अयला पर जखन चन्दा झा एहि रचना सब सँ परिचित भेला तँ मुद्रित पदावली सँ गोविन्द दासक पद सब उतारि लेलनि। हुनकर हस्तलिपिक प्रतिलिपि डाॅ. अमरनाथ झा तैयार केलनि, आ रमानाथ झा ओकरा 'साहित्य-पत्र' मे 'शृंगार भजन' कहि छापि देलनि। एहि पाँच सय वर्ष मे मिथिला मे गोविन्द नामक कवि तँ कैक भेला, मुदा ओ समस्त कवि सब एहि गोविन्द दास सँ भिन्न लोक रहथि।  प्राचीन संग्रह सब जेना लोचनक रागतरंगिणी, वा नेपालक भाषागीत-संग्रह आदि मे कत्तहु गोविन्द दासक पद संकलित नहि भेटैत अछि। हुनका मैथिल कवि सिद्ध करब, आ चैतन्य-धारा सँ तोड़ि मिथिलाक भक्ति-धारा मे समाहित करब मैथिलत्वक लेल जेना जातीय अस्मिताक प्रश्न बना देल गेल। बंगाली लोकनि जेना विद्यापति सँ मोह तोड़ि लेलनि तहिना गोविन्द दासहु सँ तोड़ि लेथु, ई ध्येय-वाक्य छल, जखन कि गोविन्द दासक जन्मे टा मिथिला मे भेल रहनि, सौंसे जनम बंगाल मे रहला आ ओतहि यश आ श्रद्धा पौलनि। एम्हर मिथिला मे हुनका क्यो जनैतो नहि रहनि।

              जयधारी बाबूक एहि पुस्तिका पर एहि चहल-पहलक पर्याप्त छाया छनि, जखन कि अपना कें ओ काव्यशास्त्रीय विश्लेषण धरि सीमित रखने छथि। विश्लेषण जँ शास्त्रीय हो, भने काव्यशास्त्र सँ शासित हो वा समाजशास्त्र वा मानवशास्त्र सँ, ओकर एक तटस्थता, एक वस्तुपरकता होइत छैक, जे कि एक नीक बात थिक। स्थिति असहनीय भ' जाइत छैक तखन, जखन दोसर-दोसर इतिहासकार आ आलोचक लोकनि गोविन्द दास कें निछच्छ शृंगारिक कवि घोषित करबा पर तूलि जाइत छथि, तहिना जेना विद्यापति कें भक्तकवि साबित करबा पर। अरे महराज, एते सय वर्षक बाद अहाँ हुनका अपना रहल छियनि, अपनाउ। मुदा, हुनकर परिचिति कें तँ जीवित रहय दियौ। जे आदमी अपन संपूर्ण जीवन भक्ति कें समर्पित क' देलनि, हुनका अहाँ कहि रहल छियनि जे नहि, ई तँ घोर शृंगारिक छला। किएक? केवल एहि दुआरे जे हुनका माॅडल बला भक्ति कें स्थान देबाक लेल अहाँक संस्कृति मे वा परंपरा मे कोनो जग्गह नहि अछि। अपनाउ तँ एना अपनाउ जेना कि वास्तव मे ओ रहथि। निश्चय अछि जे ओ भक्त रहथि। ओ शृंगारिक गीत लिखलनि, तकर कारण जे हुनकर भक्ति-संहिता मे भक्तिक यैह प्ररूप मान्य छल, श्रेण्य छल, जकरा लेल अपन स्वतंत्र काव्यशास्त्र धरि लीखल गेल।

                'गोविन्द-काव्यालोक' बहुतो दिन सँ अलभ्य बनल छल। एहि ठाम ओकरा शामिल क' लेने सँ शोधार्थी लोकनिक बेस उपकार हेतनि, से विचारि परिशिष्ट मे ओकरा देल जा रहल अछि।

                जयधारी बाबू गँहीर शास्त्रज्ञ तँ रहबे करथि, विद्या-संसर्गे कें अपन संपूर्ण जीवन समर्पित क' देलनि। हुनका लग अहाँ आउ तँ कने झुकि क' कने जिज्ञासु भ' क' आउ। छुद्र आ उत्थर सोचक लेल हुनका लग कोनो जगह नहि छनि। हुनका लग आउ तँ तेना आउ जेना लोक ज्ञानक मंदिर मे प्रवेश करैत अछि। एतद्धि।

                              -तारानंद वियोगी

                           पटना, 10 जुलाइ, 2026

        

       

             

             

Saturday, June 27, 2026

19 जून: स्मृति राजकमल



तारानंद वियोगी


उन्नीस जून की तारीख आती है, और हमारा पूरा इलाका ग़म में डूब जाता है। इस भारी अफसोस के साथ कि उनके जीते जी हम उन्हें पहचान नहीं सके। विदा होने के पहले उन्होंने देर तक आवाज लगाई थी, मगर कहीं से कोई जवाब नहीं आया। नागार्जुन ने 'जनयुग' साप्ताहिक के अपने स्तम्भ 'यत्किंचित्' में तीस जून 1967 को यह जो लिखा था कि '19 जून को राजकमल चौधरी का देहावसान हो गया।... दर-असल वह ज्यादा जीना भी नहीं चाहता था।' -- राजकमल से बेहद जुड़े होने के बावजूद उन्होंने आधा ही सच लिखा था। आदमी की भी क्या नियति है! जिससे बेइंतहा नफरत करता है, यह भी साथ-साथ चाहता रहता है कि वह आकर मना ले। राजकमल अपने पिता से नफरत करते थे, लेकिन पिता के लिए ही तड़पते हुए मरे। मातृहीन उस बच्चे की कल्पना करें जिसके आदर्श उसके पिता हैं, लेकिन वह पिता को ही तोड़ डालना चाहता है। मरते वक्त उनकी आयु अड़तीस के करीब थी, लेकिन भीतर वही एक बच्चा था जो प्यार के लिए तड़पता रहा था। उनका लिखा जो भी साहित्य आज हमें उपलब्ध है, कह लें कि वह इस सबके 'बावजूद' है।

                 राजकमल ने हिन्दी और मैथिली में जो भी कुछ लिखा, अपने लिखे को उन्होंने कभी पढ़ा तक नहीं। लगा कि बात जम गयी है, तो लिफाफे में बन्द कर संपादक को भेज दिया, नहीं जमी लगी तो फाड़कर फेक दिया। अपने ही लिखे को पढ़ने तक की फुरसत जिसे नहीं हो, वह बेचैन आत्मा उनके भीतर थी। मुश्किल से आठ साल का समय उन्हें मिला, इसी में उन्होंने अपने लिखे से हाहाकार मचा दिया, जिसे कुछ लोग चकाचौंध भी कहते हैं।उन्हें निकट से देखने वाले उपेन्द्र चौधरी ने मुझे दावे से बताया था कि पच्चीस-तीस साल उन्हें अगर मिल जाते तो रवि ठाकुर के बाद वह दूसरे लेखक होते जो नोबेल जीत सकता था।

                 जीवन को देखने का उनका नजरिया बिलकुल ही अलग था। तमाम दृश्यों के बीच जो केन्द्रक काम कर रहा होता, वह सीधे उसी को पकड़ते थे। लेखकों को आम तौर पर इसकी आदत नहीं होती। वे दृश्यावलियों में उलझकर रह जाते हैं। दृश्य यदि तमाम वर्जनाओं से भरे मिलें तो जाहिर है, वे नाराज होते, हल्ला मचाते, लेकिन यह भी स्वीकार नहीं कर सकते थे कि वे असल में समझ ही नहीं पाए। राजकमल के लिए साथी लेखकों से कहीं ज्यादा उनके पाठक मूल्यवान थे। यह बात उन दिनों भी बहुत-से लोगों ने कही थी, और आज भी कहते हैं कि वह समय के काफी पहले आ गये थे। आप उस वर्तमान की कल्पना करें जिसमें भविष्य आकर विचरण कर रहा हो, और समूचे आभामंडल को चकाचौंध में डाल देता हो।

               राजकमल का लगभग समूचा कथा-साहित्य स्त्री-पुरुष सम्बन्ध के बारे में है। एक ऐसा विषय जिसकी चर्चा जाने कितने पहले से होती आई है, और न जाने कबतक होती रहेगी। सभी मानेंगे कि यह एक गहन विषय है। स्त्री-विमर्श का तब कोई चलन नहीं था। कहना चाहिए कि वह लगभग उसी त्वरा में स्त्री की ओर से बोल रहे थे, जैसे मिथिला के विद्यापति कभी बोले थे। उन्होंने मानो आँखों में उँगली डालकर यह दिखाने की कोशिश की कि चाहे सम्भ्रान्त घर की बहुएँ हों या सोनागाछी की वेश्याएँ, दोनों समान रूप से संतापित हैं। मर्दवादी सोच कितनी छिछली होती है, अर्थतन्त्र किस तरह मानवीय सम्बन्धों को तहस-नहस करता है, सामन्तों ने बाद को नेता का भेस धरकर किस तरह भारत की आत्मा को खोखला किया-- कितनी ही बातें हैं जो उन्हें मथित किये रहती थीं। ढहते सामन्ती अवशेषों को उनकी मैथिली कहानियों में बहुत प्रामाणिकता के साथ सुना जा सकता था।

           भारतीय स्वतंत्रता संग्राम के जो महान आदर्श थे, उसने दूर तक राजकमल के कविव्यक्तित्व को प्रभावित किया था। लेकिन, उन आदर्शों के टूटने बिखरने की धमक राजकमल की तमाम कविताओं में पाई जाती है। इसलिए उनका जो कवितावाचक है, वहां एक टूटन भी है और दिशाहारापन भी, भले ही वह दुनिया को बदल डालने की मंशा रखता है। राजनीति उनकी कविताओं का एक जरूरी एंगल है। यह अलग बात है कि उनमें विचारधारागत स्पष्टता का अभाव है। यह हमें उनकी हिन्दी कविताओं में ज्यादा साफ दिखता है। अपनी मैथिली कविताओं में वह एक उप राष्ट्रीयता भी रखते पाये जाते दीखते हैं, जो कि उनका मैथिलत्व है। राजकमल का कवितावाचक एक बौद्धिक युवा है। यह मैथिली के लिए नई चीज थी। यात्री का कवितावाचक ग्रामीण किसान था। 

             अपनी जिस आवेगभरी भाषा के लिए वह जाने जाते हैं, वह गद्य और कविता दोनों में ही अपना कमाल दिखाती है। सामाजिक सरोकार उनकी कहानियों में ज्यादा स्पष्ट हैं। सामंतवाद का विरोध भी, और लैंगिक गैरबराबरी के खिलाफ गुस्सा भी। कहानियों के विषय उन्होंने ऐसे चुने जो समकालीन साहित्य की एक बड़ी रिक्ति भरते थे, और पाठक को एक नये संसार के सामने ला खड़ा करते थे। एक ऐसा संसार, जिसके बारे में या तो वह बहुत कम जानता होता था, या फिर इस तरह कभी सोचा तक नहीं होता था। 

      राजकमल की कही वह बात मुझे नहीं भूलती कि इतने लोगों ने इतने समय से, इतनी भाषाओं में कहानियां लिख लीं और लिख रहे हैं कि नया या मौलिक कथानक तो अब हमें मिलने से रहा। अपनी अज्ञानता में मौलिकता का दंभ हम चाहे लाख भर लें। अब तो शैली ही एक बच गयी है जो हमें अपने समकालीनों में अलग दिखा सकेगी। अपनी आवेगमयी भाषा में शैली का उन्होंने ऐसा चमत्कार रचा कि उन लोगों की बात को यूं ही उड़ा देना आसान नहीं है, जो राजकमल को कहानीकार के रूप में ज्यादा सफल पाते हैं। शैली को लेकर यह कहने की हिम्मत करना भी राजकमल जैसे रचनाकार के लिए ही संभव था, जिनके पास कन्टेन्ट मँडराए फिरते थे।


                 

Wednesday, June 10, 2026

यात्री नागार्जुन आ मैथिली

 यात्री नागार्जुन आ मैथिली


तारानंद वियोगी


हुनकर पूरा नाम रहनि-- वैद्यनाथ मिश्र विद्यार्थी वैदेह यात्री नागार्जुन बाबा। ई लंबा नाम कैक-कैक युगक प्रतिनिधित्व करैत छल।आम तौर पर लोक बड़ बेसी भेल तँ अपना युगक प्रतिनिधि होइत अछि। मुदा यात्री अपन मेधा,उद्यम, क्रियाशीलता आ अध्यवसाय सँ कैक युग मे अपन प्रवेश संभव बना लेने रहथि। बीसम शताब्दीक मिथिला मे हुनका सन ने क्यो सिद्ध यायावर भेला ने एहन साहित्यकार, जे अपना युगक बाद आब' बला हरेक युग कें प्रभावित केलखिन, दिशा-निर्देश केलखिन। हमरा एतय कवि भीमनाथ झाक किछु काव्यपंक्ति मोन पड़ैत अछि जे ओ महाकवि यात्री पर लिखने छथिन-- 'नहि कहैत छी, अहाँ युगक साहित्य-विधायक/ नहि कहैत छी, अहाँ एहि पीढ़िक छी नायक/ नहि कहैत छी युगक क्रान्तिकारी कवि-पुंगव/ नहि कहैत छी, अहाँ विरोधी छी अन्यायक/ एहन-एहन सब युग मे क्यो-ने-क्यो छथि अबिते/ सब युग मे युगपुरुष कहबिते रहला क्यो-क्यो/ युग-युग धरि नहि जोति जकर कम हैत कनेको/ अही युगक युगपुरुष कोना ओ? भने कहओ क्यो...' एहि दू बन्धक कविता मे जाहि-जाहि विशेषताक बारे मे कवि 'नहि कहैत छी' लगा क' बात केलनि, ई सबटा गुण तँ यात्री मे छलनिहे, एहि सँ बेसी जे छलनि जकर व्याप्ति युग-युग धरि बनल रहत, तकरे गप करब एतय कविक मूल अभिप्राय छनि, आ सैह गप एतय हमहूँ कहि रहल छी।

                मैथिली साहित्य कें जे चीज ओ देलखिन से की छल? पौराणिकता आ कविरूढ़ि कें कात हटा क' एहन दुनिया कें ओ साहित्य मे प्रतिष्ठित केलखिन, जेहन कि ओ वास्तव मे हमरा सभक चौबगली मौजूद अछि। जँ समाज मे कोनो रोग अछि तँ ओकरा झाँप-तोप करबाक बदला ओकरा देखार केलखिन जाहि सँ एकर समाधान निकलय। अतीतमुखी दृष्टि भेने आ केवल चर्वित-चर्वण कयने कोनो समाजक भलाइ नहि भ' सकैए, अपन दृष्टि कें भविष्यमुखी बनायब अपरिहार्य अछि, ई हुनक कहब छलनि। ई दृश्यमान जगत मिथ्या नहि थिक, आ ने माया। ठीक एकर उनटा यैह जगत टा सत्य थिक। जगत मे जे किछु परिघटना होइ छै, सभक जड़ि मे कार्य-कारण सम्बन्ध रहैत छैक। विश्वक उन्नति तखने टा संभव जँ समस्त जनता, मने गरीबी रेखाक भीतर आब' बला जनता सेहो, सुखी रहतैक। हमर एक एहन समाज बनय जे एक्कहि संग लोकतांत्रिक, समता आ बन्धुतापूर्ण आ वैज्ञानिक दृष्टि सँ पूर्ण हो। यैह मानवताक परम लक्ष्य थिक, यैह भारतीय स्वतंत्रता संग्रामक जीवित आदर्श सेहो थिक, आ ठीक यैह हमर आगामी युगक साहित्यक सेहो लक्ष्य थिक। अहाँ चाही तँ एक परीक्षण क' सकैत छी। जेना फल्गु नदीक ऊपर बालु कें कनेके खोदने जलक स्रोत देखाय लगैत अछि, अहाँ एकैसम सदीक कोनो मैथिली लेखकक कोन्नो रचना उठा लिय'। कनेके खोदने ओहि मे यात्री-धाराक स्रोत देखार पड़य लागत।

                मैथिली साहित्य मे आधुनिकताक प्रवर्तन कहिया आ कोना भेल, एहि पर बहुत विवाद छै। विवादक मुख्य कारण छै जे विद्वान लोकनि स्वयं साहित्ये कें साध्य मानि क' निर्णय कर' लगैत छथि। साहित्य स्वयं मे कोनो साध्य कोना भ' सकैत अछि? तखन लोक ओकरा पढ़त किए? तखन ओकरा सँ कोनो उम्मेद कोना कयल जा सकतै? साहित्य एक साधन थिक-- अखिल मानवता कें किछु आर पुष्ट करबाक, जेहन ई दुनिया अछि, ताहि सँ कने बेहतर दुनिया बनय-- एहि लक्ष्यक संग साहित्य लिखल जाइत अछि। हमर तँ स्पष्ट मान्यता अछि जे मैथिली साहित्य मे आधुनिकताक प्रवर्तन 1941 मे छपल यात्रीक कविता 'कविक स्वप्न' सँ होइत अछि। कारण, जे परंपरित साहित्यक जे सोच, जे विषय, जे अवधारणा छल, तकरा नकारि क' ओ अपना समय कें, अपना समयक यथार्थ कें, अपना समयक अन्तर्विरोध कें देखबाक प्रस्ताव करैत अछि। इहो मोन रखबाक बात थिक जे आधुनिकता अपना आगू-पाछू सातत्य बनबैत चलैत अछि। पाराडाइम शिफ्ट जखन होइछ तँ आगूक समय ओहने नहि रहि जाइछ जेहन कि ओ पहिने सँ चलि अबैत छल। यैह बात यात्रीक संग भेलनि। हुनका हेबाक बाद हमसब ओहने नहि रहि गेलहुँ, जेहन पहिने रही।

             यात्री बहुभाषाविद् छला। मिथिला मे बहुभाषाविद् कवि कें प्राचीन काल मे अधिक सम्मान देल जाइत छलनि, जखन कि बहुभाषाविद् लेखक कें आइ हीन लेखक बूझब मैथिलीक विद्वान लोकनि कें सुरक्षित लगैत छनि। अहाँ ज्योतिरीश्वर कें देखियनु, विद्यापति कें देखियनु, ई लोकनि एक्कहि संग अनेक भाषा मे रचना केलनि। यात्री कें जँ एक दिस संस्कृत, प्राकृत, पालि, अपभ्रंश आदि प्राचीन भाषाक ज्ञान छलनि तँ सिंहली, तिब्बती आदि विदेशी भाषा पर सेहो गँहीर पकड़ रहनि। आधुनिक भारतीय भाषा सब मे सँ गुजराती, सिन्धी, असमिया, उड़िया, बंगला, पंजाबी-- ई सब पढ़ैत-लिखैत तँ खुद हमही देखने छियनि। लेखन ओ चारि भाषा मे केलनि-- संस्कृत, मैथिली, हिन्दी आ बंगला। संस्कृत सँ ओ लेखनक आरंभ कयने रहथि, आ अपन बुढ़ारी मे बंगला मे सेहो लिखलनि, जखन कि बंगलाक ज्ञान हुनका तरुणाइये अवस्था सँ छलनि। बहुत गोटे यात्री पर अभियोग लगबैत छथि जे ओ हिन्दीक लेल बेसी काज केलनि, मैथिलीक लेल एतबा कयने रहितथि तँ केहन उत्तम होइतय। ई अभियोग कोनो आइये लगायल जाइत हो, से बात नहि अछि। हुनका जीबैत-जी सेहो ई प्रश्न उठैत छल, आ अपन एक मैथिली लेख 'पृथ्वी ते पात्रम्' मे ओ एहि प्रश्नक उतारा सेहो देलनि अछि। उतारा यैह जे हुनकर जीविकोपार्जनक एकमात्र साधन हुनकर लेखने छलनि। गरीब रहथि, जमीन-जाल रहनि नहि, तें जतय सँ पारिश्रमिक अबैत हो, तही ठाम लिखब हुनका लेल बाध्यकारी छलनि। की अहाँ एकैसमो सदीक लेल ई कल्पना क' सकै छी जे मैथिली लेखन जीविकोपार्जन साधन भ' सकैत अछि?

               मुदा, आइयो जँ ई प्रश्न उठाओल जाइत हो, तँ एकरा की कहल जाय? असल मे ई विचारधाराक टकराहट थिक। एकर मूल मे कारण छै जे यात्री भविष्यदृष्टि बला लेखक छला, प्रश्नकर्ता स्वर्णिम अतीत मे फँसल छथि आ ओकरे धरती पर फेर सँ उतारब हुनकर साहित्य-लेखनक संकल्प छनि। यात्री जँ आधुनिकता, विज्ञान-बुद्धि, लोकतांत्रिकता, समता आ बन्धुत्वक पैरवीकार छला, तँ अपना समाज मे एखनो एहन लोक घटल नहि छथि जिनकर विश्वास लोकतंत्र वा समता मे नहि, जमीन्दारी-राज आ वर्णाश्रमधर्म मे छनि। हुनका जखन आन कोनो उपाय नहि भेटैत छनि तँ ओ लोकनि यात्रीक मैथिलत्व पर, हुनकर मिथिला-मैथिलीप्रेम पर प्रश्न उठबैत छथि। दुखद ई अछि जे ने तँ यात्री-साहित्य कें सरिया क' ओ पढ़ने रहैत छथि, ने यात्रीक कवि-स्वभाव व्यक्तित्व कें ओ जनने रहैत छथि।

                यात्री हिन्दी मे लिखलनि, एहि प्रश्न सँ कने आगू बढ़ि क' हमसब ई देखी जे हिन्दी मे ओ 'की' लिखलनि, तँ बहुत काजक दृष्टि विकसित भ' सकैत अछि। हम तँ एतबे कहब जे यात्री हिन्दी मे लिखने होथु कि कोनो आन भाषा मे, जतबा जे ओ लिखलनि से 'मिथिला' कें लिखलनि। मुदा, एहि बात कें हम एतय जेना कहि रहल छी, एहू सँ बढ़िया तरीका सँ आन लोक सब एही बात कें लिखने छथि। पहिने कवि भीमनाथ झाक ओही कविताक एक अन्य बन्ध सुनी-- 'अहँक मुँहक मैथिली भनहि बाजथु हिन्दी मे/ बाजथु संस्कृत मे, बंगलो मे, अथवा जइ मे/ कहाँ कतहु छोड़ै छथि अपन गाम कें, घर कें/ तरौनीक बलचनमे रहइछ ओइ मे, अइ मे।' यात्री कें निकट सँ देखल-पढ़ल एहि जिम्मेदार कविक आकलन देखल जाय! यात्री भने कोन्नहु भाषा मे लिखने होथु, ओकर विषय-वस्तु मिथिले रहलैक। मिथिलाक कोन-कोन वस्तु, कोन-कोन लोक, कोन-कोन संस्कृति नागार्जुनक रूप मे मूर्तिमान भेल रहैक, तकर विवरण महान हिन्दी कवि केदारनाथ अग्रवालक ओहि कविता मे आयल अछि, जकर शीर्षक छैक-- 'नागार्जुन के बाँदा आने पर'। बाँदा, अर्थात उत्तरप्रदेशक ओ शहर जतय केदार जी रहै छला। कविताक पाँती देखी-- 'आओ साथी, गले लगा लूँ/  तुम्हें, तुम्हारी मिथिला की प्यारी धरती को/ तुममें व्यापे विद्यापति को/ और वहाँ की जनवाणी के छन्द चूम लूँ/ और वहाँ के गढ़पोखर का पानी छूकर नैन जुड़ा लूँ/ और वहाँ के दुखमोचन, मोहन माँझी को मित्र बना लूँ/ और वहाँ की आब-हवा से वह सुख पा लूँ/ जो गीतों में गाया जाकर कभी न चुकता/ जो नृत्यों में नाचा जाकर कभी न चुकता/ जो ज्वाला में डाला जाकर कभी न जलता/ जो रोटी में खाया जाकर कभी न कमता/ जो गोली से मारा जाकर कभी न मरता/ जो दिन दूना, रात चौगुना व्यापक बनता/ और वहाँ नदियों में बहता/ नावों को ले आगे बढ़ता/ और वहाँ फूलों में खिलता/ बागों को सौरभ से भरता...' विष्णुपुराण सँ ल' क' आइ धरि लिखल मिथिलाक वर्णन बहुत सुनने हेबै। मुदा, एहि कविक मिथिला-वर्णन सुनियौ। ई कवि कहियो मिथिला नहि एलाह। मिथिले हुनका लग पहुँचलनि अछि नागार्जुनक रूप मे। एक नागार्जुन कें आलिंगन करबाक अर्थ कतेक हजार चीज कें आलिंगित करब थिक, जे कि मिथिलाक प्रतिनिधित्व करैत अछि। ओहि मिथिलाक नहि, जे कि क्यो आबि क' देखि जाय, अपितु ओहि मिथिलाक, जे कि नागार्जुनक व्यक्तित्व मे आ साहित्य मे अक्षय-अनंत सौरभ लेने प्रकट भेल छलैक! 

               आ, एकर आभास स्वयं यात्री कें नहि होइन, सेहो नहि। हुनकर साक्षात्कार बला पुस्तक देखल जाय, कतेको लोक कें कतेको बेर ओ कहने छथिन जे 'हम वास्तव में क्या हैं, यह तुम्हें समझना हो तो मेरी मैथिली कविताएँ पढ़ो।' मोन पड़ैए, महान कवि शमशेर बहादुर सिंह जखन अपन एहि मित्र लग बैसथि तँ अत्यन्त आत्मीयता सँ कहनि जे 'तुम अपनी मैथिली कविताएँ सुनाओ।' केहन सूक्ष्म संवेदनाक कवि रहथिन शमशेर, अहाँ कें साइत बूझल हो, ओ चूड़ान्त कवि यात्रीक मैथिली कविताक भाषिक संगीतक पारखी छला। 'कवि-कोकिल' कहै छियनि हमसब विद्यापति कें। मुदा, बिसरल रहै छी जे मिथिला कें आनो कवि-कोकिल पैदा करबाक बुत्ता रहल छै, आइयो छै।

              मिथिला कोन तरहें यात्रीक मनोमस्तिष्क मे व्याप्त छली, तकर दृष्टान्त लेल एतय हम किछु तथ्य राखय चाहब। 1931 मे, जखन यात्री बीस बरखक एक युवा छला, कार्तिक धवल त्रयोदशी कें विद्यापति स्मृति पर्व मनेबाक आविष्कार कयने छला, आ एकर पहिल आयोजन बीएचयू काशी मे भेल रहैक। ओकर विवरण डाॅ. काञ्चीनाथ झा किरण अपन संस्मरण मे विस्तारपूर्वक लिखने छथि।

             पंजाब-सिन्ध-गुजरात-मराठा होइत जखन 1946 मे यात्री पटना घुरला तँ ग्रन्थमाला कार्यालय कें अपन डेरा बनौलनि। ग्रन्थमाला कार्यालय देशक एक प्रतिष्ठित प्रकाशक रहय, जे कि एक नन-मैथिल रामदहिन मिश्रक छलनि। वैह रामदहिन मिश्र, जिनकर लिखल पुस्तक 'काव्य-दर्पण' हिन्दीक एक क्लासिक कृति थिक। ग्रन्थमाला कार्यालय सँ 'पारिजात' नामक साहित्यिक पत्रिका छपैत छल जे ओहि युग मे हिन्दीक सर्वश्रेष्ठ पत्रिका मे सँ एक छल, आ ओकर सर्कुलेशन देश भरि मे रहै। एही ठाम सँ दोसर पत्रिका 'किशोर' बहराइत छल। एहि पत्रिका सभक महत्व एही सँ बूझल जा सकैत अछि जे आचार्य नलिन विलोचन शर्माक प्रसिद्धतम लेख मे सँ एक 'सूरदास' किशोर मे छपल छल आ आचार्य हजारी प्रसाद द्विवेदीक प्रसिद्ध उपन्यास 'चारु चन्द्रलेख' पारिजात मे धारावाहिक छपि रहल छल। नागार्जुन पटना पहुँचिते पत्र-पत्रिका मे धुआँधार लेखन शुरू केलनि। प्रकाशनक स्वामी रामदहिन मिश्रक एक आर सेहन्ता रहनि जे प्रतिभाशाली युवा साहित्यकारक पहिल पुस्तक छपबाक अवसर हुनके भेटनि। आरसी प्रसाद सिंह, हंसकुमार तिवारी, राम इकबाल सिंह राकेश आदिक पहिल पुस्तक एतहि सँ छपल छल। प्रकाशक नागार्जुन सँ अनुरोध केलनि जे अहाँ उपन्यास लिखू, हम छापब। बहुत दिन धरि तँ ओ अनठेने रहला। अन्तत: घोषणा केलनि जे हम उपन्यास तँ लिखब, मुदा ओकर भाषा रहतै मैथिली। हिन्दी प्रकाशकक लेल ई एक विचित्र प्रस्ताव छल, मुदा नागार्जुन अड़ि गेला। वैह उपन्यास थिक 'पारो', जकरा लिखल तँ गेल छल मैथिली मे मुदा, सौंसे देशक ध्यान आकृष्ट केलक जे बिहार सँ एक नीक नवोदित उपन्यासकार बहरेला अछि।

            हिन्दीक एक प्रतिभाशाली युवा लेखक ई किएक चाहैत अछि जे ओकर पहिल प्रकाशित किताब मातृभाषा मैथिली मे छपय! किछु तँ बात छै, जेना कि केदारनाथ अग्रवाल लिखनहु छथि, 'तुममें व्यापे विद्यापति को।' मने जे महाकवि विद्यापति, कवि नागार्जुन मे व्यापि गेल छला।

             जखन यात्री पटना मे रहय लगला तँ हुनका बिहारक साहित्यिक राजनीति सँ मुठभेड़ भेलनि। परिस्थिति एहन बनलैक जे तमाम हिन्दी युवा लेखक नागार्जुनक नेतृत्व मे पुरातनपंथी गुटक विरुद्ध हल्ला बोल शुरू केलनि। मुदा, नागार्जुने पाछाँ हटि गेला? बुझबै जे किएक पाछाँ हटि गेला? एहि दुआरे जे ओ एखन निर्माण-कार्य मे लागल छला।मैथिलीभाषी लोकनिक एक स्थायी संस्था ठाढ़ करबाक उद्यम मे भीड़ल छला, आ एही पर पूर्णत: एकाग्र छला। वैह संस्था थिक ई चेतना समिति, जकर सह-आयोजन मे ई कार्यक्रम भ' रहल अछि।जेंकि नागार्जुनक मातृभाषा-प्रेम कम्युनिस्ट पार्टीक भाषानीति सँ मेल नहि खाइत छल, ओ पार्टी सँ बर्खास्त भ' जायब मंजूर क' सकैत छला, मुदा मैथिली कें, चेतना समितिक निर्माण कें छोड़ब नहि।

                  15 अगस्त 1947 कें देश आजाद भेल रहय। ई एक एहन दुर्लभ अवसर रहय जे कोनो कोनो भाग्यशाली शताब्दी कें देखबाक सौभाग्य भेटैत छैक। ओहि समय दरभंगा जिला किसान सभाक ओ अध्यक्ष रहथि, आ ओही समय मे किसान सभाक संग जमीन्दारक खिलाफ ऐन दरभंगा मे, सड़क पर उतरि क' आन्दोलन क' रहल छला। पार्टी लाइनक विरुद्ध जा क' ओ 15 अगस्त कें आजादीक त्योहार मनेलनि आ ओही राति 'वन्दना' शीर्षक कविता मैथिली मे लिखलनि। एहि लेल हिन्दी बला सब जीवन भरि हुनकर गंजन करैत रहलनि, हुनकर निष्ठा कें एहि आधार पर संदेहास्पद मानैत रहला जे एहन दुर्लभ अवसरक वस्तु ओ हिन्दी मे किएक नहि लिखलनि जे मैथिली मे लिखलनि!

            नागार्जुनक लिखल एक दीर्घ निबन्ध 'मैथिली और हिन्दी' बहुतो गोटे कें मोन हेतनि। ई निबन्ध ओ एही शीर्षक सँ लिखल गेल एक अन्य निबन्धक प्रत्युत्तर मे लिखने रहथि। ओ निबन्ध प्रख्यात आलोचक रामविलास शर्मा लिखने छला। रामविलास जी नागार्जुनक अंतरंग मित्र रहथिन, आ से एहन मित्र जकरा घुट्ठी-सोहार कहल जाय। मैथिलीक बारे मे रामविलास शर्मा लिखने छला जे मैथिली सामन्ती अवशेषक एक बोली थिक जकरा मैथिल सम्भ्रान्त लोकनि बजैत छथि आ किछु-किछु लिखितो-पढ़तो छथि। हुनकर कहब रहनि जे आजादी-बादक बिहार के जेना-जेना प्रगति आ विकास हेतै, ई बोली स्वत: लुप्त भ' जायत, आ हिन्दी पूरा मिथिलांचल कें गछाड़ि लेत। मैथिलीक विरुद्ध एहि सँ कड़ा लेख एहि सँ पहिने नहि कहियो लिखल गेल छल। नागार्जुन पर भयंकर प्रतिक्रिया भेलनि। ओहि काल मे ओ बिसरि गेला जे रामविलास हुनकर मित्र छथिन। भाषाविज्ञानक विभिन्न प्रक्रम-- फोनोलाॅजी, माॅर्फोलाॅजी, सिन्टैक्स, सिमेन्टिक्स, प्रैगमैटिक्स आदिक अतिरिक्त सोशियोलिंग्विस्टिक्स आ साइकोलिंग्विटिक्स के विस्तृत अध्ययन सँ पहिने तँ मैथिली कें हिन्दी सँ बेसी समृद्ध भाषा घोषित केलखिन, तदुपरान्त तथ्य देलखिन जे मैथिली कें मरबाक कामना राखनिहार पीढ़ीक पीढ़ी मरि जायत, मैथिली आबाद रहत। ओ इहो तथ्य ओतय रखलनि जे हिन्दी कें साम्राज्यवादी रुख छोड़ि क' अप्पन विकास लेल चिन्तित हेबाक चाही। बचल बात मैथिलीक, तँ हिन्दी सँ ने ओकरा कोनो बैर छै, ने झगड़ा। बात बस एतबे छैक जे राजभाषाक अभिमानवश ओ अपन साम्राज्यवादी मानसिकता सँ बाहर नहि निकलि पाबि रहल अछि। ओकरा एहि सँ निकलि जेबाक चाही, तही मे एकर भलाइ छै। ओहि घटनाक बाद सँ आइ धरि कोनो हिन्दीदाँ कें मैथिली पर एतेक कड़ियल  आक्रमण करबाक हिम्मत नहि भेलैक अछि, भने चोर-दरबाजा बाटें बिठुआ काटि लैत हो क्यो, से अलग बात।

                 1968 मे यात्री कें मैथिली कविता-संग्रह 'पत्रहीन नग्न गाछ'क लेल साहित्य अकादेमी पुरस्कार देल गेलनि। हिन्दी मे सेहो ओ ताधरि पूर्ण ख्यात भ' गेल रहथि। हुनका कैक स्वार्थी तत्व द्वारा समझाओल गेलनि जे हिन्दी मे नहि द' क' मैथिली मे हुनका पुरस्कार देनाइ हुनकर कद छोट करब थिक, मुदा कहियो एहि बात के ओ संज्ञान नहि लेलनि। उनटे एकर कड़ा प्रतिवाद केलखिन।  1971 मे जखन अकादेमी पुरस्कृत कविक रूप मे हुनका एक शिष्टमंडलक संग तीन सप्ताहक लेल सोवियत संघ (रूस) पठाओल गेलनि तँ ओ एक आर अद्भुत काज केलनि। सोवियत संघक विभिन्न संस्था सब मे भ्रमण करैत जखन-जखन विजिटर्स बुक हुनका सामने राखल गेलनि , यात्री अपन विचार मैथिली मे अभिलिखित केलनि। आ एतबे नहि, ओतय हिनका सभक सम्मान लेल जे काव्य-गोष्ठी विभिन्न ठाम आयोजित कयल गेल रहै, ओहि मे सब ठाम ओ अपन मूल मैथिली कविता सुनेलखिन, जकर रूसी अनुवाद दुभाषिया सुनेलक।

              संक्षेप मे, एतबे कहब जे यात्री बीसम शताब्दीक मिथिलाक एक एहन दुर्लभ रत्न छला, जे जतबे मैथिल रहथि, ततबे भारतीय, आ ततबे वैश्विक। मुदा, प्रतिनिधि ओ निस्सन्देह मिथिलाक रहथि। हुनका हिन्दीक आंचलिक उपन्यास विधाक जन्मदाता कहल गेलनि। प्रेमचंदक उपन्यास-परंपराक जिनका मे पहिल विकास परिलक्षित कयल गेल छल, से नागार्जुन कें मानल गेलनि। आलोचक लोकनि एहि बात कें स्पष्टतापूर्वक लक्ष्य केलनि जे अस्सल भारतीय उपन्यास जकरा कहल जेतैक से नागार्जुने परंपराक आलोचनात्मक यथार्थवादी उपन्यास हैत, जैनेन्द्र कुमार, अज्ञेय आदिक मनोलोकवादीक उपन्यास नहि। 

                यात्री नागार्जुन विविध भाषा आ विविध विधा मे बहुतो प्रकारक रचना केलनि। ओहि समस्त रचना सब मे ओही एक यात्री कविक दृष्टि-निक्षेप भेलैक अछि, जे मिथिलाक छला, मैथिल छला। तें हुनकर तर्कसंगत समीक्षा जँ कयल जायत तँ निश्चित रूप सँ, केवल मैथिली मे लिखल वस्तु सँ नहि, अपितु समस्त भाषा मे लिखल गेल वस्तुक समेकित स्वरूपक आकलने एकैसम शताब्दीक हमर साहित्यक विकासक मार्ग प्रशस्त क' सकैत अछि। खंड-खंड मे हुनका बहुत देखलियनि। आउ, आब सबटा कें मिला क' परिपूर्ण यात्रीकी कें देखल जाय।

नागार्जुनक उपन्यासेतर गद्य


 तारानंद वियोगी

हिन्दी मे नागार्जुन उपन्यासक अतिरिक्त आनो अनेक विधा मे लेखन कयलनि। कथा, जीवनी, संस्मरण, यात्रा-वृत्तान्त, निबन्ध, बालकथा, बाल उपन्यास-- आदि-आदि अनेक विधा मे हुनकर रचना सब भेटैत अछि। एहि सबटाक अतिरिक्त दूटा विधा एहन अछि जे सब लेखक बुतें नहि भ' पबैत अछि। एहन विधा थिक-- पत्र-लेखन आ संवाद। स्वाभाविक छै जे पत्र-लेखन तँ ओ स्वयं करैत छथि, मुदा संवाद-संकलन एहन विधा थिक जाहि मे बात तँ समुच्चा नागार्जुनक छनि, मुदा लिखल कोनो दोसर लेखक द्वारा गेल अछि। यात्री-नागार्जुन पर हिन्दी-मैथिली मे दू सय सँ बेसी किताब छपि चुकल अछि, मुदा हमरा दृष्टि मे सब सँ मूल्यवान अछि-- 'नागार्जुन-संवाद' जे विजयबहादुर सिंहक द्वारा लिखल गेल अछि। विधावार एक दृष्टि हुनकर उपन्यासेतर हिन्दी गद्य पर देल जा सकैत अछि।

               हिन्दी मे नागार्जुनक तेरह टा कथा प्रकाशित भेलनि जकरा रचनावलीक छठम खंड मे देखल जा सकैत अछि। हुनकर कथा सभक एक संकलन 'आसमान में चन्दा तैरे' नाम सँ पहिनहु सँ प्रकाशित छलनि। नागार्जुन अपन कथा सब खास दू समय मे लिखलनि, किछु तँ चारिम दशक मे, जे हुनका रचनाकारक निर्मितिक दौर छल। बांकी किछु कथा सातम दशक मे लिखलनि। ई एहन समय छल जखन जनपक्षधर साहित्यक सामने सर्वाधिक महत्वपूर्ण छल जे कथा कें मनोलोकवादी, मनोवैज्ञानिक गुत्थी सभक पेटार हेबा सँ कोना बचाओल जाय। नागार्जुनक जे जीवनशैली छलनि आ साहित्यक प्रयोजन कें ल' क' हुनकर समझ रहनि, ई बात ओ खूब गहराइ सँ बुझैत रहथि जे कथा-संसारक मनोलोकवादी बनि जायब, कथा-लेखकक कोन विवशताक कारण संभव होइत छैक। एहि बातक चर्चा पहिनहु भ' चुकल अछि जे प्रेमचंदक बाद हिन्दी कथा-साहित्य (एहि मे कथा उपन्यास दुनू विधा शामिल अछि) कोन बाट पकड़लक। जैनेन्द्र आ अज्ञेय, एहि दुनू लेखक कें जँ प्रतिनिधि मानल जाय तँ नागार्जुनक स्पष्ट मान्यता रहनि जे ई दुनू गोटे उच्चवर्गक, जकरा मार्क्सवादी शब्दावली मे बुर्जुआ कहल जाइछ, मनोनिर्मितिक वाहक रहथि। ई लोकनि एहन बाट पकड़लनि जाहि मे यथार्थ जगतक सामाजिक पक्ष एकदम्म सँ तिरस्कृत रहय। एकटा घोर व्यक्तिवादी, खुक्ख मानवतावाद आरोपित कयल गेल, जाहि मे धरती परहक वास्तविक संकट आ संघर्ष सिरे सँ गायब रहय। खायल-अघायल समुदायक यथार्थ स्वाभाविक रूप सँ श्रमजीवी वर्गक यथार्थ सँ दूर हेतै। नागार्जुनक व्यक्तित्व शोषणविहीन समाजक आदर्श ल' क' चलनिहार एक एहन लेखकक रहनि जे श्रमजीवी चेतनाक मानवतावाद कें आदर्श मानैत अछि। एहि कारणें ई संभव भेल जे कैक विधा मे रचल अपन रचना मे अक्सरहाँ असुविधाजनक प्रश्न उठबैत रहलाह। एही कारणें अहाँ इहो कहि सकैत छी जे हुनकर साहित्य व्यक्तिवादी कुंठाक विरुद्ध जनवादी आस्थाक साहित्य बनि क' सामने आयल। तें, हुनकर कथा सब मे देखल जा सकैए जे हुनकर हरेक पात्र यथास्थितिक विरुद्ध ठाढ़ होइत अछि। कर्मठतापूर्वक एहि दुनिया कें एहि सँ नीक दुनिया बनेबाक लेल संघर्ष करैत अछि। ने हारि मानैत अछि आ ने निराश होइत अछि। हुनकर बाल-साहित्य कें देखि क' कही तँ मानवेतर जीव-जन्तु समेत जखन हुनकर पात्र बनैत अछि तँ ओहि मे सेहो एहि मानवतावादक संकेत लक्ष्य कयल जा सकैत अछि।

                   'असमर्थ दाता' नागार्जुनक पहिल कथा छलनि जे 'दीपक'क अक्टूबर 1936 अंक मे प्रकाशित भेल छल। ई कथा भिक्षावृत्ति-समस्या पर केन्द्रित अछि। कहियो बजार मे कथावाचक कें नव-दस सालक एक बच्ची भेटैत अछि जे मैल-कुचैल अछि आ भिक्षा मँगैत अछि-- 'बाबूजी, एक पैसा! मेरी माँ अन्धी...' बच्चीक स्वर मे किछु एहन बेगरताक आहट छै, मुदा हुनका लग मे खुदरा पाइ नहि छनि। पानबला खुदरा करै सँ इनकार करैत अछि। मुदा, एतबी काल मे भिक्षार्थी बच्चा सभक ओतय झुंड आबि जाइछ, आ बचिया बुझि जाइत अछि जे आब नहि भेटि सकत-- 'अच्छा बाबूजी, फिर सही...' मुदा, थोड़बे काल मे झुंड कें चकमा द' क' बचिया फेर कथावाचक लग पहुँचि जाइछ-- हमर माय परसू सँ बीमार अछि, एक पैसा बाबूजी! एक पाइक बदला एहि बे ओ एकन्नी बचिया कें द' क' पिंड छोड़बै छथि, मुदा इहो कहि दैत छथिन जे हम अपने गरीब छी। आगू ई होइत छैक जे सहज करुणावश ओ बचियाक संग धयने ओकरा घर पहुँचै छथिन। माय ठीके बीमार छै। ओकरा झोपड़ी मे ठाढ़ो रहबाक जगह नहि छै। ओ बचिया कें पुछै छथिन जे तोरा कोनो काज करय नहि आबै छौ तँ ओकर माय जवाब दैत छैक जे ई तँ एखन धरि भीखो माँगब नै सीखि सकल अछि। मार्मिक वाक्य छै जे ओकर पेशाक सूचना सेहो द' रहल छै। अन्तत: होइत ई छै जे कथावाचकक संग मे कुल्लम जतेक पाइ रहैत छैक, एक रुपैया दू आना, बचियाक हाथ मे द' दैत अछि। लेखक कहैत छैक जे ओ माय-बेटी तँ सोचैत होयत जे दुनिया मे एहनो दाता होइत अछि, मुदा ओकरा की मालूम जे  'दुनिया में ऐसे लोग भी होते हैं, जिन्हें औरोंके सुख-दुख जानने की-- खुद लाचार होते हुए भी हमदर्दी दिखलाने की बीमारी होती है।' 

            संस्मरणक शैली मे लिखल एहि कथा कें पढ़ि क' हमरा लोकनि युवा नागार्जुनक स्वभाव कें बुझि सकैत छी। मुदा, एहि कथाक बारे मे आलोचक लोकनिक कहब भेलनि जे भिक्षावृत्ति जँ एक समस्या थिक तँ एकर समाधान केवल भावुकता सँ नहि, संवेदनशीलता आ सजग बौद्धिकता सँ होयबे संभव अछि। ठीक बात। आगू चलि क' नागार्जुनोक लेखन कें हमरा लोकनि एही आधार-भित्ति पर बढ़ैत देखैत छी। तकर एक दृष्टान्त हुनके एक आर कथा 'भूख मर गयी थी' मे देखि सकैत छी। एक तरहें कहल जा सकैत अछि जे इहो कथा भिक्षावृत्तियेक विषय पर अछि। मुदा, अन्तर साफ देखि सकैत छी जे पहिल कथा मे भीख माँगब एक वृत्त, एक पेशा थिक, जखन कि दोसर कथा परिस्थितिवश भीख माँगबा पर केन्द्रित अछि। ई कथा 1967क छपल थिक, जाहि मे ओहि परिस्थितिक पूरा विवरण आयल अछि जे एक वृद्ध व्यक्ति कें भीख माँगबा लेल मजबूर क' दैत छैक। बेहोश, अर्धनग्न अवस्था मे बुढ़ा बजारक एक चाह-दोकान पर पाओल जाइत छथि। लोक सभक परिचर्या सँ आश्वस्त होइत ओ अपन जीवनक कथा बतबैत अछि। दस बीघा जमीनक मालिक एहि बुढ़ा बेटा पुलिस विभाग मे छल जे डकैतक संग भेल एक मुठभेड़ मे मारल गेल। तीन व्यक्तिक परिवार छल-- अपने, पुतहु आ पौत्र। आय के कोनो साधन नहि रहय, अगत्या जमीन बेचि-बेचि क' खाइ लगला। जमीन जखन सबटा बीकि गेल तखन की करितथि? स्वयं प्रेरित क' क' पुतहु कें पापकर्म दिस ठेल' पड़लनि। सातम क्लास धरि पढ़ल पौत्र कें जखन ई सब बात पता लागल तँ घृणापूर्वक ओ घर सँ पड़ा गेल। ओही बच्चाक खोज मे बुढ़ा निकलल छथि। हुनका भय छनि जे कहीं गिरोहक हाथ मे ने बच्चा पड़ि जाय, जे अंग-भंग क' क' बच्चा सँ भीख मँगबैत अछि। एहि कथा मे हमसब साफ देखैत छी जे आर्थिक-सामाजिक संकटक प्रति नागार्जुन यथार्थवादी दृष्टि अपनौलनि अछि, जतय संवेदना तँ जरूर अछि मुदा भावुकता नहि।

                 'ताप-हारिणी' आ 'मनोरंजन टैक्स'-- एहि दुनू कथाक बुनाबटि सेहो संस्मरणात्मक अछि। 'तापहारिणी'क कथावस्तुक बारे मे तँ स्वयं शोभाकान्त लिखने छथि जे एहि कथाक घटना वास्तविक थिक। कथा-नायिका अपरा अपन पतिक संग सार्वजनिक घाट पर गंगा-स्नान लेल गेली अछि। गंगा मे नहाइत युवा स्त्री कें देखि क' घाट परहक 'मर्द' नामधारी जीव लोकनिक जे प्रतिक्रिया होइत छैक, ओकर वर्णन-- 'मुझे लगा कि इतने आदमियों के बीच एक तरुणी के आ जाने से सभी की मनसा चंचल हो उठी है। कोई कनखी से तो कोई सीधे ही, सभी उस कल्याणी के अर्द्धनग्न अवयवों की ओर, जो कभी जाह्नवी के श्यामल-नील सलिल में से झलक उठते थे, टकटकी लगाए हुए थे। तर्पण करनेवाले उस श्रद्धालु कुलपुत्र ने इस संभ्रम में पड़कर दुबारा तर्पण आरंभ कर दिया। जो धोती पछीट रहा था, उसकी बाँहें शिथिल पड़ गयीं। जनेऊ माँजनेवाला अपनी बेचैनी को छिपाने के लिए बार-बार खाँसने लगा। लोटा मलने वाले की अँगुलियाँ कटते-कटते बचीं।' कथाक अंतिम वाक्य थिक जे 'हम नहाकर बाहर निकले। लेकिन उस दिन जबतक अपरा नेवघाट नहीं छोड़ा, तबतक वहाँ से कोई विदा नहीं हुआ। मुझे उस समय मैक्सिम गोर्की का वह उपाख्यान याद आया, जिसमें सत्ताइस पात्र थे-- छब्बीस मर्द और एक औरत।' 

        'ताप-हारिणी' कें नागार्जुन एहि तरहें लिखने छथि मानू सांसारिक तापक हरण केनिहार गंगा नहि छथि, जेना कि शास्त्र-पुराण मे वर्णन कयल गेल छै। असल ताप-हारिणी अपरा छथि जे पुरुष-कुंठाक ताप हरण करैत छथि। स्त्री आ गंगाक साम्य भारतीय परंपरा मे व्यस्थित रूप सँ आयल छैक, मुदा एहि कथा मे एक तरुणी स्त्री गंगा पर भारी पड़ैत देखाओल गेली अछि।

               'जेठा' आ 'ममता' कथा मातृहीन बच्चा सभक सम्बन्ध मे अछि। स्वयं नागार्जुन मातृहीन छला आ एहि दुनू कथा मे मानू ओ अपन बालपनक दुखद अनुभूति सब कें शब्द देलनि अछि। जेठाक नायक जेठानंद अपन मौसी-मौसाक संग रहैत अछि। अल्प वय मे ओकर पिता मरि गेला आ माय एक बनियां सँ विवाह क' लेलक। मायक अपराध ओकरा लेल असह्य बनल रहैत छैक आ ओ अन्तो अन्त धरि अपना माय कें क्षमा नहि क' पबैत अछि। 'ममता' कथा अपेक्षाकृत यात्रीक जीवनानुभवक अधिक लग अछि, जाहि मे बच्चाक माय मरि गेल रहैत छैक आ अपन काकी सँगे ओ रहैत अछि। काकी ओकरा अपनो बच्चा सँ बढ़ि क' स्नेह करै छैक। कोनो दिन काकी सँ रूसि क' ओ अपन कोनो मित्रक घर चलि गेल, मुदा लगले ओकर मान खंडित भ' गेलैक जे काकी ओकरा विना बहुत परेशान हेतै एखन।

              'विषम ज्वर' बहुत गँहीर कथा छैक जाहि मे पूजीवादक षड्यन्त्र कें देखार कयल गेलैए जे अतिरिक्त पूजी कोना समष्टि-चेतना कें खंडित क' क' व्यक्तिनिष्ठ स्वार्थ लेल लोक कें मोहित करै छैक। पूजीपति अपना कर्मचारी कें मात्र ओतबे दैत छैक जे कहुना सपरिवार खेपि सकय। अधिक काज लेबाक प्रलोभन-स्वरूप जँ ओ कहियो अधिक पाइ द' दैत अछि तँ कर्मचारीक सामने ई संकट आबि जाइत छैक जे एहि अतिरिक्त पाइ कें ओ कोन मद मे खर्च करय। कर्मचारी दीनानाथक संग यैह होइत छैक। सय टाका ओकर वेतन रहैक। एक बेर कैशियर ओकरा एक सय नौ टाका देलकै, ई कहैत जे अहाँ ओवरटाइम केलहुँ से सेठ जी स्वयं देखने छथि, तें हुनकर ई आदेश भेलनि अछि। परिवार तँ सय टाका मे चलिये जाइत छैक, दीनानाथक संग समस्या छैक जे अतिरिक्त नौ टाकाक ओ की करय! ओ पत्नीक लेल साड़ी किनबा पर सोचैत अछि तँ झट सँ छोटका बच्चा मोन पड़ैत छैक जे ओ कोना खेलौना-दोकान पर रेलगाड़ी बला खेलौना लेल व्याकुल छल। बच्चा पर सोचैत-सोचैत ओ अपना दिय' सोचय लगैत अछि जे शंभूक माय लग जँ कोनो नब साड़ी नहि छैक तँ हमरो लग तँ कायदाक कोट नहि अछि, ओही कटल-फाटक कोट कें बरखो बरख सँ लटकौने फिरैत अछि। अंतत: ओ तय यैह करैत अछि जे ई नौ टाका ओ अपना पर खर्च करत। ओ होटल मे खाना खाय चाहैत अछि। होटल मे जा क' बैसैत तँ अछि मुदा विना खयने उठि जाइत अछि। ओ सिनेमा हाॅलक खिड़की पर लाइन मे लगैत अछि, मुदा बिन टिकट कटौने वापस बहरा जाइत अछि। ओकर मानसिक उथल-पुथल अद्भुत व्यक्त भेलैए। अन्तत: होइत ई छै जे राति एगारह बजे धरि भूखल-प्यासल बौएबाक बाद ओ बच्चा सब लेल पाँच टकाक मिठाइ कीनि क' घर धुरि अबैत अछि। आर्थिक विषमता सँ ग्रस्त दीनानाथक मनक आन्तरिक द्वन्द्व कें एतय मार्मिक ढ़ग सँ अभिव्यक्त कयल गेलैए।

             सब क्यो अवगत छी जे महात्मा गाँधीक समय मे नागार्जुन हुनका विरुद्ध जा क' किसान सभाक राजनीति केलनि आ एकाधिक बेर जेल गेला। नेहरूक विरुद्ध हुनकर कविता सैकड़ाक संख्या मे भेटैत अछि, मुदा ध्यान दी तँ पायब जे एकर विपरीत गाँधीक विरुद्ध लिखबाक तँ के कहय जे हुनकर माहात्म्य कें स्थापित केनिहार कविता सब विविध विधा मे लिखलनि। आ, गाँधीक जखन हत्या कयल गेलनि तखन तँ ओ एहन आगि उगलैत कविता सब लिखलनि, जाहि लेल आजादीक बाद सेहो जेल जाय पड़लनि। खास तौर पर एहि स्थिति मे जे तरुणाइ काल मे हुनकर जे दुनू गुरु रहथिन, पं. बलदेव मिश्र ज्योतिषाचार्य आ कविवर सीताराम झा, दुनूक दुनू गाँधीक एहन धुर विरोधी रहथिन जिनकर विश्वास रहनि जे सनातन धर्म कें रसातल पहुँचाबक लेल गाँधी अवतार लेने छथि, कोना संभव भ' पायल होयत जे यात्री दुनू गुरुक सम्मान करितो गाँधीक प्रति अगाध श्रद्धा सँ भरल रहला। गाँधीक समझ रहनि जे गाम के विकास केनहि सँ भारतक विकास भ' सकैत अछि, ठीक यैह समझ यात्रीक सेहो रहनि। एहि बातक दृष्टान्त यात्री-नागार्जुनक साहित्य मे घनेरो भेटत। एहि ठाम एकर उल्लेख एहि लेल कयल जे एहि विषय मे नागार्जुनक उपन्यास (दुखमोचन) तँ छनिहे, हुनका लग कथा सेहो छनि जाहि मे हुनकर समझ कें कदाचित बेसी स्पष्टतापूर्वक देखल जा सकैत अछि। कथा अछि-- कायापलट (1946)।

               'कायापलट' मिथिलाक एक गाम छितौनीक कथा कहैत अछि जे किछु मनस्वी लोकक उद्यम सँ कोना गामक कायापलट भ' गेलै। नायक छथि ओहि जबानाक इंजीनियर भुवनेश्वर झा। ओ शहर मे नौकरी करैत छथि। नौकरी लगलाक बाद कुल्लम तिनिये बेर गाम आयल छथि। 1942क अगस्त आन्दोलन मे दस दिनक लेल, दोसर बेर पन्द्रह दिनक लेल पिताक श्राद्ध मे, आ आब तेसर बेर मायक श्राद्ध मे गाम आयल छथि। पढ़ल-लिखल लोक के गाम कें त्यागबाक परिघटना आजादीक बाद शुरू भेल हो, से नहि। आजादी सँ पहिनहु पढ़ल-लिखल लोक गाम छोड़ि दैत छला। गाम मे भुवनेश्वर बाबूक प्रतिष्ठा तँ छलनिहे, गामक लोक सब सँ हेल-मेल सेहो पर्याप्त रहनि। से, एहि बेर जखन ओ गाम एला तँ गौंआ सब एकजुट भ' क' बिचारलनि जे हुनका कहल जाय। प्रतिनिधि बनलाह राजपूत टोलक वयोवृद्ध बाबू पलटू सिंह। पलटू सिंह सँ जे भुवनेश्वर बाबूक गपसप भेलनि, ताहि महक एकटा वाक्य देखल जाय-- 'जरा सोचो बाबू, पढ़-लिखकर सभी अगर इसी तरह गाँव छोड़ते चले जाएँ तो गाँव मसान बन जाएगा, मसान।' खैर, गौआँ सभक भावना वास्तविकता मे भुवनेश्वर झा कें प्रभावित केलकनि आ ओ गाम मे आबि क' रहबाक निर्णय करैत छथि। हुनका दू बालक-- रमेश आ नरेश। पहिने ओ बिचारने रहथि जे रमेश कें सिविल आ नरेश कें एक्साइज विभाग मे पठौता, मुदा आब हुनकर निश्चय ई भेलनि जे जेठका रमेश, एग्रीकल्चर आ फार्मिंग के शिक्षा लेथि आ छोटका नरेश डाॅक्टर बनथि। सैह भेलै। रमेश गाम आबि क' वैज्ञानिक ढंगक खेती शुरू केलक। नरेश डाॅक्टरी पढ़ि क' गाम मे आबि स्वास्थ्य विभागक संचालन करय लागल। गाम मे कन्या पाठशाला खोलल गेलै। विधवा लोकनिक लेल पचीस टा चरखा बनबाएल गेल। पक्का सड़क बनल। पोखरि-तड़ागक जीर्णोद्धार कयल गेल। गामक लोक लेल रोजगारक व्यवस्था करबाएल गेलै। पूर्ण गाँधीवादी ढंग सँ सहयोग समितिक माध्यम सँ एत बड़ गामक कायापलट संभव भ' सकलै। 1946 के कथा थिक, जखन देश आजादो नहि भेल छलै। ओ आजाद भारतक स्वप्न देखबाक समय रहैक। एतय हमसब देखि सकैत छी जे संदेश अपन लेख आ टिप्पणी सभक द्वारा गाँधी जी दैत छला, तकरा धरती पर उतारबाक परिकल्पना एहि कथा मे कयल गेलैए। हँ, ई बात जरूर जे आजादीक बाद कोनो सरकार गाँधीक एहि स्वप्न कें साकार करबाक ईमानदार प्रयास नहि केलक, आ आब तँ ई सोचबो असंभव भ' चुकल अछि।

             'आसमान मे चन्दा तैरे' एक भावुकता-भरल नकली कवि-समुदायक विरुद्ध लिखल गेल अछि। एक वरिष्ठ कवि होइत छथि लीलाधर, जे कथा-नायक पद्मानंद कें कवि-सम्मेलनक चस्का लगा देने अछि, जखन कि ओ बी.ए.क विद्यार्थी थिक आ कविता आ कविसम्मेलनक चक्कर मे दू-दू बेर परीक्षा मे फेल भ' चुकल अछि। एतबे टा नहि, अपन कविता-संग्रह छपेबाक लेल ओ अपन पत्नीक जेवर बन्हकी लगबैत अछि। 157 टाका मे हजार प्रति छपबाक बात तय होइत छैक। पद्मानंद प्रसबला कें 100 टाका दैत छैक। बांकी 57 टाकाक लेल प्रेसबला 700 प्रति घेरि लैत अछि। 300 प्रति मे ओ गुरुजन आ मित्र लोकनि कें बाँटैत किछु प्रति बेचबो मे समर्थ होइत अछि जाहि सँ आय होइत छैक कुल पौने आठ टाका। पद्मानंद प्रयास मे लागल अछि जे जिला बोर्ड सब पचासो-पचास प्रति कीनि लियय तँ बन्हकी किताब छुटत। एक दिन एही क्रम मे ओ मानसी दिस जाइत अछि। भूख लगबा पर भूजा खाइत अछि। खेलाक बाद जखन ओहि ठोंगाक कागज कें देखैए तँ पबैत अछि जे ई ओकरे कविता-संग्रह 'दर्पण'क पन्ना थिक। ओकर दिमाग चकरा जाइत छैक। एवंप्रकारें, जखन ओकरा होश होइत अछि तँ पबैत अछि जे ओ वास्तव मे आइ की थिक? 'पद्मानंद को ऐसा लगा कि वह आदमी नहीं है, कूड़ा-कर्कट का चलता-फिरता ढेर है। लीलाधर जैसा धूर्त कुत्ता इस ढेर पर बैठा है। कवि को लगा कि उसका हृदय हृदय नहीं, बल्कि रद्दी कागज की लुग्दी है। इस लुग्दी से कुकुरमुत्ते के अँखुए निलते रहते हैं और लीलाधर जैसा सूअर उन्हें चरता जाता है।' ओ कविता आ दलाल लीलाधर कें अलविदा करैत अछि। तय करैत अछि जे आब ओ एम.ए. कइये क' घर घुरत। कहियो जँ हृदय मे भावनाक ज्वार आएत तँ ओ कविता नहि गद्य लिखत।

             साहित्यक सम्बन्ध मे जे यात्री नागार्जुनक मान्यता सब रहनि, तकर बानगी एहि कथा मे देखल जा सकैत अछि। पहिल तँ यैह जे साहित्य वा कविता कें अपन पेशा नहि बनाबी। कैरियर कें अलग राखी, साहित्यिक कार्य कें अलग। यद्यपि ओ अपने ई नहि क' सकल छला, मुदा निष्कर्ष धरि यैह रहलनि जे दुनू कें अलग-अलग राखी। दोसर, सामाजिक चेतना सँ शून्य साहित्य रद्दी वा लुग्दी साहित्य थिक जकर कोनो मूल्य नहि अछि। लेखक कें व्यक्तिवादी नहि, समष्टि-चेतनाक संवाहक हेबाक चाही। तेसर, लेखकक रचनाशीलताक पाछू सुनिश्चित उद्देश्य हेबाक चाही आ लिखित वस्तु जँ प्रकाशित कराओल जाइत हो तँ ओकरा स्वान्त:सुखाय तँ किन्नहु नहि हेबाक चाही।‌ चारिम, लेखकक उद्देश्य जँ भाव-प्रकाशनक संगहि समाज धरि पहुँचबाक हो तँ ओकरा गद्य-लेखन कें प्राथमिकता देबाक चाही।

               दूटा जाहि कथाक लेल नागार्जुनक अत्यधिक मान छनि, ओ दुन्नू ऐतिहासिक कथा सब थिक। एक कथा थिक 'विशाखा मृगारमाता' (1947) आ दोसर 'हर्षचरित की पाॅकिट एडीशन' (1957)। गौर करबाक बात ई थिक जे दुनू कथा मे स्त्रीक सशक्त उपस्थिति दर्ज कयल गेल अछि। एहि दुनू कथा मे स्त्रीक एहन ओजपूर्ण आ विद्रोही तेवर व्यक्त भेल अछि जे कहल जाय, इतिहास कें प्राचीनकाल, मध्यकाल आ आधुनिक काल मे विभाजनक चलाकी कें ध्वस्त क' दैत छैक। नागार्जुनक एक अतिरिक्त विशेषता इहो छनि जे जाहि काल (समय) कें ओ अपन कथा मे उतारैत छथि, छोट-छोट डिटेलिंग आ वातावरण-निर्माण सँ ओहि समय कें मूर्त क' दैत छथिन।

                  'विशाखा मृगारमाता' कथा मद्रिका (अंग-प्रदेश) सँ आरंभ होइत छैक, जे कथा-नायिका विशाखाक जन्मस्थान छल। ई मगध राज्य मे पड़ैत छल जकर राजा ओहि समय बिंबिसार छला। मने ओहि समयक कथा, जखन भगवान बुद्ध सदेह धरती पर विराजमान रहथि। कोसल के राजा प्रसेनजित, जे बिंबिसारक सम्बन्धी रहथि, हुनका एहि बातक बहुत खेद रहनि जे छोट-मोट व्यापारी वैश्य तँ हुनका राज मे अनेको रहनि मुदा पुश्त-दर-पुश्त महान ऐश्वर्यशाली वैश्यकुल एक्को टा नहि रहनि, जखन कि मगध मे एहन ऐश्वर्यशाली कुलक बहुतो वैश्य महाजन लोकनि रहथि। राजा प्रसेनजित अपन बहनोइ बिंबिसार सँ अनुरोध करैत छथिन जे एकटा कुल कोसल मे बसेबाक लेल पठाओल जाय। कथाक किछु वाक्य देखल जाय जाहि मे आयल अछि जे बड़का बड़का सम्राट कोना बनियाँ पर आश्रित छला, से केवल अजुके सत्य नहि थिक, ताहू काल मे एहिना छल। 'सेठों का मुकाबला ये राजा लोग कैसे करेंगे?' 'राज-शक्ति हमेशा वणिक्-शक्ति की मोहताज रहेगी।' 'वैश्यवर्ग अपना हाथ पीछे खींच ले तो तक्षशिला उजड़ जाए, वहाँ सियार भूँकने लगें।' 'व्यापारियों के किसी बड़े कुल को चलाना धरती के चलाने की भाँति मुश्किल और भारी है।' आदि। जाहि कुल कें कोसल पठेबाक बात तय होइत छैक, ओ एही विशाखाक पितामह मेड़क सेठ (जिनका सर्व वैश्यकुलक कुलपतिक उपाधि प्राप्त रहनि, के पुत्र आ विशाखाक पिता धनंजय सेठ छला। विशाखा आठ बर्खक छली जखन ई लोकनि अंग प्रान्त सँ उपटि क' कोसल मे श्रावस्तीक निकट जा क' बसल छली। विशाखाक विवाह मे स्वयं राजा प्रसेनजित बरियाती आयल छला, आ चारि मास धरि मर्याद राखल गेल रहैक।

                    विशाखाक कुल गौतम बुद्धक अनुयायी छल। सात बर्खक अवस्था मे विशाखा बुद्ध कें केवल देखनहि टा नहि छली, हुनका भोजन करौने रहथि। कोसलक लोक-व्यवहार मगध सँ एकदम्म भिन्न। एक दिन एहन भेलै जे विशाखाक ससुर मृगार सोना करछुल सँ परसल सोनाक थारी मे खीर खा रहल छला। ताही काल एकटा बौद्ध भिक्षु भिक्षा माँगय एला। भिक्षा देबाक तँ कोन कथा जे मृगार मूड़ी उठा क' हुनका दिस ताकबो मुनासिब नहि बुझलनि। थोड़े काल मे विशाखा कें पता लगलैक तँ हबड़-दबड़ आबि क' भिक्षु कें कहलखिन-- 'आगे आइये भन्ते, मेरा ससुर अभी मुँह नीचा किये खीर खा रहा है। वह अपना पुराना खा रहा है।' विशाखाक कहल एहि बात सँ मृगार बहुत क्रोधित भेला आ खीर खायब छोड़ि क' आज्ञा देलनि जे हमरा अशुचि-भोजन केनिहार कहि क' अपमानित केनिहारि एहि स्त्री कें तुरंत हमरा घर सँ निकालल जाय। विशाखा सीधे इनकार करैत अछि-- 'तात, इतने भर से मैं निकलती नहीं। पनघट से पकड़कर लाई गयी लौंडी होती तो, तो डर भी जाती।' मृगारक क्रोध आरो भड़कि गेलै, ओ पंचैती बैसा क' विशाखा कें हटाब' चाहलनि। ओहि युग मे चलन रहै जे कन्याक विवाहक समय दुनू कुलक निष्पक्ष लोक सब कें पंच चुनि देल जाइत छल, जे एहन तमाम समस्या पर पंचैती करबाक अधिकारी होइत छला। बहुत किछु भेलै, अन्तत: जीत विशाखाक भेलनि। आब जखन मृगार ओकरा अपना घर मे रहबाक आग्रह केलनि तँ विशाखा शर्त राखि देलक-- 'भगवान बुद्ध के प्रति अत्यन्त अनुरक्त कुल की मैं लड़की ठहरी, हम तथागत के भिक्षु-संघ की सेवा किए बगैर रह नहीं सकतीं। यदि अपनी रुचि के अनुसार बुद्ध और उनके भिक्षु-संघ की सेवा करने पाऊँ तो ही रहूँगी।' मृगार स्वीकार केलनि। किछुए दिन बाद विशाखा कें बुद्ध एवं हुनकर भिक्षु-संघ कें आमंत्रित करबाक अवसर भेटलनि। ओहि दिन परदाक अढ़े सँ मृगार बुद्धक उपदेश सुनलनि तँ प्रभावित भ' क' उपासक बनि गेला। ओही दिन ओ विशाखा कें कहलखिन जे बेटी, आइ सँ अहाँ हमर माता भेलहुँ। विशाखाक नामक संग जे 'मृगारमाता' लगाओल जाय लगलै, तकर यैह कारण छल।

                 विशाखाक प्रति बुद्धक अपरिसीम करुणा छलनि। श्रावस्तीक दक्खिन जे जेतवन विहार छल, ओ सेठ अनाथपिंडक के द्वारा बनबाओल गेल छल। विशाखा अपन उद्यम सँ श्रावस्तीक पूब एक विहार बनबौलनि। विशाखा कें बहुत अभिलाषा छलै जे निज अपन खर्चा सँ ओ एक महाविहारक स्थापना करय। तथागत हुनकर बात मानि गेला, तँ प्रश्न खर्चाक उठल। भेल ई छलैक जे विवाहक समय मे पिता विशाखा कें नौ करोड़ दामक 'महालता' नामक एक अभूतपूर्व गहना देने रहथि। बरियात कें जे चारि मास मर्याद राखल गेल रहै तकर एक कारण वर्षा ऋतुक आगमन छल, मुदा ताहू सँ बेसी ई छल जे महालता गढ़' मे कारीगर सब लागल छला मुदा काज पूर्ण नहि भेल रहैक। खर्चाक बात आयल तँ विशाखा एक चतुराइ केलनि। महालता पहीरि क' एक दिन विहार गेली, आ महालता ओतहि छोड़ि क' घुरि गेली। बाद मे दासी कें पठौलखिन जे जँ ओकरा कोनो भिक्षु छूने नहि होथि तखने आनिहह। खैर, मृगार कें बुझबा मे एलनि तँ विशाखाक अभिलाषा वैह पूर्ण क' देलखिन, ओकर महालता बचले रहल।

             एहि कथा मे भिक्षु-संघक बारे मे जे किछु मेंही सूचना सब एलैए, तकरा देखल जाय। वस्त्रक अभावक कारण भिक्षु लोकनि बहुत कम्मे स्नान क' पाबथि। वर्षा ऋतु मे जँ नहाथि तँ नंगटे। विशाखा कें ई जनतब भेलनि तँ बहुत खराब लगलनि। भिक्षु-संघ मे स्त्रीक प्रवेश ताधरि शुरू भ' गेल छल। मुदा विशाखा कें इहो जनतब भेलनि जे स्त्रीक घाट पर भिक्षुणी लोकनि नंगटे नहाथि, ओही घाट पर नहेनहारि वेश्या सब भिक्षुणी लोकनि पर व्यंग्य-वाण छोड़थि। तथागत सँ ई आज्ञा प्राप्त करबा मे विशाखा सफल भेली जे भिक्षु-भिक्षुणी आब एक जोड़ चीवर राखि सकत। पूरा बौद्ध-संघ कें एक जोड़ वस्त्र साले साल देबाक व्यवस्था विशाखा दिस सँ कयल जाइत रहलै। तहिना, ओ देखथि जे श्रावस्ती मे जखन भिक्षु लोकनि आबथि तँ थाकल-हारल रहलो पर ओ लोकनि पहिले दिन सँ भिक्षाक लेल गली-गली भटकथि। ओ तथागत सँ इहो बात मनबा लेलनि जे श्रावस्ती मे आयल भिक्षु लोकनिक शुरुआती किछु सप्ताहक भिक्षाक व्यवस्था विशाखा केलनि। विशाखाक आन्तरिक अभिलाषा रहनि जे अपन पति आ पुत्र कें तथागतक प्रति अनुरक्त करथि। एहि मे असफल रहबाक कारण ओ बताहि भ' गेली। हुनका फेर सँ स्वस्थ स्वयं तथागत, अपन उपदेश द्वारा केलनि। विशाखा तथागतक बारे मे एक ठाम कहैत अछि-- 'सैकड़ों बार मुझे उनकी बातें सुनने का अवसर मिला। कभी आवेश में आकर तथागत को बोलते नहीं सुना। उनका जीवन बहुत ही शान्त, नियमित और स्वाभाविक था।'


      जखन विवाहक बाद विशाखा सासुर आयल छली तँ हुनका संग आन मारिते रास समान सभक संग पँच-पँच सौ दास आ दासी सेहो देल गेल छल। दास-प्रथा तहिया अपन चरम उठान पर छल। समाज मे अव्यवस्था नहि पसरय, ताहि लेल दास-दासीक प्रवेश भिक्षु-संघ मे वर्जित छल। कतेको दास-दासी कें विशाखा मुक्त कयने हैत, मुदा ओहि मे सँ अधिकांश फेर घुरि क' हुनके लग आबि जाय। किछु दास बालक कें ओ तक्षशिला विद्यापीठ मे नामांकन करौलनि जे टिकि नहि पाओल। किछु कें मुक्त क' क' ओ वाणिज्य मे लगौलनि। हुनकर सेहन्ता रहनि जे दास-दासी कें भिक्षु-संघ मे शामिल करेबाक प्रथा चलाबथि। कतेको कें ओ प्रोत्साहित केने हेती मुदा 'जानें क्यों, भिक्षु-संघ की सुविधा उन्हें अपनी ओर आकृष्ट नहीं करतीं।'

              'हर्षचरित की पाॅकिट एडीशन' राजा हर्षवर्द्धन आ हुनकर बहीन राज्यश्रीक उत्तर जीवनक कथा थिक। कन्नौजक युवक महाराज ग्रहवर्माक प्राणेश्वरी राज्यश्री अपन पतिक मृत्युक बाद बौद्ध-धर्म ग्रहण क' लैत छथि आ हुनकर जीवन पूर्णत: बदलि जाइत छनि। हुनकर सादा आ स्वच्छ जीवन आब करुणा आ सेवा कें समर्पित छैक। बौद्ध विहार मे हुनकर निरन्तर आगमन बनल रहैत छनि आ आचार्य दिवाकर मित्रक संगहि श्रेष्ठ भिक्षुणी जेना 'भिक्षुणी सुनंदा' लोकनिक संग हुनक गहन संपर्क-सामीप्य छनि। एहि बीच हर्ष कन्नौज पर पुन: विजय प्राप्त करै छथि राज्यश्री कें कन्नौजक महारानीक पद पर राज्याभिषेक होइत छैक। हर्ष सेहो आब युद्धोन्माद सँ मुक्त भ' गेल छथि। एहि बीच एक नव समस्या एलनि अछि जे पछिला युद्ध मे ओ गौड़ाधिपति नरेन्द्र गुप्त शशांक पर विजय पौलाक बाद, प्राणदान मँगला पर ओ क्षमा क' देने रहथि। आब ओ क्षमा-प्राप्त पार्षद मित्र सामंत मानि लेल गेल छल। मुदा, शशांक बड़ भारी शैतान छल। ओ तरे तर हर्षक हत्या लेल जाल पसारि रहल छल। एक दिन दुनू भाइ-बहीन संगहि बैसल छला जखन महासेनापति भण्डि आ महामात्य माधवगुप्त आबि क' सूचित केलकनि जे शशांक महाराजक जान मारबाक लेल दू विषवैद्य कें भिक्षुक भूमिका मे पठौने छल, जकरा हर्षक सैनिक लोकनि काशी आ प्रयाक बीच गंगाकात मे पकड़ि लेलक। डर सँ त्रस्त दुनू भिक्षु गछलक जे ओ सब असल मे विषवैद्य थिक। भण्डि हर्ष सँ कहैत छनि-- 'महाराज, हम कई बार शशांक की प्रवंचना का शिकार बन चुके हैं। आपकी शान्त-नीति का वह मखौल उड़ाता है। कब तक हम इस तरह बेवकूफ बनते रहेंगे महाराज?

               अन्तत: तय होइत अछि जे प्रजा-हित मे हर्ष एक बेर फेर शशांक पर आक्रमण करता, आ ओकर अन्ते केलाक बाद घुरता। युद्ध मे ने मात्र राज्यश्री संग जाइत छथि अपितु आचार्य दिवाकर मित्र सेहो संग रहता। मुदा, युद्ध मे भन्ते लोकनिक कोन काज? राज्यश्री बतबैत छथि जे जँ संग नहि रहबनि तँ हर्ष मे पुन: प्रतिहिंसा जागि सकैत अछि आ शशांकक संगहि ओ छोट-पैघ बीसो जनपद मे हाहाकार मचा सकैत छथि, निर्देओष-निरपराध प्रजा नहि मारल जाय, तें। असल मे ई जीवनक एक गहन प्रश्न थिक जे शान्तिक संदेश प्रसारित केनिहार राजा कें सेहो परिस्थिति-वश युद्धक आश्रय लेब' पड़ि सकैत अछि। शान्तिक लेल युद्ध यदि अपरिहार्य हो तँ एकर आश्रय लेल जेबाक चाही, यैह कथाक संदेश छैक।


नागार्जुनक निबन्ध-साहित्य


नितान्त आरंभिके काल सँ नागार्जुनक रुचि निबन्ध-लेखन दिस रहलनि। पहिनहु ई चर्चा आबि चुकल अछि जे जनवरी 1934 मे हुनकर पहिल निबन्ध 'मृत्युंजय कवि तुलसीदास' 'दीपक' मासिक मे छपल छल, आ दीपकक कर्ता-धर्ता स्वामी केशवानंदक संग नागार्जुनक गहन संपर्कक आधारशिला बनल आ बाद मे तँ दीपक पत्रिकाक संपादक ओ भेलाह। एहि निबन्ध मे उत्तर भारतीय समाज मे तुलसीदास आ हुनकर रामचरितमानसक लोकप्रियताक चर्चा करैत ई बात बताओल गेल अछि जे तुलसी दैनंदिन जीवन मे काज आबय बला बहुतो जे बात अपन रामायण मे लिखलनि अछि वैह एहि लोकप्रियताक आधार थिक। नागार्जुनक जे अपन रचनात्मक हिस्सक छनि ओ हुनकर निबन्ध सब मे नीक जकाँ देखाइत अछि। जेना, 1934क समय जे विश्वव्यापी मंदी आयल छल, तकर चर्चा एहि तरहें करैत छथि जे एहू मंदीक दौर मे जे किताब सब सँ बेसी बिकाइत अछि से रामचरितमानस थिक। तहिना, अंग्रेजी शासनक उद्दंडता कें ओ विना परहेज केने देखार करैत छथि। लिखलनि अछि, अंग्रेज जकरा 'डैमफुल' आ 'कुली' कहैत छल, सैह लोकनि तुलसी रामायणक प्रेमी छथि। निबन्धक आरंभे एहि पंक्ति सँ कयल गेल अछि जे 'घरवार छोड़कर फकीर हो जानेवालों की कमी न तुलसीदास के जमाने में थी,और न आज के जमाने में है।' तकरा बाद ओ कारण सभक चर्चा करैत छथि जे कोना व्यासदेवक बाद सर्वाधिक लोकप्रिय तुलसी रहला।

               गौर करबाक बात ई छैक जे 1933 मे जखन नागार्जुन बाइस बर्षक रहथि, आइ दुनिया जाहि नागार्जुन कें जनैत अछि, तकरा धरि पहुँचबा मे हुनका एखन देरी छलनि। वैह नागार्जुन पूर्ण परिपक्व भेलाक बाद 1970 मे 'मानस चतु:शताब्दी समारोह' शीर्षक लेख लिखैत छथि तँ मानसक प्रति हुनकर दृष्टिकोण पूरा बदलल देखार पड़ैत अछि। 1934 बला निबन्ध मे नागार्जुन तुलसीदास कें 'नवजीवनदाता' कहैत छथि आ मानस कें 'अमृतवाणी'। 1970 बला निबन्ध मे नागार्जुन तुलसी कें 'अच्छे-खासे महन्त' आ वर्णाश्रम धर्मक ठिकेदार कहैत छथि। लिखै छथि-- 'रामचरितमानस हमारी जनता के लिए क्या नहीं है? सभी कुछ है! दकियानूसी का दस्तावेज है... नियतिवाद की नैया है... जातिवाद की जुगाली है। सामंतशाही की शहनाई है। ब्राह्मणवाद के लिए वातानुकूलित विश्रामागार... पौराणिकता का पूजा-मंडप... वह क्या नहीं है। सब कुछ है, बहुत कुछ है।' तुलसीक बारे मे कहैत छथि-- 'कबीर और नानक की बराबरी मे  बिठलाकर तुलसीदास से जवाब-तलब करो तो आपको असलियत का पता चल जाएगा।'

               1934 मे प्रथम निबन्धक बाद हुनकर दोसर निबन्ध 1936 मे ओही 'दीपक' मे छपलनि, जकर ओ सम्पादक छला-- 'बुद्धयुग की आर्थिक अवस्था'। तहिया धरि ओ मज्झिम निकाय पढ़ि लेने रहथि आ ओकरे असर मे ई निबन्ध लिखल गेल अछि। बुद्धयुग मे उत्पादन पर, आ पारिश्रमिक तथा लाभ पर समाजक पूर्ण नियंत्रण छल। जाहि शिल्पकार लोकनि कें बाद मे शूद्र आ दलित बना क' अपमानक दृष्टि सँ देखल गेल, ओहि युग मे एकर सर्वथा अभाव छल। राजा बनबा सँ पहिने राजकुमार कें की सब करय पड़ैत छल, तकर बानगी रखैत लिखलनि अछि जे 'राजकुमारकिसी कुम्हार के पास जाकर कहता है-- आचार्य मैं आपका शिल्प सीखना चाहता हूँ। ई आचार्य लोकनि छला-- बड्ढकि (बढ़इ), थपित (राजमिस्त्री), कम्भकार (कमार), चम्मकार (चमार), वेणुकार (बाँसक काज केनिहार डोम), लोणकार (नोन बनौनिहार)। 1936 जबानाक अंग्रेजी शासन पर लिखैत छथि-- 'इस गुलाम जमाने की मौजूदा मनोवृत्ति से उस युग की मनोवृत्ति को तौलना बड़ी धृष्टता होगी।' तहिना 'मुल्क की रग-रग में फैली हुई खुशहाली को इस तरह बेदर्दी दुह लेने के ये शैतानी तरीके तो मौजूदा जमाने की पूँजीशाही को ही मयस्सर है।' सोचि क' देखल जाय तँ 36क बात ठेठ अजुका बात सन लगैत अछि। ओहि युगक सामाजिक मनोवृत्तिक परिचय दैत बतबैत छथि जे राजपरिवार सन सुख-सुविधा मे पोसायल बालक सेहो जखन युवा होइत छल तँ कोनो काफिलाक संग भ' क' तक्षशिला चलि जाइत छल जे कोनो शिल्पक ज्ञान ली जाहि सँ अपन कायल खायब संभव भ' सकय। तहिया 'शिक्षा' अर्थ 'शिल्प' होइत छल, आ शिल्पक अर्थ शिक्षा, जकर प्रधान केन्द्र तक्षशिला रहय।

                   एहने एक आर अधिक बुद्धकालीन परिस्थितिक परिचय 'ब्राह्मण: बुद्ध युग में' निबन्ध मे भेटैत अछि। लिखलनि अछि जे बुद्ध-काल मे ब्राह्मणक रहन-सहन पूर्णत: आभिजात्यपूर्ण रहय। ओहि दिन मे तीने वेदक पढ़ल जायब चलन मे छल, चतुर्वेदी तहिया क्यो नहि होइत रहथि। ओहि कालक रेवाज सँ तहिया 'ब्राह्मण' हेबाक लेल पाँच टा गुण होयब अनिवार्य छल-- (1) मातृकुल आ पितृकुलदुनू दिस सँ अभिजात, (2) तीनू वेदक पारंगत, मंत्रधर एवं अध्यापक होयब (3) देखबा-सुनबा मे सुन्दर, अभिरूप (4) सुशील (5) चतुर, मेधावी, यज्ञ-दक्षिणा लेनिहार लोकनि मे प्रथम आ द्वितीय। जहाँ धरि गौतम बुद्धक मान्यताक प्रश्न अछि, बुद्ध जाति, वेद, वर्ण आदि कें नहि मानैत रहथि। हुनका संघ मे सवर्ण आ असवर्ण दुनूक स्थान बराबर छल। बचल बात ज्ञानक, तँ एकरा प्रति बुद्धक श्रद्धा अनन्य रहनि आ ज्ञानक मामला मे ओ ब्राह्मण आ श्रमण मे कोनो भेद नहि करैत छला। ब्राह्ण-समाज मे ज्ञानोपासनाक मानदंड की छल, तकरो विवरण बौद्ध-साहित्य मे प्राप्त होइत अछि। अध्ययनक विषय छल-- तीन वेद, शिक्षा-कल्प, निघंटु, व्याकरण, लोकायत, सामुद्रिक आदि। अड़तालिस वर्ष धरि गुरुकुल मे ब्रह्मचर्यक पालन करैत एहि सब विषय मे पारंगत हुअय पड़ैत छल। समावर्तन काल मे आचार्य ई कहि क' अन्तेवासी कें उत्तीर्ण करैत छला जे जे हम जनैत छी से तों जनैत छह, जतबा तों जनैत छह ततबे हम जनैत छी। एकर बादे ओ विवाह करथि, आ अध्यापन क'क' अपन यश कायम करथि। कोनो ने कोनो राजा सँ एहन ब्राह्मण कें लाखिराज ब्रह्मोत्तर भेटिये जाइत छलनि। पूर्ण यशस्वी भेलाक बाद हुनका 'दिसापाभोक्खो आचरियो' कहल जाइन, जकर अर्थ होइत छल-- अमुक दिशाक सब सँ पैघ आचार्य। त्रिपिटक आ अट्ठकथा मे बुद्ध युगीन किछु प्रभावशाली ब्राह्मण लोकनिक चर्चा आयल अछि, जाहि मे सँ पौष्करसाति, अम्बष्ठ, चंकि, कूटदन्त आदि ब्राह्मणक कथा विस्तारपूर्वक एहि निबन्ध मे आयल अछि। तत्कालीन ब्राह्मण-समाज मे गौतमक प्रति सामान्यत: श्रद्धाक भावना छल, सेहो स्पष्ट होइत अछि। लिखलनि अछि जे भारतीय ज्ञान-परम्परा मे जे प्रगाढ़ता आ गहराइ आयल, से बौद्ध दर्शनेक प्रभाव सँ। आगू बहुतो रास जे बौद्ध दार्शनि जेना-- नागार्जुन, असंग, वसुबन्धु, दिङ्नाग,धर्मकीर्ति आदि भेलाह, ई लोकनि ब्राह्मणे रहथि। तात्पर्य जे आगूक युग मे जे सब सँ प्रतिभाशाली बौद्धिक होथि, ओ बौद्ध दर्शनक दिस रुख करैत छला। गौतम कें कोना विष्णुक अवतार मानि लेल गेलनि, आ तकर बाद बौद्ध धर्म कें कोना ब्राह्मण धर्मक प्रभामंडलक बीच घीचि आनल गेल, पूरा विवरण एहि निबन्ध मे आयल अछि।

              नागार्जुनक निबन्ध सब मे विषयगत विविधता बहुत बेसी छनि, जे हुनकर रुचि आ अनुभव दुनूक परिचय दैत अछि। भाषा, साहित्येतिहास, समाज, भूगोल, संस्कृति, धर्म, साहित्यिक व्यक्तित्व आदि पर तँ ओ लिखनहि छथि, आम जीवनक समस्या, भिन्न-भिन्न स्थान पर रहनिहार लोकक जीवनचर्या आ संस्कृति, तुच्छ सन देखाइत कोनो वस्तु वा हिस्सक-- ई सब चीज सेहो पूरा व्याप्तिक संग हुनकर साहित्य मे आयल अछि। 'मशक्कत की दुनिया', 'दिमागी गुलामी', 'सत्यानाशी जल-प्रलय', 'बम्भोलेनाथ', 'सर्कस: कलकत्ते में'-- ई सब हुनकर निबन्ध सभक शीर्षक थिक।

               ई बात जरूर छैक जे अपन अधिकांश निबन्ध ओ भाषा आ साहित्यक सम्बन्ध मे लिखलनि। 'उपन्यास ही क्यों?', 'आज का मैथिली कवि', 'आज का गुजराती कवि', 'मैथिली और हिन्दी', 'राज्याश्रय और साहित्य जीविका', 'महाकवि वल्लतोल' आदिक अतिरिक्त अपन समकालीन साहित्यकार यथा राहुल सांकृत्यायन, बेनीपुरी, यशपाल, फणीश्वरनाथ रेणु, अमृता प्रीतम आदि पर हुनकर लेख छनि। प्रेमचंद आ निरा-- ई दू साहित्यिक व्यक्तित्व नागार्जुन कें एहि तरहें प्रभावित केने छलनि, जे हिनका पर लिखल कृति स्वतन्त्र किताबक हैसियत रखैत अछि।

             'उपन्यास ही क्यों?' मे हुनकर चिन्ता ई छनि जे साधारण पढ़ल-लिखल लोक जासूसी, रोमांस, तिलस्मी आदि प्रकारक किताब पढ़ैत अछि, जखन कि प्रेमचंदक उपन्यास उपलब्ध छै, गोर्की आ विक्टर ह्यूगो सन प्रसिद्ध लेखक सभक किताब आब हिन्दी मे सेहो प्रकाशित छै। 'किस्सा तोता मैना' सन वस्तु घर-घर पहुँचल छै। सही साहित्य दिस जन-रुचि कें आकर्षित करबाक उपाय सब पर एहि निबन्ध मे चर्चा कयल गेल छैक। 'राज्याश्रय और साहित्य जीविका' मे हुनकर प्रश्न छनि जे आधुनिक साहित्यकारक लेल सरकार सँ सम्बन्ध कतेक आ कोन हद धरि उपयोगी छै। दोसर, साहित्य सँ इतर अपन जीविकाक लेल लेखक कें की करबाक चाही। कहैत छथि-- 'मौजूदा शासन के अन्दर सर्वांशत: राज्याश्रय सच्चे साहित्यकार के लिए ठंडी कब्र है, यानी प्राणिशोषक समाधि।' नागार्जुन प्रेमचंदक एहि कथनक प्रबल समर्थक छथि जे लेखक कें अपन जीविकाक वास्ते कोनो ने कोनो नोकरी पकड़ि लेबाक चाही, मने अपन आजीविका के भार साहित्य पर नहि लदबाक चाही। हुनका सन साहित्यकार जे पूर्णत: आम जनता कें समर्पित छथि, मानैत छथि जे लेखकक असल आश्रयदाता तँ साधारण पाठक होइत अछि। ओ लिखैत छथि-- 'जनसाधारण पाठकवर्ग ही हमारे अन्नदाता हैं। हमारे अन्नदाता कल‌ नहीं तो परसों अवश्य सुखी होंगे, फिर अपने साहित्यकार की सुधि वे अवश्य लेंगे।'

‌‌‌‌‌            'आज का मैथिली कवि' 1945 मे 'लोकयुद्ध' पत्रिका मे छपल छल। तहिया धरि मैथिलीक परंपरित काव्य-ढाँचा मे देखनगर परिवर्तन आबि चुकल रहैक। 1930-32क सविनय अवज्ञा आन्दोलन कोन रूपें  मैथिली कविता कें प्रभावित कयने छल आ ओकर बादक प्रमुख मोड़, जेना किसान आन्दोलन अथवा भारत छोड़ो आन्दोलन सँ मैथिली कविता कें जाहि तरहक प्रभाव प्राप्त भेलै, तकर विश्लेषण एहि निबन्ध मे कयल गेल अछि। तहिना, द्वितीय विश्वयुद्ध, जकरा मिथिला मे जर्मन के लड़ाइ कहल जाइत छैक, सबटा विमर्शक विषय बनल अछि। एहि लेख मे एक मुसलमान कविक उल्लेख भेल छैक जे मैथिली मे गीत बना, पुस्तिका छपा क' ट्रेन मे गाबि-गाबि क' बेचैत छथि। 1945 मे यात्री लिखने छथि-- 'मिथिलेश (दरभंगा के महाराजा) और उनके बाप-दादों और चचा-भतीजों की गुण-गाथा गानेवाले कवियों की परंपरा अब आखिरी साँस ले रही है।... अब तक का मैथिली साहित्य संपन्न और अभिजात वर्ग का साहित्य रहा है, परंतु अब सर्वसाधारण जनता के सुख-दुख का वाहन बनने जा रहा है।'

           तहिना अलग-अलग लेख सब मे ओ गुजराती, सिन्धी आ पंजाबी साहित्य पर लिखने छथि। कहब जरूरी नहि जे एहि सब भाषाक हुनका ज्ञान रहनि आ अद्यतन साहित्य-विकास सँ ओ सुपरिचित रहथि। नागार्जुनक जे निबन्ध मिथिला आ मैथिली मे सर्वाधिक चर्चित भेल, से छल 'मैथिली और हिन्दी।' एही शीर्षक सँ प्रसिद्ध हिन्दी आलोचक रामविलास शर्माक एक लेख 'पाटल'क जनवरी 1954क अंक मे प्रकाशित भेल छल। एहि लेख मे मोटामोटी यैह बात कहल गेल रहैक जे हिन्दीक व्याप्तिक सामने मैथिली नहुँ-नहुँ अपन सर्वस्व विलीन क' देतै आ एही मे ओकर कल्याण छैक। सर्वविदित अछि जे नागार्जुन घोषित रूप सँ मैथिलीवादी रहथि, आ एहि लेल कतेको कड़ा प्रतिरोध कम्युनिस्ट पार्टी दिस सँ वा हिन्दीक साहित्यकार समाज दिस सँ सहि चुकल छला। सब ठाम ओ करारा जवाब देने रहथि। ई मामला कने भिन्न एहि लेल छल जे रामविलास शर्मा हुनकर प्राचीन मित्र रहथिन आ दुनू गोटे कैक तरहें जुड़ल छला। नागार्जुनक नाम मे जे 'बाबा' शब्द लागल तकरो आदि प्रवर्तक यैह रामविलास शर्मा रहथि। मुदा, बात एतय मातृभाषा मैथिलीक रहैक, जाहि सम्बन्ध मे शर्मा जीक कहब रहनि जे जहिना कि सामंती अवशेष मेटायत, मिथिला मे मैथिली बोली समाप्त भ' जायत आ एकर स्थान हिन्दी ल' लेत। अपन मित्रक तर्क आ अवधारणाक निर्मम आलोचना करैत नागार्जुन लिखलनि जे रामविलासक सेहन्ता कहियो पूर्ण नहि हैत। मैथिलीक विशेषता बतबैत ध्वनिशास्त्र सँ ल' क' अभिव्यक्ति-सामर्थ्य मे अपेक्षाकृत अधिक दृढ़ताक उदाहरण दैत ओ चेतावनी देलनि जे 'आपलोग हिन्दी प्रचार आन्दोलन को शासकीय स्वर्ण-चंगुल से मुक्त कर लीजिये। कोटिपतियों के कृपा-कटाक्ष से छुटकारा पाने में हिन्दी की मदद कीजिये।' आ, सतर्क आ सतथ्य उद्घोषणा केलनि जे 'जिस तरह विद्यापति के पद्यों को आप नहीं पचा सके, उसी तरह मैथिली के आधुनिक कवियों-कथाकारों को भी आप आत्मसात नहीं कर पाएँगे। अभिव्यक्ति की,वाक्य-विन्यास की, उच्चारण के क्रमों की, ध्वनियों और स्वर-संघातों की हमारी अपनी विशेषताएँ हैं। उन्हें न संस्कृत हजम कर सकी,न फारसी। अंग्रेजी के भी बूते का यह काम नहीं रहा। मैथिली को पचा लेने की सामर्थ्य हिन्दी या भारत की किसी भी अन्य भाषा में नहीं है।'

               नागार्जुन भाषा-समस्या पर एक आरो लेख 1962 मे लिखलनि जे 'धर्मयुग' मे छपल छल-- 'हिन्दी की छाती पर अंग्रेजी को लादा नहीं जा सकता'। एहि निबन्ध मे हुनकर ई चिन्ता प्रकट भेलनि अछि जे अंग्रेजी मानसिकताक कारण आइयो हिन्दी कें ओकर वास्तविक स्थान नहि भेटि सकल अछि। अंग्रजीदाँ लोकक मानसिकता कें ओ ठीक-ठीक ओही कोटिक मानसिकता मानैत छथि जकरा अनुसार मंदिर मे स्थापित 'देवता-क्लास'क लोक शूद्र-चांडाल आदिक स्पर्श-दोष सँ बचल रहय चाहैत अछि। जेना कि संग्रेजी बला सभक प्रचार छैक जे हिन्दी पछड़ल लोक सभक भाषा थिक आ तें एकरा अंग्रेजीक समतुल्य नहि मानल जा सकैए। गाँधी, विनोबा आदि कें सन्त कोटिक लोक कहि क' हुनकर भाषा-नीति सँ पिण्ड छोड़ाओल जाइछ। ओही ठाम, लोहिया समान लोकनिष्ठ राजनेता जखन 'अंग्रेजी हटाओ' के नारा देलनि तँ नबका अभिजात 'विश्वात्मा' लोकनि हुनका सनकी कहि क' बात कें तोपलनि। नागार्जुन लिखैत छथि-- 'संसार की निगाहों में हमारी यह अंग्रेजी-भक्ति भारतीय जनता की मानसिक पंगुता का चटकीला विज्ञापन साबित हो रहा है। देश से बाहर जाने पर इस सचाई का पता चलता है, दुनिया भर के समझदार व्यक्ति हमारे स्वाभिमान को संशय की भावना से तोलते हैं--क्या इन भारतीयों की अपनी कोई भाषा नहीं है?'

             नागार्जुनक एक निबन्ध छनि-- 'मशक्कत की दुनिया'। एहि मे ओ हिमालय पर्वतक बारे मे प्रचलित एहि मिथ कें तोड़ैत देखाइत छथि जे हिमालय स्वर्ग सन सुन्दर अछि। असल मे ओ पहाड़ परहक निवासी लोकनिक दृष्टि सँ हिमालय कें देखलनि अछि। हमसब जनैत छी जे हिमालयक विभिन्न जगह सब हुनका बहुत प्रिय रहनि आ बराबर ओ हिमालयक यात्रा करैत रहला आ मासक मास ओतय रहला। एहि निकटता सँ व्यक्ति कोना असलियत के करीब अबैत अछि, ई लेख तकर दृष्टान्त थिक। लिखलनि अछि-- 'कालिदास ने जिस हिमालय को 'देवात्मा' कहा है, वह वास्तव मे मशक्कत की दुनिया है। यहाँ मिहनत से क ई गुना मिहनत करने पर भी उस स्वर्गीय प्रदेश के देवता-- पहाड़ के वाशिंदे सूखा खाते हैं और मोटा पहनते हैं। हाँ, नोटों का बंडल बाँधकर और थैली भरकर जो साहब उधर गर्मियों में सैर करने जाते हैं, हिमालय केवल उन्हीं को स्वर्ग दीखता है।' हाँ, एतबा बात जरूर जे ई निबन्ध 1942 मे लिखल गेल छल। निकृष्ट राजनीति आ पर्यावरणक विनाशक मानसिकताक कारण आब पहाड़ो पर थैलीशाह लोकनि भ' गे छथि। एकरा विकास कही कि विनाश, गहन प्रश्न थिक।

               तहिना हुनकर एक निबन्ध छनि-- दिमागी गुलामी। स्वाधीन मनोवृत्ति कोना आन्तरिक स्वस्थताक सब सँ पैघ लक्षण थिक, से कहैत ओ दिमागी गुलामी कें परिभाषित करैत छथि। हुनका दृष्टि मे जे बात हमर हृदय कबूल करैत हो, मुदा ओहि बात कें हम अपन दैनिक व्यवहार मे, कुल्लम जीवन मे उतारि नहि सकी तँ यैह दिमागी गुलामी थिक। आजादी सँ पहिने लिखल एहि लेख मे ओ स्पष्ट करैत छथि जे दिमागी गुलामी, राजनीतिक गुलामी सँ बेसी घातक होइत अछि।

            गाजीपुर किसान सम्मेलन, फर्स्ट क्लास फर्स्ट, पंजाब के पुरुषार्थी, रहनुमा, भ्रष्टाचार का दानव, अन्नहीनम् क्रियाहीनम् आदि निबन्ध समाजक समस्या आ संकट कें ल' क' लिखल गेल अछि। हुनकर निबन्धक जे संकलन बहार भेल ओकर नाम अछि-- अन्नहीनम् क्रियाहीनम्। ई निबन्ध बिहारक अकाल पर लिखल गेल अछि जाहि मे जनता कें अन्नहीन आ सरकार कें क्रियाहीन कहल गेल अछि। तहिना 'भ्रष्टाचार का दानव' मे ओ भ्रष्टाचार मे निरंतर होइत वृद्धिक लेल राजनीतिक नेता लोकनि कें मुख्य रूप सँ जिम्मेदार मानैत छथि। 'रहनुमा' शीर्षक निबन्ध शिक्षक लोकनिक योग्यता-अयोग्यताक विषय मे अछि। बेधड़क कहैत छथि-- 'पुराने शिक्षकों के प्रति नयी पीढ़ी की श्रद्धा-भक्ति दिन से दिन घटती जा रही है, यह चिन्ता का विषय नहीं है। मैं इसे भावी पीढ़ी के लिए बड़ा शुभ मानता हूँ। मेरी दृढ़ धारणा है कि युवकों के शिक्षक युवक ही हो सकते हैं। ठस दिमाग वाले सिकुड़े हुए दिल वाले वयस्क भला नौजवानों को क्या सिखलाएँगे?' 'वन्दे मातरम्' निबन्ध मे राष्ट्रीय गीतक बहन्ना सँ शासन-प्रशासन मे व्याप्त भ्रष्टाचार आ नैतिक पतन पर तीक्ष्ण व्यंग्य कयल गेल अछि। 'सरस्वती का अपमान' मंचीय कवि सभक आत्ममुग्धता, धनलोलुपता आदिक बारे मे अछि। 'दादाजी, आप रिटायर हों' मे गतिहीन आ आत्ममुग्ध वृद्ध लोकनि पर व्यंग्य अछि। नागार्जुनक मान्यता रहनि जे युवक कें चाही जे बूढ़ लोकनि कें सामने कुर्सी पर बैसाबथि, अपन छाती पर नहि, जेना कि अधिकांश बूढ़क मंशा रहैत छनि।

            जेना नागार्जुनक निबन्ध सब मे विषय-वैविध्य अछि, ठीक तहिना शिल्पक सेहो बहुतो प्रकारक प्रयोग ओ अपन निबन्ध सब मे कयने छथि। कोनो निबन्ध जँ विचार-प्रधान अछि तँ कोनो भावना-प्रधान। कोनो जँ रिपोर्ताज शैली मे लिखल गेल अछि, तँ कोनो ललित निबन्धक शैली मे। सब ठाम मुदा भाषा एकदम सरल आ आम जनजीवनक लगीचक। अपन निबन्ध सभक लेल सेहो नागार्जुन बेस स्मरण कयल जाइत छथि।


संस्मरण एवं यात्रा-वृत्तान्त


यात्री नागार्जुनक जीवन-यात्रा पर पहिने चर्चा भ' चुकल अछि। ओ बीसम शताब्दीक प्राय: हिन्दी-मैथिलीक सब सँ पैघ अथक यायावर छला, जिनकर यायावरी हुनकर ऊर्जाक केन्द्र छल। अपन यायावरीक बहुत कम मात्राक उपयोग ओ अपन लेखन मे क' सकलाह। ई प्राय: हुनकर अपन चुनाव छलनि, कारण यायावरी कें ओ लेखनक विषय नहि, जीवन जीबाक शैलीक रूप मे बरति रहल छला। एहि यायावरीक प्रसादात् बहुत पैघ-पैघ लेखक सँ सेहो हुनकर संपर्क-सामीप्य भेलनि। संस्मरण आ यात्रा-वृत्तान्त ओ कम लिखलनि, मुदा जतबे लिखलनि से हिन्दी साहित्यक गौरव थिक। हुनकर यायावरीक सब सँ पैघ विशेषता रहलनि जे ओ संभ्रान्त पर्यटक जकाँ ने कतहु घुमला, ने ताहि रूप मे कोनो व्यक्ति संग जुड़ला। हुनकर शैली एक आम आदमीक शैली छल, जकरा बारे मे प्रख्यात लेखक कमलेश्वर अपन एक संस्मरणात्मक लेख मे लिखलनि अछि-- 'असम, उड़ीसा से राजस्थान या मध्यप्रदेश के अन्तरालों में या गंगोत्री की चढ़ाई में या कश्मीर के रास्ते में, या लोनावला के चायघर में, या बोरीबन्दर स्टेशन पर-- हर जगह एक-न-एक ऐसा व्यक्ति जरूर मिला है, जो नागार्जुन-सा लगता रहा है।' ओ प्रश्न करैत छथि-- 'ऐसा क्यों है कि हिन्दुस्तान के हर पड़ाव पर एक-न-एक नागार्जुन नजर आता है? यह सपने की बातें नहीं, सच्चाई है कि बाबा नागार्जुन हर जगह दिखाई पड़ जाते हैं। यशपाल दिखाई नहीं देते। अमृतलाल नागर भी नहीं, भगवती बाबू भी नहीं। पर मुक्तिबोध और और नागार्जुन दिखाई पड़ जाते हैं। एक बार किसी सूने छोटे-से स्टेशन से गाड़ी चली, केबिन गुजरा और दिखाई दिया कि नागार्जुन खिड़की की पाटी से लगे झंडी झुकाए खड़े हैं।... और अभी परसों ही, केफोर्ड मार्केट के मछली बाजार के पास से गुजर रहा था। देखा, बाबा मछलियों की पेटी में बरफ की तहें लगा रहे थे। दिसावर में भेजने के लिए।' तात्पर्य दूटा। एक तँ एहिना जगह-जगह ओ वास्तव मे देखल जाइत रहथि। दोसर, ओ एक आम, साधारण जनताक बुजूर्ग सदस्य सन देखबा-सुनबा मे लागथि। हुनकर ढब-ढाँचा एहन रहनि जे ओहि तरहक लोक बहुतो ठाम बहुतो काज करैत देखार पड़ि सकैत रहथि।

               हिन्दी मे नागार्जुनक संस्मरण सब दू तरहक छनि। एक तँ अपन नौजवानी मे जे बीहड़ यात्रा सब केलनि, तकर संस्मरण। कोना हिमालय मे बेर-बेर जा क' अनंत आदमीयत के खोज करैत रहला। कोना कैलास मानसरोवर गेला (कैलास की ओर)। तिब्बतक थोलिङ् मठ मे प्रवेश कोना भेलनि आ ओतय सँ वापस कोन परिस्थिति मे भेला (थोलिङ् महाविहार)। एकटा भिन्न संस्कृतिक आतिथ्य सत्कार केहन छल (आतिथ्य सत्कार)। कोना ओ सिन्ध (आब पाकिस्तान मे) के इलाका मे तरह-तरहक अनुभव प्राप्त केलनि (सिन्ध में अत्रह महीने)। ई सब चीज तते सचित्र आ सरल तरीका सँ लिखल गेल अछि जे ओहि इलाका मे पाठक कें ल' जा क' ठाढ़ क' दैत छैक। आम तौर पर हमसब हिन्दू संस्कृति कें भारतीय संस्कृति मानि लैत छी, मुदा एही भारत मे जे पारसी लोकनि रहैत छथि वा बौद्ध लोकनि, हुनका सभक संस्कृति मे की तत्व छनि, सहज मानवताक दृष्टियें कतेक की वस्तु छनि, जे अपनाब' जोगरक अछि, ई सब बात समक्ष अबैत अछि। सिन्ध इलाकाक एक प्रसंग देखल जाय। नागार्जुन सक्खर नामक बस्ती गेला अछि। ई बस्ती सिन्धु नदीक काते कात बड़ी दूर धरि पसरल छै, जे कि आब पाकिस्तान मे पड़ैत अछि। लिखै छथि-- 'उस दिन शायद पूर्णिमा थी। हजारों नागरिक सिन्धुनद के दर्शन करने आए थे। दोने में किंकुम और अक्षत डालकर दीप जलाकर उसे प्रवाह में छोड़ रहे थे। शत-सहस्र दीपिकाओं का वह समूह अरब सागर की ओर बहा चला जा रहा था। और, मैं सिन्धी जनता के श्रद्धा-निवेदन का वह मधुर प्रतीक देख-देखकर चित्र-लिखित-सा खड़ा था। एक वृद्ध सज्जन ने भावावेश में पाकर मुझे छेड़ दिया-- कहाँ से आए महाराज? मैंने संक्षेप में बता दिया और पूछा-- नदी के किनारे इस प्रकार श्रद्धापूर्वक दीप बहाते तो मैंने कहीं भी नहीं देखा है, आपके देश में यह कौन-सी रीति है? वृद्ध सज्जन ने कहा-- हम सिन्धी वरुण के उपासक हैं। जहाँ जाएँगे, आप इस देश में यही रीति पाएँगे। उसी प्रसंग में उक्त सज्जन ने एक अनुष्टुप सुनाया-- केचिदत्र निराकारा: साकाराश्च तथापरे।/ वयं संसार संतप्ता नीराकारमुपास्महे।।' (दुनिया मे किछु लोक निराकारक उपासना करैत छथि, किछु साकार रूपक। मुदा संसारक ताप संतप्त हमरा लोकनि नीराकार अर्थात जलमय भगवानक रूपक उपासना करैत छी।) अद्भुत बात ई जे एहि लोक सब मे केवल हिन्दू आ पारसी होथि, से नहि। मुसलमान, जे कि बहुसंख्यक छथि, सेहो ओतबे रहैत छथि। ओ लोकनि सिन्धु कें महामान्य मानैत 'दरियाशाह' कहैत छथि।

        

            दोसर प्रकारक संस्मरण साहित्यकार सभक संगतिक सम्बन्ध मे छनि। राहुल सांकृत्यायन, निराला आ प्रेमचंद-- एहि तीन वरिष्ठ साहित्यकार सँ ओ गँहीर रूपें जुड़ल छला। निराला पर तँ अलगे सँ एक पुस्तक लिखलनि, जाहि मे स्मरणक संग महत्व आ समीक्षा दुनू विषय कें ओ अंग बनेलनि। तहिना, बाल-पाठकक लेल ओ प्रेमचंदक जीवनी लिखलनि, जे कि एक स्वतन्त्र पुस्तक थिक। राहुल सांकृत्यायन पर हुनकर चारि गोट लेख छनि जे विभिन्न कालखंड मे लिखल गेल अछि आ राहुल जीक कर्मठ जीवन सँ ल' क' हुनकर अन्तिम दर्शन धरि व्याप्त अछि। 

            राहुल जी पर सब सँ रोचक अछि हुनकर ओ लेख, जाहि मे अंतिम दर्शनक संगहि हुनकर स्थिति-परिस्थिति आ हुनका संग कयल गेल यात्रा सभक प्रसंग नागार्जुन लिखने छथि। राहुल जी अपन जवानी मे, जखन कि हुनकर आयु मात्र 23 वर्ष छलनि, एक शपथ लेने छला जे जाधरि हमर उमेर पचास नहि पुरि जाइए ताधरि हम गृह तँ के कहय जे गृहजिला आजमगढ़ मे पयर नहि राखब। असल मे भेल ई छलैक जे ओही उमर मे ओ घर त्यागि क'  साधू बनि गेल रहथि। कोनो कार्यक्रम मे ओ कहियो आजमगढ़ आयल रहथि, तकर सूचना पिता गोवर्धन पाण्डेय कें भेटि गेलनि। पुत्रक गृहत्याग सँ पिता बहुत अधिक व्यथित रहथि। सूचना पाबि किछु लोक कें संग क' ओ राहुल कें मनब' लेल पहुँचि गेला। घर घुरबाक बात तँ कात जाय, उनटे ओ भीषण प्रतिज्ञा क' लेलनि जे पचास पुरबा सँ पहिने गृहजिला मे पयर नहि धरब। 9 अप्रैल 1943 ओ दिन छल, जहिया ओ पचास वर्षक भ' गेला। सताइस वर्षक समय बीति चुकल छल। सताइस वर्ष बीति जायब की होइत छैक आ एहि बीच मे कोना की परिवर्तन होइत छैक, स्वयं राहुल लिखने छथि जे हुनको एकर अनुमान नहि छल। महत्वपूर्ण ई छल जे पचासक बाद अपन गामक जे पहिल यात्रा राहुल क' रहल रहथि, ओहि मे हुनका संग नागार्जुन रहथिन। राहुल जी अपन 'जीवनयात्रा' मे एहि प्रसंग कें विस्तारपूर्वक लिखने छथि। अपन गाम कनैला मे ओ चारि घंटा रुकलथि। भाइ श्यामलालक घर मे भोजनक व्यवस्था रहनि। भोजन जखन क' चुकलथि, राहुल लिखलनि अछि, 'कपड़ों से ढँकी एक मूर्ति ने मेरे पैरों  पर गिरकर रोना आरंभ करना चाहा।' राहुलक विवाह शैशवावस्थे मे करबा देल गेल रहनि। ओ मूर्ति हुनकर पत्नी रहथिन। राहुल तँ झटपट उठि आँगन सँ बहरा गेला। नागार्जुन सँ से संभव नहि छलनि, एक तँ कवि-स्वभावक कारण, दोसर एहू कारण जे उमर मे छोट रहथिन ताहि दुआरे महिला लोकनिक रोब-दाब हुनका पर बेसी चलि सकैत रहथि। आगूक खिस्सा नागार्जुनक लिखल सुनल जाय-- 'उस स्वस्थ, सुंदर और प्रौढ़ ग्रामीण महिला ने मुझसे कैफियत तलब की--मेरा क्या कसूर है, क्यों छोड़ रखा है उन्होंने... जवाब में एक भी बोल इस मुँह से नहीं फूट रहा था। मैं चुप्पी साधे, निगाहें नीची किये था... छोटी-बड़ी उम्र की अनेक स्त्रियाँ खुले जँगले से बाहर खड़ी थीं, पैने सवालों से मुझे छेद-बेद रही थीं...तैश में आकर एक वृद्धा ने उस महिला की कलाई पकड़ ली, खींचती हुई चीखी-- छोड़ो छोड़ो, चलो यहाँ से। यह भी किसी को छोड़कर भाग आया होगा। केदार (राहुल) ने भगोड़ों की जमात कायम कर रखी है... मुझे कनैला की उस वृद्धा का वह आक्रोश कभी नहीं भूलता। वह भाभीजी को खींचकर मेरे सामने से हटा ले गयी थी।' 

           एक प्रसंग बनारसीदास चतुर्वेदीक छनि, जे 'सो रहा हूँ' मे आयल अछि। नील आ लाल रंगक मोटका अक्षर मे लिखल ओहि तख्ती पर लिखल रहैत छल, जे चतुर्वेदी जी अपना घरक बाहर टाँगि देल करथि। हुनकर अटल सिद्धान्त रहनि जे मध्याह्नोत्तर निद्रा अवश्य लेता, अढ़ाइ-तीन घंटाक। ओहि समय ओ सांसद रहथि, राष्ट्रपति-भवनक बगल मे सरकारी क्वार्टर मे रहैत छला, मुदा ओ तँ सर्वतन्त्र स्वतन्त्र रहथि। संस्मरणक आरंभ छैक-- ' भोजन के बाद चतुर्वेदी जी ने कहा-- साढ़े बारह बज गये हैं, अब जाइए और आराम कीजिए।

    'मैं तो जाकर अब लिखूँगा, जरूरी है-- मैं बोला।

     'फिर आप नया संसार कैसे बनाएँगे? दोपहर को डेढ़-दो घंटे सो लेना निहायत जरूरी है। मेरा बस चले तो स्पेशल आर्डिनेंस निकलवा दूँ और मध्याह्न के समय दो-ढाई घंटे की लाजिमी छुट्टी हुआ करे...'

          कतेक बेर बहस केलनि, मुदा कोनो फर्क नहि। एक बेर तँ कहि देलखिन जे 'ग्रीष्म ऋतु मे दोपहर के वक्त बुद्ध के जमाने में भी लोग सोते थे, मगर सभी ऋतुओं में मध्याह्न निद्रा का विधान सिर्फ रोगियों के लिए है।' मुदा, तकरो काटि देलखिन चतुर्वेदी जी-- 'जनवादी अथवा समाजवादी शासन की स्थापना के लिए संतुलित चित्त वाले हजारों कर्मियों की आवश्यकता पड़ेगी और चित्त को संतुलित करने के लिए मध्याह्न निद्रा एक अनिवार्य साधन है।' 

               मैथिलीशरण गुप्त आ हुनकर अनुज सियारामशरण गुप्तक कहल एक वचन 'विषकीट' शीर्षक बला लेख मे आयल अछि। असल मे ओहि लेख मे ओ अपन बचपन, तरुणाइ आ युवावस्थाक अभाव-अभियोग आ संघर्षक विवरण देने छथि। लिखने छथि जे साहित्यक नौ रस मे सँ कोनो मे ओ लेखन नहि कयने छथि। हुनका साहित्य मे 'विक्षोभ' नामक दसम रसक आविर्भाव भेलैक अछि। लिखलनि अछि-- 'गरीबी की सीमा-रेखा से नीचे रहनेवाले लोगों की संख्यादस-पाँच लाख की नहीं है, यह तो हमारी सम्पूर्ण जनसंख्या की आधे से ऊपर चली गयी है... ऐसी स्थिति में यदि मेरी चेतना विक्षुब्ध भावभूमि पर विराजमान हो गयी तो अस्वाभाविक नहीं है। ... कबीर से मैंने दो-टूक अक्खड़पन लिया और निराला से स्वाभिमान का संस्कार। ... उच्चवर्ग के रहन-सहन के ढंग को, प्राचार्य और उच्च शिक्षाधिकारियों की व्यक्ति-केन्द्रिकता को, नेताओं के बहुरूपियापन को मैंने कभी क्षमा नहीं किया। ऐसा भी नहीं कि मैंने अपना मखौल न उड़ाया हो...'

            मैथिलीशरण राष्ट्रकवि रहथि, कारण ओ राष्ट्रवादी विचारधाराक प्रतिनिधित्व करैत रहथि। जेहने ओ, तेहने हुनकर अनुज। दुनू कें नागार्जुन आ हुनकर विचारधारा सख्त नापसंद। एक बेर भेंट करय गेला तँ दुनू भाँइ संगहि बैसल छला। सियारामशरण जी नागार्जुन कें कहलखिन-- 'आपको देखता हूँ तो शंकित हो उठता हूँ। लगता है विष का मटका इधर डोलता आ रहा है...' एहि बात पर मैथिलीशरण जीक मुँह सँ वचन निकललनि-- 'संस्कृत का विद्वान होने पर भी इसके अंदर इतना जहर भरा है... ब्राह्मण वंश में जन्म हुआ, विद्यापति की मिथिला में पैदा होने से अमृत इसके लिए सहज लभ्य था, किन्तु यह तो विषकीट निकला।' एकर जवाब मे नागार्जुन इहो कहला सँ नहि चुकला जे अहाँ अपना दिस सँ अमृतक किछु बूँद टपका दी तँ हमर आमूल परिवर्तन भ' जाए। मुदा, लिखलनि अछि-- 'वैष्णवी साँचे में यदि मैं कुछ लिख पाता तो वह रचना उन्हें पसंद आती, फिर मुझे गुप्तजी से अच्छा प्रमाणपत्र मिलता।'

         एहि तरहें हमसब देखि सकै छी जे जाहि कोनो विधा मे यात्री लेखन केलनि, वैचारिक रूप सँ जाग्रत आ ज्वलन्त, तथा भावात्मक रूप सँ जनापेक्षी आ मार्मिक बनल रहला। हुनकर यायावर प्रकृति आ अक्खड़ स्वभाव सब ठाम हुनका संग बनल रहलनि।


नागार्जुनक बालसाहित्य


संसारक प्राय: सब भाषा मे जे पैघ लेखक सब भेला, से कमोबेश बच्चाक सभक लेल सेहो लेखन केलनि। तकर पाछाँ मुख्य कारण ई जे भविष्यक प्रति ओ साकांक्ष होइत छथि। आइ जे बालक-बालिका छथि, वैह भविष्यक कर्णधार बनता। जँ हम चाहैत होइ जे भविष्य मे सेहो साहित्यक लेखक आ पाठक अनामति बनल रहय, तँ आजुक बालसाहित्य भविष्यक पाठक आ लेखक हेता।

             अपन आरंभिक साहित्यिक जीवने सँ ओ बालसाहित्य लिखब शुरू क' देने छला। अबोहर मे रहि क' जखन ओ 'दीपक'क संपादन करैत रहथि, तखने सँ। एहि पत्रिका मे नियमित रूप सँ किछु पृष्ठ बच्चा सभक लेल सुरक्षित होइत छल। जानि नहि कतेको बेर पत्रिकाक खाली पृष्ठ कें भरबाक लेल ओ विभिन न छद्मनाम सँ बालसाहित्य लिखल करथि। एहि सब रचना कें ताकि पेबा मे एखन धरि सफलता नहि भेटल अछि।

             1946 ईस्वी सँ ओ पटना रहय लगला। जाहि ग्रन्थमाला कार्यालय मे तहिया ओ डेरा रखने रहथि, आ जतय सँ हुनकर पहिल उपन्यास 'पारो' छपल, ओतहि सँ 'किशोर' नामक बाल-पत्रिका बहराइत छल। जून 1946 अंक सँ नियमित रूप मे 'किशोर' मे हुनकर रचना छपल भेटल अछि। ओहि समयक हिन्दीक सब सँ पैघ आ बहु-प्रसारित बाल-पत्रिका 'बालक' सेहो पटने सँ छपैत छल। 'बालक' मे नियमित रूप सँ ओ लेखन केलनि, एतय धरि जे किछु समयक लेल ओ 'बालक'क संपादक सेहो नियुक्त कयल गेला। पटना सँ बहराइ बला तेसर बाल-पत्रका छल 'चुन्नू-मुन्नू', एहू मे नागार्जुन नियमित रूप सँ लेखन केलनि।

                 विद्यापतिक 'पुरुष-परीक्षा' नागार्जुनक सर्वाधिक प्रिय पुस्तक मे सँ एक छल। एहि संस्कृत कथा-पुस्तकक कथा सभक बाल-पाठकक लेल भावानुवाद ओ 1953 सँ यदा-कदा करैत रहथि, जे अलग-अलग पत्रका मे ठाम-ठाम प्रकाशित होइत रहल। 1964 मे जखन 'विद्यापति के सौ गीत' नाम सँ भावानुवाद-सहित विद्यापति-पदावली सँ एक चयन छपलनि, तखनहि विचार भेल जे 'विद्यापति की कहानियाँ' सेहो छपबाक तैयारी भेल। पहिनेक कयल अनुवाद सहित किछु नव कथा कें शामिल करैत कुल तेरह बालकथाक संग्रह एहि नाम सँ 1964 मे छपल। एही मे सँ किछु-किछु कथा कें ल' क' हुनकर बालकथासंग्रह 'चार चोर' तथा 'षट्शास्त्री' नाम सँ प्रकाशित भेल।

              1954-55 ई. मे नागार्जुन रामकथा पर एक एहन किशोरोपयोगी दीर्घ कथा लिखलनि जे बहुत अधिक प्रशंसित भेल। प्रथम संस्करण मे एकर नाम छल-- मर्यादा पुरुषोत्तम राम। दोसर संस्करण 'भगवान राम' नाम सँ छपल। तेसर संस्करण मे फेर एकर नाम बदलि क' 'मर्यादा पुरुषोत्तम' कयल गेल। एही नाम सँ एखनहु ई पुस्तक उपलब्ध होइत अछि। एहि पुस्तकक विशेषता थिक जे वाल्मीकि आ तुलसी, दुनूक पाठ मिला क' ओ एहि पुस्तकक लेखन कयने छथि। ई पुस्तक अत्यन्त रोचक शैली मे लिखल गेल अछि जे रामकथाक मर्म कें किशोर पाठकक आगू ठाढ़ क' दैत छैक। एक उदाहरण देखी। राम कें चौदह वर्षक वनवास भ' गेलनि, आ दशरथ मृत्यु कें प्राप्त भेला। भरत मातृक सँ जखन घुरला, हुनका दुनू भाँइ कें किछुओ बूझल नहि छल। आगूक विवरण--

        'अपने पुत्र के आगमन का समाचार सुनकर खुशी के मारे उछलती हुई कैकेयी बाहर आई। भरत ने प्रणाम किया और पूछा-- माँ, क्या बात है? न पिताजी को देखता हूँ, न भाइयों को। कहाँ हैं ये सब?

          'कैकेयी ने विजयी स्वर में कहना शुरू किया-- भैया, मत पूछो उनका हाल। सब गुड़ गोबर हो रहा था। बेचारी मन्थरा ने हमें सहायता पहुँचाई। राजा ने तुम्हें युवराज बनाया और राम को चौदह साल के लिए वनवासी बना दिया। आओ बेटा, अब इन आँखों से तुम्हारा अभिषेक देखूँगी।

           'कैकेयी के मुँह से यह बज्रतुल्य बातें सुनकर भरत का हृदय विदीर्ण हो गया।...

             ' कैकेयी ने इतना तक कह दिया कि बेटा, बूढ़े राजा की चिन्ता करना बेकार है। आज न सही, कल, मरते तो वह अवश्य।  और, राम की वनवासी जीवन बिताने की अपनी इच्छा ही प्रबल थी। मैंने तो कुछ नहीं कहा था। कहा था इतना ही कि कुछ दिनों के लिए कहीं बाहर घूम आओ।

             भरत अपनी माँ को कोस ही रहे थे कि मन्थरा आ पहुँची। उस बुढ़या को अपनी सूझ-समझ पर बड़ा ही घमंड था। भरत ने गुस्से में भरकर उसकी ओर देखा। कुछ बोले नहीं। शत्रुघ्न से रहा न गया-- ओ बुड्ढी, सारे अनर्थों की जड़ तू है-- यह कहकर उसके कूबड़ पर शत्रुघ्न ने जमकर एक लात लगाई। वह ऐंच गयी। फिर शत्रुघ्न ने बाल पकड़कर बुढ़िया को आँगन में घसीटना शुरू किया। आखिर भरत के बीच-बचाव से उसके प्राण बचे।...'

               किशोर पाठकक लेल ठीक एहिना एक पुस्तक ओ प्रेमचंद पर लिखलनि। प्रेमचंदक जीवनी। पीपीएच (पिपुल्स पब्लिशिंग हाउस), जकर स्थापना 1943 मे भेल रहैक आ जे प्रगतिशील परंपराक साहित्य-प्रकाशन लेल नामी छल, 1960 मे ई योजना बनलैक जे प्रमुख व्यक्तित्व सभक जीवनी किशोर-पाठक लेल लिखबाओल आ प्रकाशित कराओल जाय। प्रमचंदक जीवनीक भार ओ लोकनि अमृत राय (प्रेमचंदक बालक तथा स्वयं एक प्रसिद्ध लेखक) कें देलखिन। जीवनी जखन पूरा भेलैक तँ अमृत राय वचनभंग करैत ई निर्णय क' लेलनि जे ई पुस्तक अपने, हंस प्रकाशन सँ, छपता। पीपीएच विवश भ' क' नागार्जुन सँ अनुरोध केलनि आ ओ मानियो गेला। अन्तत: ई‌ पुस्तक 1962 मे पीपीएच सँ छपलैक आ निस्सन्देह अमृत राय बला किताब सँ बेसी नीक भेलै। तकर कारण छल नागार्जुनक सृजनात्मक जतन। पहिल अध्यायक आरंभ एक स्वप्न सँ भेलैक अछि। लेखक सपना देखैत छथि जे 1932 मे ओ प्रमचंद सँ भेंट करय गेलाह अछि। हुनका इहो जानकारी दैत छथिन जे अहाँक जीवनी हम किशोर सभक लेल लिखय जा रहल छी। वास्तविक बात एतबे अछि जे 1932 मे हुनकर कैक भेंट प्रेमचंद सँ भेल रहलनि। सब सँ अविस्मरणीय लागनि प्रेमचंदक ठहक्का। आ, अन्तिम अध्याय मे सेहो एक स्वप्न छै। आब प्रेमचंद सेवा सँ रिटायर भ' क' पेंशन पबैत छथि। दुनू बालक व्यवस्थित भ' गेला अछि। हँ, दुइये टा हुनकर इच्छा छनि जे अपूर्ण रहि गेलनि अछि। स्वयं प्रेमचंदक उक्ति नागार्जुन एहि शब्द मे व्यक्त कयने छथि-- 'पहली इच्छा, खेत-मजदूरों के बारे में है कि गाँव का एक-एक भूमिहीन गुजारे लायक खेत हासिल कर ले। दूसरी इच्छा शहरी मजदूरों के बारे में है कि पुराने या नये कारखाने का एक-एक श्रमिक गुजारे लायक वेतन और भत्ता हासिल करे। कभी उसकी छँटनी न हो।' 

              1910-11 धरि प्रेमचंद अपन मूल नाम 'नवाब राय' के नाम सँ उर्दू मे लिखैत रहथि। हुनकर उपन्यास 'सोजे वतन' ब्रिटिश प्रशासन द्वारा विद्रोह भड़केबाक आरोप मे जब्त क' लेल गेल। कलक्टरक सामने धनपत राय (प्रेमचंद)क पेशी भेलनि। एहि अवसरक एक चित्र--

     'कलक्टर ने कड़कर पूछा-- नवाबराय तुम्हारा नाम है?... जी हाँ-- जवाब मिला। ...कलक्टर ने सिर से पैर तक धनपत को देखा। निकट ही एक तरफ 'सोजे-वतन' की प्रतियों के ढेर रखे थे।... कहानीकार नवाब राय का माथा ठनका। महीनों से खुफिया सिपाही इस कहानी-संग्रह के लेखक की खोज कर रहे थे। किताब कानपुर से छपी थी, लेकिन अंदर-बाहर कहीं कहानीकार का नाम नहीं था।‌यह भी पता नहीं चलता था कि किस प्रेस में छपी है।... सीआईडी वालों ने प्रेस का पता तो मालूम कर ही लिया, वे लेखक को भी जान गये।... हमीरपुर के कलक्टर के सामने कहानीकार की पेशी हुई।... --यह किताब तुम्हारी लिखी हुई है? -- जी।... --इस तरह की और भी किताब छपवानेवाले हो?... -- नहीं हुजूर!... नौकरशाही के उस उस पुतले की आँखों में शासन-मद का नशा उतर आया। बोला-- खैर मनाओ कि अंग्रेजों की अमलदारी है, वर्ना आज तुम्हारे हाथ कटवा लिये जाते। जानते हो, बगावत फैलानेवालों को क्या सजा मिलती है?... -- गोली से उड़ा दिये जाते हैं-- सरकारी वकील के बस होठ हिलकर रह गये। वह अभियुक्त की ओर देख रहा था।... युवक कहानीकार चुपचाप खड़ा था।... साहब ने कहा-- इन किताबों में आग लगा दो।... यों छुटकारा नहीं मिलेगा।... नवाब की आत्मा भीतर ही भीतर रो पड़ी।... 'सोजे-वतन' की 600 प्रतियों का ढेर अगले ही क्षण सुलग उठा।... दिल को कितनी चोट पहुँची होगी!... गोली खाकर मरते वक्त शायद ही इतना कष्ट होता... मगर इसी घटना ने प्रेमचंद को 'प्रेमचंद महान' बना दिया। कलक्टर ने कहानीकार को डरा-धमकाकर छोड़ दिया।'

             1958 मे नागार्जुनक बाकथा सभक संग्रह 'कथा-मंजरी' नाम सँ प्रकाशित भेल। यैह संग्रह 'सयानी कोयल'क नाम सँ 1978 मे छपल, जे वर्तमान मे सेहो उपलब्ध अछि। विक्रम-वैतालक लोक-प्रसिद्ध कथा कें ओ 'वीर विक्रम' नामें लेखन केलनि। एखनहु ई पुस्तक एही नाम सँ प्रकाशित अछि। तहिना, 1966 मे 'अद्भुत टापू' नामक कथा-संग्रह प्रकाशित भेल। आगू 1979 मे जखन एकर दोसर संस्करण छप' लागल तँ एकर नाम बदलि क' 'अनोखा टापू' क' देल गेल। हुनकर बालकथाक एक अन्य संग्रह 'तीन अहदी' छनि। पटनहि सँ एक छात्रोपयोगी पत्रिका 'छात्र-सखा' बहराइत छल। एकर अनुरोध पर किशोर लोकनिक लेल ओ धारावाहिक उपन्यास  'तुकों का खेल' लिखलनि। एहि पत्रिकाक किछुए अंक उपलब्ध भ' सकलैक अछि।

        पटना सँ एक प्रसिद्ध समाचार-विचारक पत्रिका प्रकाशित होइत छल-- 'योगी'। सौंसे देश मे ई पत्रिका पढ़ल जाइत छल। मूलत: तँ एकर स्वभाव राजनीतिक छल मुदा साहित्यिक सामग्री सेहो एहि मे पर्याप्त रहैत छल। संपादक ब्रजशंकर वरमाक अनुरोध पर नागार्जुन 'होनहारों की दुनिया' लिखब शुरू केलनि, आ बच्चा सभक 'बुझावन काका' बनि क' प्रकट भेला। 10-12 आयुवर्गक बच्चा लोकनि अपन लिखावट मे छोट कथा, अथवा तुकबंद कविता लिखि क' पठाबथि। नागार्जुन ओकर संशोधन क' क' मर्म सेहो बुझाबथि, आ ओहि बच्चा सभक रचना 'योगी' मे प्रकाशित भ' जाय। परिचित परिवार सभक तँ के कहय जे सुदूर देहातोक बच्चा पत्र द्वारा बुझावन काका सँ संपर्क करथि। मुश्किल सँ छव मास ई काॅलम चलि सकल। यदि दुइयो वर्ष चलि सकितय तँ एक एक अपूर्व धरोहर हिन्दी बालसाहित्य कें प्राप्त भ' सकैत छल।

           

          अन्यान्य विधा


मुश्य रूप सँ चारि विधा अछि जाहि मे नागार्जुन सुविधापूर्वक लेखन केलनि। जेना कि हुनकर रचनावली सँ पता लगैत अछि, ओ आरंभिके काल सँ डायरी लिखैत छला। मुदा वैह बात, 'कुछ खो गयी हैं, कुछ खो जाने की स्थिति में हैं, कुछ मित्रों के पास बिखरी पड़ी हैं, और बाकी इस यात्री कवि के थैले में...सफर करती फिर रही हैं।' रचनावली-प्रकाशनक समय (2003) धरि हुनकर केवल दूटा डायरी उपलब्ध भ' सकल, पहिल 1967 के, आ दोसर 1971क।

               'यत्किंचित' अपन डायरीक आरंभिक पृष्ठ पर ओ मोट-मोट आखर मे लीखि देल करथि। मतलब जे अपन डायरी कें ओ ई नाम देने रहथि। ई शब्द 'यत्किंचित' हुनका कतेक पसंद रहनि, तकर दृष्टान्त अछि जे मैथिली पत्रिअ 'मिथिला दर्शन' जखन हुनका सँ पत्रिकाक लेल स्तम्भ लिखबाक अनुरोध केलनि तँ एहि स्तम्भक नाम छल-- यत्किंचित। ठीक यैह बात तखन भेलै, जखन हिन्दीक लोकप्रिय साप्ताहिक 'जनयुग' मे ओ स्तम्भ लिखय लगला तँ ओकर नाम देलखिन--यत्किंचित।

           1967क 30 जून कें ओ राजकमल चौधरीक निधनक सम्बन्ध मे लिखलनि-- '19 जून को राजकमल चौधरी का देहावसान हो गया।... दर-असल वह ज्यादा जीना भी नहीं चाहता था।' 2 जुलाइ कें फेर लिखलनि-- 'निवेदिता' (त्रैमासिक) वाले राजकमल-स्मृति अंक निकाल रहे हैं। अच्छा रहेगा। निकालें, जरा मेहनत से निकालें।... 'दिनमान' (2/7) में राजकमल चौधरी के देहावसान पर बहुत भद्दी टिप्पणी आई है। हाय रे राज. चौ., जीते जी जिसकी अनुकंपा और हमदर्दी में डूबी पंक्तियाँ तुम्हारे मन-प्राणों को आलोड़ित कर जाती थीं, जिसके खत तुम्हारे सिरहाने, तकिये के नीचे सहेजकर रखे जाते थे अस्पताल की बेहिशियों के दरम्यान भी, उसी का रुख अब कितना बदल गया!! हाँ, 'धर्मयुग' ने अपने ताजे अंक में तुम्हें अच्छी तरह याद किया है... शील और शालीनता हो तो दिवंगत व्यक्ति के नाम पर इसी तरह लिखा जाएगा न? लाख निकृष्ट हो मृत व्यक्ति, भारतीय परंपरा के अनुसार तर्पण के समय कलुष चित्र से उसकी स्मृति में अनाप-शनाप कहने-सोचने की अनुमति नहीं दी गयी है...'

            सर्वाधिक महत्वपूर्ण अछि 1971क डायरी, जाहि मे ओ सोवियत रूसक एकैस-दिवसीय यात्राक ब्योरा लिखने छथि। एहि सम्बन्ध मे विस्तारपूर्वक जनबाक लेल 'युगों का यात्री' देखबाक चाही।

                हिन्दीक दू पत्रका 'जनयुग' आ 'ज्योत्सना' मे नागार्जुन स्तम्भ लिखलनि। जनयुगक 'यत्किंचित'क चर्चा एखने भेल। एहि स्तम्भ मे ओ तत्कालीन विश्व-व्यवस्था पर अपन दू-टूक विचार राखल करथि। उदाहरणक लेल 4 अगस्त 1968क अंक मे ओ भारत सरकारक भाषानीति पर ई लिखैत जे 'भारत में किसी भारतीय भाषा को पूर्ण अधिकार नहीं मिला है। नीचे से ऊपर तक अंग्रेजी का बोलबाला है', पाकिस्तानक अंग्रेजी-परस्त भाषा-नीति पर लिखलनि-- 'पाकिस्तान में उर्दू और बंगला को बहुत थोड़े-से हक हासिल हैं। कहने को उर्दू वहाँ शासन की प्रमुख भाषा है, बस, कहने-भर को! बंगला का तो और भी बुरा हाल है। पश्चिमी पाकिस्तान के महाप्रभु 'संस्कृतनिष्ठ और हिन्दुत्व-मूलक' बतलाकर बंगला भाषा का मखौल उड़ाते हैं। वे उर्दू और बंगला को मिलाकर एक खिचड़ी भाषा तैयार करवाना चाहते हैं। पूर्वी बंगाल पर वही खिचड़ी भाषा लाद दी जाएगी। पंजाबी, सिन्धी, बलोची और पश्तो भाषाओं का विकास अयूबशाही भला क्यों पसंद करने लगी!' स्मरण राखल जाय जे तहिया धरि बंगलादेश नहि बनल छल, ओ पूर्वी पाकिस्तान कहबैत छल। एहि भाषानीतिक की असर भेलै, से आब जगजानित अछि।

           'ज्योत्स्ना' पटनाक एक प्रसिद्ध पत्रका छल, जाहि मे लगभग तीन साल धरि, टूटल क्रम मे, नागार्जुन 'मुखड़ा क्या देखै दर्पण में' नाम सँ स्तम्भ लिखलनि। हुनकर इहो स्तम्भ तत्कालीन परिघटना सब पर दृष्टिपत्र प्रस्तुत करबा सन छल। 

          अक्टूबर 1964क अंक मे प्रख्यात कवि मुक्तिबोधक निधन पर लिखलनि-- 'आठ महीने तक घोर यंत्रणाएँ झेलने बाद, प्रख्यात कवि-दार्शनिक-आलोचक श्री गजानंद माधव मुक्तिबोध (47) अभी-अभी 11 सितंबर को भवताप से सदा के लिए छुटकारा पा गये।... श्राद्ध-तिथि की सूचना के तौर पर चि. श्री रमेश मुक्तिबोध का पत्र मिला है... पिछले कई दिनों के अंदर मैंने इस पत्र को जाने कितनी बार पढ़ा होगा! आगे भी जाने कितनी बार इसे देखूँगा... शायद मुझे भी लकवा मार जाएगा... शायद मेरी भी जीभ अकड़ जाएगी... क्या करेगा जीकर? तू और तेरे समकालीन झख ही तो मार रहे हैं... स्वानुभूति के क्षणों का कपास धुन रहे हो? व्यक्तिगत व्यथा का झाग बिखेर रहे हो? क्या कर रहे हो? नवनीत-लेपन की प्रक्रिया मालूम है आपको? गालियाँ सुनते समय मुस्कराने का अभ्यास आपको डालना होगा... मुक्तिबोध बुद्धू थे, इसीलिये उनकी दुर्दशा हुई... अक्खड़, दबंग, बातूनी और सीधा-सादा इन्सान आखिर कबतक अपने को बचाए रखेगा?'

              

तहिना, श्रीलंकाक भाषानीतिक प्रशंसा करैत जून 1967 अंक मे ओ लिखलनि-- 'श्रीलंका (सिंहल) मुख्यत: बौद्धों का देश है। भवात्मक दृष्टियों से वह इस महादेश (भारत) के अति निकट पड़ता है।... श्रीलंका के शासकों ने घोषणा की है कि 1968 से उनके यहाँ सरकारी कामों में अंग्रेजी का इस्तेमाल कत ई नहीं होगा। प्रशासन और प्रशिक्षण के सारे कार्य सिंहली और तमिल में ही होंगे।... काश,श्रीलंका के निवासियों से हम थोड़ा-सा साहस उधार ले लेते!'

              नागार्जुन अपन पत्र-लेखनक लेल बहुत मशहूर रहथि। अपन जीवन मे ओ हजारो पत्र लिखने हेता। समुच्चा देश मे हुनकर प्रेमी लोकनि पसरल रहनि। हुनकर हिस्सक रहनि जे यात्रे पर सँ ओ यात्रा पर बहरा जाइत छला, एहि लेल पत्र-लेखन जरूरी छल। युवा लोकनि सब समय हुनका सँ अत्यधिक जुड़ाव अनुभव करैत रहथि। हुनका लोकनिक जे जिज्ञासा होइन तकरो लेल पत्र-लेखने टा ओहि समय एकमात्र साधन छल। काशीप्रसाद जायसवाल, स्वामी सहजानंद, राहुल सांकृत्यायन आदिक संग जे हुनकर गँहीर सम्बन्ध भेलनि, तकरो आरंभ एहि पत्र-लेखने सँ आरंभ भेल छल। हुनकर पत्र सभक तीन गोट संग्रह एखन धरि हमरा नजरि सँ गुजरल अछि-- 'बाबा नागार्जुन' (नरेन्द्र कोहली कें लिखल पत्रक संकलन), 'मैं पढ़ा जा चुका पत्र' (नन्दकिशोर नवल कें लिखल पत्रक संकलन) आ 'नागार्जुन के पत्र: हरिनारायण मिश्र के नाम'। रचनावली-प्रकाशनक समय धरि नागार्जुनक 2500 पत्र संपादक शोभाकान्त कें भेटल रहनि, जाहि मे सँ किछु चयनित पत्र रचनावली मे आयल अछि।