Saturday, November 24, 2007

हम छी कमलाकांत

हम छी कमलाकांत
भरि राति खसल सीत
चंद्रमणि गबैत रहला गीत
केओ थोपड़ी केओ चुटकी सं दैत रहल जोश
मुदा जे देलक टिहकारी कनखिया क'
उ छल सभ सं फर्रोश

एमेलेकेडमी'क पंडाल मे पसरल अछि पुआर
मुदा जिनकर पैंसब छैन्ह प्रतिबंधित से छथि गुआर

तें जखन बदलल जमाना
बदलि गेल रामकथा ससि किरन समाना
आब अछि पासमानक भरनी दुसाधक ताना

संकल्पलोकक बैसि गेल भट्ठा
गुदड़ी मे बिका गेल सोन सन इतिहास कट्ठा पर कट्ठा

आब एमएलएसएम मे होइत अछि बिदापति समारोह
आह, की आरोह-अवरोह!
मंच सं बाजि रहला अछि संचालक,

'हारमोनियम पर छथि शिशकांत
तबला पर छथि चंद्रकांत
झालि बजओता उदयकांत
गओता हेमकांत
आ हम छी कमलाकांत!'

अहियो पर थोपड़ी!

मुदा सुनय बला सुनि रहल अछि
संस्कृतिक ओसारा पर बड़का लोकक कोरस
गांती मे केओ नहि अछि गुआर
चौबगली पसरल अछि पावन-पवित्र पुआर

मिथिलाक पोखरि बाभनक बंसी सं डेराएल
संस्कृति मे सामाजिक न्याय एखनो अछि हेराएल

तें कतबो कहथु संचालक, हम छी कमलाकांत
लोकबेद करबे टा करत टोंट जे अदौ सं अछि आक्रांत!
अदौ सं अछि श्रोताकांत!

4 comments:

Unknown said...

नमस्कार
अहांक ब्लॉग पढि क मन खुश भय जाइत अछि. लागैत अछि जेगाम घर पर लौट गेलहुं अ. एम्हर हमहु एकटा ब्लॉग शुरू कएलहुं अ. http://hellomithilaa.blogspot.com

अहां ओकरा पढि क बतायब जे आओर की सभ करय के जरूरत छै
धन्यवाद
हितेंद्र कुमार गुप्ता

Gajendra said...

Videha Ist Maithili e Journal website launched. Visit
http://www.videha.co.in/
Videha publishes articles, research work, stories, epic, novel, children section, learn samskrit section, Non Resident English section, literature writing prerequisite section, Mithila and Samskrit section, Language and Technology section, poems, learn mithila painting section, learn music section, photos, animation in Maithili, Samskrit and English. Send Your creation and collection on above as mail attachment as .doc, .docx, or .txt to
ggajendra@yahoo.co.in or
ggajendra@videha.co.in

Old issues of Videha are preserved in Archieve section.
Prity Jha Thakur
Computer Administrator
आब प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका विदेह अपन वेबसाइट

http://www.videha.co.in पर उपलब्ध अछि।
अपन रचना (मैथिली,संस्कृत आ’ इंगलिश्मे) ggajendra@videha.co.in किंवा ggajendra@yahoo.co.in केँ
.doc,.docx,.txt फॉर्मेटमे एटैचमेंटक रूपमे पठाबी।
प्रीति झा ठाकुर कंप्युटर एडमिनिस्ट्रेटर

FOR IMMEDIATE RELEASE
http://www.videha.co.in/
Videha Ist Maithili Fortnightly e Magazine विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका
পহিল মৈথিলী পাক্ষিক ঈ পত্রিকা http://www.videha.co.in
________________________________________
प्रेस रिलीज প্রেস বিলীজ
প্রথম মৈথিলী ঈ পাক্ষিক পত্রিকা বিদেহ 01.01.2008 সঁ পাঠক লোকনিক সমক্ষ আবি গেল৷তেসব অংকসঁ একব সাজ-সজ্জা দেখবা যোগ্য অছি৷ http://www.videha.co.in খোললা উত্তব বিদ্যাপতিক 'কত সুখ সাব পাওল তুঅ তীবেক' ভাবত বত্ন বিস্মিল্লাহ খান(শহনাই), শ্রীমতী এম.বাজন (রাযলিন) আ' কিশন মহাবাজ (তরলা) পব রাবাণসীক গংগা তট পব রজাওল সংগীত রাজি উঠৈত অছি৷

Gajendra said...

अविनाशजी
ई पद्य परसू सेहो सुनलहुँ अविनाशजी अहाँक मुखसँ अकादमी सभागारमे। नीक अछि, पद्य जल्दी-जल्दी पोस्ट करू।
गजेन्द्र ठाकुर
http://www.videha.co.in/
'विदेह' प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

Unknown said...

bar nik