Wednesday, December 4, 2013

तारानन्द वियोगीक कविता









।।करह चर्चा।।

हरेक चौक पर, चौराहा पर
बथान मे, अखराहा पर
हमरे चर्चा।
हमरे चर्चा कंसार मे, बैसार मे
कनफुसकी मे, तरघुसकी मे
हमरे चर्चा।
हमरे चर्चा ताल मे, चौताल मे, झपताल मे।

वाह रे हम
जोगीलाल,
वाह रे हम।

चर्चा की तं खूब नाक कटलनि
चर्चा की तं खसलनि माथ परहक पाग।
बड काबिल बनै छला, बुझा पडलनि
नै सूझै छलियनि हम सब, सुझा पडलनि।
चर्चा की तं पढलाहा सब मानि नै ककरो दैए
आर की तं आशीष नै मठाधीशक लैए....

वाह रे हम
जोगीलाल,
करह चर्चा जते करबह
हौ बूडि,
हम जं मरलियह तं तहूं मरबह।

हौ, हमहूं जं कोनो असली पढलाहा हएब
तं तोरो बेटा-बेटी कें अपने-सन बनाएब...

करह चर्चा।



।।कने हमरो लाज करू दोस।।

मलिकिनी कनैत रहै छथि
दहो-बहो नोर,
आ हमरा ततबो पलखति नहि
जे हुनकर नोर कने तेना क' पोछियनि
जे आगू थोडे दिन फेर नहि कानथि।

कते दिन भ' गेल जे आफियत सं बैसी कने अलसाएल,
आ बिचारी जे हम सुखी छी कि सुखी नै छी।
अतीत के टुकडी सब कें
घुरा-घुरा आनी अवचेतन सं
, गाय-जकां पाजु करी,
हमरा ततबो पलखति नहि
जे अंटियाबी भविष्य कें--
--एना जं भेल ई करब,
--ओना जं भेल तं ओ करब।
हमरा ततबो पलखति नहि।

,
अहां एम्हर महराज,
जुलुम कोहराम मचौने छी--
--बुझलहुं दोस की, फलनमा लूझि लेलक सेसर पुरस्कार
--चिलनमा कहैए सब चोर छै, सब चुहार
--भुलना-राज मे खूब भुलल भुलक्कड भुलान,
--झुलना-राज मे झुलैत रहथु झूला निक-निक विद्वान।

आखिर की कहए चाहै छी अहां दोस?
बड अन्हेर भ' रहल अछि
तें हम  छोडि दी अपन काज?
हमहूं मटियाइये दी मटियाएल जाइत कें--
की अहां से कहै छी?

हे, कने हमरो लाज करू दोस,
हमरो।

मानि लिय' छोडिये जं हम दी अपन काज,
तं जा क' मलिकिनी के नोर नै पोछबनि ग' यौ,
जे फलनमा आ चिलनमा के छिद्र मे पैसब।

कने हमरो लाज करू दोस।



No comments: