Tuesday, December 7, 2010

बाल साहित्य पुरस्कार २०१० अर्पण समारोह

बाल दिवसक अवसर पर दिनांक १४ नवंबर २०१० कें साहित्य अकादेमी, नई दिल्लीक परिसर स्थित मेघदूत मुक्ताकाश मंच पर एक अतीव गरिमापूर्ण समारोह मे साहित्य अकादेमीक बाल साहित्य पुरस्कार २०१० के अर्पण कएल गेल। २४ भारतीय भाषाक
लेखक लोकनि कें बाल साहित्य मे विशिष्ट अवदानक लेल पुरस्कृत=सम्मानित कएल गेलनि। मैथिली मे प्रथम बाल साहित्य पुरस्कार तारानन्द वियोगी कें हुनक बाल-पुस्तक 'ई भेटल तं की भेटल'के लेल देल गेलनि। एहि यादगार अवसरक किछु फोटोग्राफ एतए देखू।








Taranand Viyogi

0 comments: